Every question from the Maithili Literature Optional papers of UPSC Mains 2020, placed in its syllabus unit and checked against all questions asked from 2013 to 2019. See what was familiar, what came back and what was new.
Other years:
What stood out in 2020
- More marks than usual: मैथिली साहित्यक इतिहास (115 marks, against an average of 104).
- 9 questions were close repeats of an earlier paper: Q1d (Paper I), first seen in 2011; Q2a (Paper I), first seen in 2009; Q5c (Paper I), first seen in 2016; Q5d (Paper I), first seen in 2009; Q6b (Paper II), first seen in 2015; Q7a (Paper II), first seen in 2010; Q7b (Paper II), first seen in 2015; Q8b (Paper I), first seen in 2012; Q8c (Paper II), first seen in 2015.
- Every question came from a topic UPSC had asked recently.
Which units got the marks in 2020
Marks asked from each unit in 2020 (dark bar) against its average for 2013–2019 (grey bar).
Paper I
| Unit | 2020 | Average 2013–19 |
|---|---|---|
| मैथिली भाषाक इतिहास | 200 | 194 |
| मैथिली साहित्यक इतिहास | 115 | 104 |
| आधुनिक कालमे साहित्यिक विधाक विकास | 85 | 91 |
Paper II
| Unit | 2020 | Average 2013–19 |
|---|---|---|
| खण्ड क: काव्य | 200 | 200 |
| खण्ड ख: गद्य | 200 | 200 |
A question that fits two units is split equally between them.
Paper I
Q1a. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): तिरहुता लिपिक विकासक प्रक्रिया (10 marks)
Q1b. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): मैथिली ओ आसामी भाषाक परस्पर सम्बन्ध (10 marks)
Q1c. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): सोदाहरण सर्वनामक परिभाषा (10 marks)
Q1d. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): मैथिली भाषाक विकासमे अवहट्ठक योगदान (10 marks)
Q1e. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): आर्य भाषा परिवार (10 marks)
Q2a. भारोपीय भाषा परिवारमे मैथिली भाषाक स्थान निरूपित करू। (20 marks)
Q2b. वर्तमान मैथिली भाषाक ‘स्वरूप’ ओ ‘विकासक प्रक्रिया’क व्याख्या करू। (15 marks)
Q2c. मागधी भाषाक महत्त्व पर प्रकाश दिअ। (15 marks)
Q3a. मैथिली भाषाक ‘आदिकाल’ आ ‘मध्यकाल’क प्रसंग विस्तारसँ विचार करू। (20 marks)
Q3b. ‘योगात्मक’ आ ‘अयोगात्मक’ भाषा आकृतिमूलक भाषाक भेद अछि–स्पष्ट करैत उपादेयता पर चर्चा करू। (15 marks)
Q3c. मैथिली भाषाक विशेषताक विस्तृत विवेचना करू। (15 marks)
Q4a. ‘भाषा’ आ ‘बोली’मे अन्तर स्पष्ट करू। (20 marks)
Q4b. ‘मैथिली भाषाक प्राचीनता’ पर स्पष्ट मंतव्यक संग अपन विचार प्रस्तुत करू। (15 marks)
Q4c. ‘मध्यकालीन मैथिलीक उपभाषा’ सभक विस्तृत विवरण प्रस्तुत करू। (15 marks)
Q5a. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): चर्यापद (10 marks)
Q5b. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): सामा चकेवा (10 marks)
Q5c. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): मिथिला मिहिर (10 marks)
Q5d. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): मैथिलीक लोक-साहित्य (10 marks)
Q5e. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): चन्दा झा (10 marks)
Q6a. ‘मैथिली नाटकक विकास’मे ‘नेपाल’क योगदानक चर्चा करू। (20 marks)
Q6b. मैथिली साहित्यक विकासमे ‘मिथिलाक सामाजिक आ आर्थिक व्यवस्था’ प्रमुख रहल अछि–प्रमाणित करू। (15 marks)
Q6c. मैथिली साहित्यक उद्गम ओ विकास, लोक-साहित्यक रूपमे भेल अछि–प्रमाणित करू। (15 marks)
