Every question from the Maithili Literature Optional papers of UPSC Mains 2021, placed in its syllabus unit and checked against all questions asked from 2013 to 2020. See what was familiar, what came back and what was new.
Other years:
What stood out in 2021
- More marks than usual: मैथिली साहित्यक इतिहास (130 marks, against an average of 106).
- Fewer marks than usual: आधुनिक कालमे साहित्यिक विधाक विकास (70 marks, against an average of 91).
- 19 questions were close repeats of an earlier paper: Q1a (Paper II), first seen in 2017; Q1b (Paper I), first seen in 2018; Q1b (Paper II), first seen in 2017; Q1e (Paper II), first seen in 2017; Q2a (Paper II), first seen in 2017; Q2c (Paper I), first seen in 2018; Q3c (Paper I), first seen in 2019; Q3c (Paper II), first seen in 2018; Q4a (Paper I), first seen in 2019; Q4c (Paper I), first seen in 2018; Q4c (Paper II), first seen in 2017; Q5b (Paper I), first seen in 2012; Q5c (Paper II), first seen in 2017; Q5d (Paper II), first seen in 2017; Q6a (Paper II), first seen in 2017; Q7a (Paper II), first seen in 2019; Q7c (Paper II), first seen in 2018; Q8b (Paper II), first seen in 2018; Q8c (Paper II), first seen in 2018.
- One question came from topics that were new or had not been asked for six years or more.
Which units got the marks in 2021
Marks asked from each unit in 2021 (dark bar) against its average for 2013–2020 (grey bar).
Paper I
| Unit | 2021 | Average 2013–20 |
|---|---|---|
| मैथिली भाषाक इतिहास | 200 | 195 |
| मैथिली साहित्यक इतिहास | 130 | 106 |
| आधुनिक कालमे साहित्यिक विधाक विकास | 70 | 91 |
Paper II
| Unit | 2021 | Average 2013–20 |
|---|---|---|
| खण्ड क: काव्य | 200 | 200 |
| खण्ड ख: गद्य | 200 | 200 |
A question that fits two units is split equally between them.
Paper I
Q1a. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): मैथिलीमे क्रियाक विशेषता (10 marks)
Q1b. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): ‘फॉरमेशन ऑफ मैथिली लैंग्वेज’क विषयवस्तुसँ परिचय (10 marks)
Q1c. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): मैथिली एवं उड़ियाक पारस्परिक उद्गम स्रोत (10 marks)
Q1d. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): भाषाक विकासक अभ्यन्तर वर्गमे ‘प्रयत्न लाघव’क प्रकृति (10 marks)
Q1e. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): मैथिली व्याकरणक विकासक दिशामे पं० गोविन्द झा (10 marks)
Q2a. तिरहुता लिपिक उद्भव एवं विकास पर टिप्पणी लिखू। (20 marks)
Q2b. ग्रिअर्सन मैथिलीक औपभाषिक विभाजन कएने छथि–परिचय कराउ। (15 marks)
Q2c. मैथिली सर्वनामक व्यापकता ओ वैशिष्ट्यक उल्लेख करू। (15 marks)
Q3a. मैथिली भाषाक विकासमे संस्कृत एवं प्राकृतक महत्त्वक मूल्यांकन करू। (20 marks)
Q3b. मैथिली भाषाकेँ कालक्रमानुसार विभाजित करू। (15 marks)
Q3c. मध्यकालीन आर्यभाषाक विशेषताक विवेचन एवं विश्लेषण करू। (15 marks)
Q4a. भारतीय आर्यभाषाक विकास-क्रमसँ परिचय कराउ। (20 marks)
Q4b. भाषाक परिवर्त्तनशीलताक कारण पर विचार करू। (15 marks)
Q4c. भारोपीय भाषा-परिवारक परिचय दिअ। (15 marks)
Q5a. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): मैथिलीमे सिद्धसाहित्य एवं डाकघाघ वचनावली (10 marks)
Q5b. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): वर्त्तमानमे मैथिलीक प्रकाशित पत्र-पत्रिका (10 marks)
Q5c. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): अनुवाद साहित्यमे चन्दा झाक योगदान (10 marks)
Q5d. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): ‘कीर्तिलता’क ऐतिहासिक महत्त्व (10 marks)
Q5e. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): शंकरदेव ओ हुनक ‘अंकियानाट’ (10 marks)
Q6a. ‘वर्णरत्नाकर’क विषय-वस्तु एवं महत्त्वसँ परिचय कराउ। (20 marks)
Q6b. विद्यापतिक लोकप्रियताक प्रमुख कारणसँ परिचय कराउ। (15 marks)
Q6c. मैथिली नाटकक विकासमे ‘कीर्तनिञा’ नाटकक योगदान पर विचार करू। (15 marks)
Q7a. मैथिली साहित्यक काल-विभाजनसँ परिचय कराउ। (20 marks)
Q7b. मैथिली साहित्यक विकासक पृष्ठभूमिमे ‘मिथिलाक धार्मिक आ सांस्कृतिक व्यवस्था’ प्रमुख रहल अछि–प्रमाणित करू। (15 marks)
Q7c. मैथिली पत्र-पत्रिकाक विकास पर निबंध लिखू। (15 marks)
Q8a. चन्दा झाकेँ आधुनिक मैथिली साहित्यक जनक मानल जाइत अछि–प्रमाणित करू। (20 marks)
Q8b. मैथिली लोकसाहित्यक उद्भव एवं विकास पर निबंध लिखू। (15 marks)
Q8c. उत्कृष्ट समालोचकक गुणकेँ प्रतिपादित करू। (15 marks)
Paper II
Q1a. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) “अगमने प्रेम गमने कुल जाएत,
चिन्ता पङ्क लागलि करिणी ।
मञे अबला दह दिस भमि झाखओ,
जनिब्याघ डरे भीरु हरिणी ।।
चन्दा दूरजन गमन विरोधक
उगल गगन भरि बैरि मोरा ।
कुहू भरमे पथ पद आरोपल,
आए तुलाएल पञ्चदशी ।।” (10 marks)
Q1b. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) “काजर-तिमिर-भरमे जसु तन-रुचि,
निबसय-कुँज-कुटीर ।
गति अति कुटिल सुधीर ।।
सजनी, कान्ह से बरजु भुजङ्ग ।
से मोर हृदय-चदन-रुह लागल
भागल धरम-विहङ्ग ।।
लोचन-कोर पड़ैत नव नागरी रहए नपारए धीर ।
कुंचित अरुन अधर भरि पीबए
– कुलवति-बरत-समीर ।।” (10 marks)
Q1c. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) “नाव अरि लाव नहि, उतरक दाव नहि,
एक बुद्धि आब नहि, सगर अपारमे ।
वीर अरि छोट नहि, सङ्ग एक गोट नहि,
लङ्का लघुकोट नहि, विदित संसारमे ।।
दबुज अबल नहि, पुरी गम्य थल नहि,
प्रदेश अमल नहि युद्धक विचार मे,
अहाँक समान नहि, वीर हनुमान नहि,
सर्व्वस्वक दान नहि – तुल उपकार मे ।।” (10 marks)
Q1d. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) “परम मेधावी कते बालक जत,
मूर्ख रहि हा ! गायहा चरबैत छथि
कते वाचस्पति कते, उदयन जत,
हाय ! बन गोइठा बिछैत फिरैत छथि,
तानसेन कतेक रविवर्मा कते,
घास छीलथि वागमतीक कछेड़ मे,
कालिदास कतेक विद्यापति कते,
छथि हेड़ाएल महींसवारक हेड़मे ।
अन्न ने छै, कैंया ने छै कौड़ी ने छै,
गरीबक नेना कोना पढ़तैक रे?
उठह कवि, तो दहक ललकारा कने
गिरि-शिखर पर पथिक-दल चढ़तैक रे ।।” (10 marks)
Q1e. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) “झमाझम बरसैत मूसलधार,
माघक ठार, चैतक तस:
सभ फूसि ओकरा हेतु ।
लगाबथु ग केओ कतेको जोर
बाप-पीतिकेँ करथु गऽ सोर,
मुदा रोइयाँ एकोटा ओकर
उपाड़ल नहि हेतन्हि ककेरा बुतेँ ।।” (10 marks)
Q2a. “मैथिली मे नव-परम्पराक प्रवर्त्तक महाकवि मनबोध ‘कृष्णजन्म’ मे सर्वत्र ठेठ शब्दक ठाठ बान्हि लोकोक्तिक सटीक प्रयोग कय भाव एवं भाषा दूनू के अत्यन्त हृदयग्राही ओ प्रभावपूर्ण बना देने छथि” – एहि कथनक समीक्षा करू । (20 marks)
Q2b. ‘मिथिला-भाषा रामायण’ मे सुन्दरकाण्डक नामकरण पर विचार करैत, कवीश्वर चन्दाझाक कल्पना-कौशल पर प्रकाश दिअ । (15 marks)
Q2c. वर्तमान प्रबुद्ध युग मे कोन प्रकारक कवि चाही? एहि प्रश्नक उत्तर मे ‘यात्री’जी द्वारा रचित ‘चित्रा’ कविता संग्रहक कविता सभक उल्लेख करैत विस्तार सँ विवेचना प्रस्तुत करू । (15 marks)
Q3a. “लालदासक ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’क बालकाण्ड मे मिथिलाक विलक्षण संस्कृतिक मार्मिक चित्रण भेल अछि” – एहि कथनक सविस्तार विवेचना करू । (20 marks)
Q3b. “समकालीन मैथिली कविताक प्रवृत्ति सामाजिक परिवर्तनक दिशामे महत्त्वपूर्ण भूमिकाक निर्वाह करैछ” तर्कसंगत उत्तर दिअ । (15 marks)
Q3c. ‘कीचक वध’ मे कवि वर्णनक प्रति विशेष मात्सर्य नहि देखा भावनात्मक क्रमबद्ध सुनियोजित एवं चारित्रिक विकास दिस बेसी उन्मुख भेल छथि – प्रतिपादित करू । (15 marks)
Q4a. “सरस जीवनक मधुर गायक महाकवि विद्यापति सौन्दर्योपासक कवि छलाह” – एहि कथनक युक्ति-युक्त विवेचना करू । (20 marks)
Q4b. समकालीन मैथिली कविताक विकास-यात्रा पर प्रकाश दिअ । (15 marks)
Q4c. ‘दत्त-वती’ काव्यक द्वितीय सर्ग मे वर्णित गुरुकुलक शिक्षण-व्यवस्था एवं आकर्षक वातावरण ओ विश्वशान्तिक राष्ट्रीय स्वरूपक चित्रण प्रस्तुत करू । (15 marks)
Q5a. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य अछि) “पूर्ण्णिमाक चान्द अमृत पूरल मुह श्वेत पङ्कजाका दल भ्रमर वयिसल अइसन आँषि । काजरक कल्लोल अइसन भञुह । गथले फुले नर्म्मदाक शलाका पूजल अइसन षोम्पा । पखाक पल्लव अइसन अधर । कनिअराक कर अइसन नाक । सीन्दुर मोति लोटाएल अइसन दान्त, वेतक साट अइसन बाँह । परिजातक पल्लव अइसन हाथ ।” (10 marks)
Q5b. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य अछि) “कोन काज हमरा बुतेँ हायत? भीख माङ्गब? भिखमंगोके तँ लोक झझकारिते छैं । मुदाई मौगी अहलादि कए भरि पेट आगरह कए-कए खुअबैए कते ने सिनेह करैए । बीस गोटे द्वारि घूमब, बीस गोटेक बार सुनब तँ होइत बीस टा पाई घुरि जाइ सेहे नीक, मुदा जँ मौगीं देखिलिए ई काँख महक मोटरी?” (10 marks)
Q5c. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य अछि) “सुकर्म आ अपकर्म ककरा कहै छै, से बुझबाक बुद्धि जँ अहाँ मे रहैत तँ आइ अहाँकेँ हमरासँ वा हमर ऐ स्टालसँ घृणा नै होइत । एके टोकारा पर अहाँ लगले हमरा लग दौड़ल अबितौं …. पुछितौं जे हमर व्यवसाय घाटा मे चलि रहल अधि की नफामे । अहाँ से कयलौं नै आतें केवल आश्रमक बा परिवारक, अपितु अहाँ अपनो लेल भारेटाछी ।” (10 marks)
Q5d. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य अछि) “सैह काल तँ हमरा सभक काल भऽ गेला आइ मासान्त, काल्हि संक्रान्ति, परसू भदवा, एकटा टाट बान्हक हो तँ नौ दिन पतड़ा देखैत-बैसल रहूँ । औ संसारक और कोनो देश मे भदवा मानैत अछि? भद्रामहरानी मे वास्तविक सामर्थ्य छैन्ह तँ ओकरा सभणेँ किएक नहि धरैत छथिन्ह? पृथ्वी पर और-और लोकेँ दिक्शल किऐक नहि लगैत छैक? यूरोप, अमेरिका बालाकेँ अघपहरो किऐक नहि धरैत छैक? सबसँ बुड़िबक दीनानाथ हमरे लोकनि छी?” (10 marks)
Q5e. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य अछि) “सरिपहुँ … बागमती, कमला, बलान, गण्डक आ कोसी खास कऽ कोसी तँ अपराजिता अछि, ने । ककरहु सामर्थ्य नहि जे एकरा पराजित कऽ सकय । सरकार आओत … चलि जायत मिनिस्ट्री बनत आ टूटत, मुदा ई कोसी, ई बागमती, ई कमला आ बलान … अपन एहि प्रलयंकारी गति मे गामक-गाम के भसि अबैत रहत ।” (10 marks)
Q6a. “खट्टर ककाक विनोदपूर्ण विचार-लहरी, मिथिलाक संस्कृति ओ पुरातन सभ्यता पर मार्मिक व्यंग्यक प्रहार कयने अछि” – एहि कथनकेँ प्रमाणित करू । (20 marks)
Q6b. ‘पृथ्वी पुत्र’ उपन्यास मे जीवनक ओ चित्र उतारल गेल अछि, जे सत्य पर आधारित अछि, – एहि युक्तिक समीक्षा करू । (15 marks)
Q6c. ‘लोरिक विजय’ उपन्यासक कथानक मार्मिकता ओ अतिरंजकतासँ मिश्रित अछि – एहि कथनक खण्डन वा मण्डन करू । (15 marks)
Q7a. ‘वर्णरत्नाकर’क द्वितीय कल्लोलमे वर्णित विषय-वस्तुक वर्णन करैत एहि पोथीक महत्त्वकेँ प्रतिपादित करू । (20 marks)
Q7b. आधुनिक मैथिली कथा मे वर्त्तमान समाजक चित्र अंकित रहैत अछि; ‘कथा-संग्रह’ मे पठित कथाक आधार पर एहि कथनक समीक्षा करू । (15 marks)
Q7c. ‘मधुरमनि’ कथा मे ‘किरण’जी श्रमजीवी वर्गक दाम्पत्य जीवनक अनुराग-विरागक हिलसगर कथा कहने छथि …. एहि कथनकेँ युक्तिसंगत सिद्ध करू । (15 marks)
Q8a. मिथिलाक मध्यवर्गीय अभिजात्य वर्गक छ्द्म विद्रूपक चित्रण राजकमलक कथा मूल तत्त्व कहल जाइत अछि – एकर विवेचना करू । (20 marks)
Q8b. ‘झगड़ा’ कथा शीर्षक संयोगाश्रित घटना प्रधान अछि, एकर उद्देश्य करुणा उत्पन्न करब थिक । एहि मे लेखककेँ कतेक सफलता भेटल छन्हि? ऐकरा प्रमाणित करू । (15 marks)
Q8c. ‘भफाइत चाहक जिनगी’क नाटककार शिक्षित-बेरोजगार युवकक माध्यमे समाजमे व्याप्त जीवनक समस्या एवं संघर्षक संग परिस्थितिक अनुसार अपनाकेँ अनुकूल बना सकए, तफर बुद्धिवादी सामंजस्य प्रस्तुत कएलनि अछि – एहि कथनक समीक्षा करू । (15 marks)
Spotted something wrong?
If a question is in the wrong unit or a match looks wrong, please report an error.
Related: Overall Maithili Literature PYQ analysis · Year-wise question papers · Topic-wise PYQs