Q7a. विद्यापतिक गीतक रोचकता आ स्वाभाविकता समाजकेँ आकर्षित कएलक–प्रमाणित करू। (20 marks)
Q7b. राजकमलक रचना सामाजिक यथार्थ पर आधारित अछि–अपन मंतव्य दैत प्रमाणित करू। (15 marks)
Q7c. मैथिली कथा साहित्यमे शोषित-दलितक प्रवेशसँ साहित्यक रोचकता बढ़ि गेल अछि–प्रमाणित करू। (15 marks)
Q8a. मैथिली गद्यक विकासमे पत्र-पत्रिकाक योगदान पर चर्चा करू। (20 marks)
Q8b. नव कविताक विकासक रूपरेखा प्रस्तुत करू। (15 marks)
Q8c. मध्यकालीन मैथिली नाट्य साहित्यक समीक्षात्मक विवरण उपस्थापित करू। (15 marks)
Paper II
Q1a. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) आवश्यकताक अनेक महारथीक प्रहार
सहि-सहि कऽ जीवन-अभिमन्यु लेल पराभूत
इच्छाक उत्तरा विधवा भऽ गेलि
आ भविष्यक परीक्षित गर्भस्थ औना रहल
दुःशासन-जीविकाक हाथेँ सखि, द्रौपदीक
चीर जकाँ, विरहक दिन बढ़ले अछि जा रहल । (10 marks)
Q1b. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) “देवी, विषम-विषमय नागिनि हिअ मोर
दंशल, अछि सन्तप्त विकल मम-प्राण,
औषध विषक ओएह, विष अछि जग एक,
पुनि-पुनि नागिनि-दँशहिँ बाँचत प्राण ।
नागिनि थिक तुअ पोसल दूध पिआए ।”
व्यङ्गक-कथा सुनि अनुजक विस्मित-चित्त । (10 marks)
Q1c. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) कतहु शारदा पुस्तक-हस्ता राजित वीणा पाणि ।
गणपति प्रतिमा वर अंकुश कर लिखइछ अर्थ प्रमाणि ।।
सुर-पूजित वाचस्पति बाँचथि कतहु रीति मद वेद ।
कतहु भार्गवी विद्या सिखबथि शुक्र नीति कत भेद ।।
कतहु व्यास-बाल्मीकिक प्रतिमा गोतम कपिल कणाद ।
भरइछ अन्तेवासिक चितमे शुभ प्रेरणा प्रसाद ।। (10 marks)
Q1d. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) अनुखन माधव माधव सुमिरिते ।
सुन्दरि भेल मधाई ।
ओ निज भाव सभावहि विसरल
आपन गुन लुबुधाई ।।
माधव, अपरूप तो हारि सिनेह ।
अपने विरह अपन तनु जर-जर
जिबइते भेल सन्देह ।। (10 marks)
Q1e. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) नारायण अवतार राम त्रेता मे हयता ।
पिता-वचन सह-बन्धु जानकी सङ्गहि जयता ।।
माया-सीता ततय मूढ़ दशकन्धर हरता ।
बालि मारि सुग्रीव सङ्ग प्रभु मैत्री करता ।।
अहाँ काँ तनिकर दूत कपि, मारि मुका विकला करत ।
कहलनि विधि शुनु लङ्किनी, तरवन बुझव रावण मरत ।। (10 marks)
Q2a. “दत्त-वती” अपन चिन्तनशीलताक कारणेँ एक प्रकारक राजनीतिक महाकाव्य थिक, जाहिमे दार्शनिकता ओ आध्यात्मिकताक काव्यात्मक अभिव्यक्ति भेल अछि – पठित अंशक आधार पर स्पष्ट करू । (20 marks)
Q2b. महाकवि मनबोधक “कृष्ण जन्म” मैथिली काव्य साहित्यक एकटा क्रान्तिकारी रचना थिक, से भाव बोधक दृष्टियेँ सेहो आ काव्य शिल्पक दृष्टियेँ सेहो’ – कृष्ण जन्मक आधार पर एहि उक्तिक विश्लेषण करू । (15 marks)
Q2c. समसामयिकता, व्यंग्य प्रहार, छन्द विधान तथा मैथिलीक आत्मामे डूबल शब्द योजना यात्री जीक अपन विशेषता थिक – चित्राक आधार पर एहि उक्तिक विवेचन करू । (15 marks)
Q3a. कथावस्तुक संतुलित विकास, मार्मिक काव्यात्मकता, छन्दक वैविध्य तथा लोक भाषाक चमत्कारिक प्रयोग “मिथिला भाषा रामायण”क वैशिष्ट्य थिक’ – पठित अंशक आधार पर विवेचन करू । (20 marks)
Q3b. “रमेश्वर चरित मिथिला रामायण” मध्य सीताक चरित्रक प्रधानता अछि’ – पठित अंशक आधार पर मूल्यांकन करू । (15 marks)
Q3c. मानवीय सम्वेदना, रागात्मिका वृति, कल्पनाक सूक्ष्मता तथा अभिव्यक्तिक चमत्कार विद्यापतिक काव्यक अंन्यतम विशेषता थिक’ – ‘गीत शती’क पठित अंशक आधार पर विश्लेषण करू । (15 marks)
Q4a. गोविन्ददासक प्रसंग “रसना रोचन श्रवण विलास”क गर्वोक्ति सार्थक ओ प्रासंगिक अछि – “गोविन्द दास भजनावली”क पठित अंशक आधार पर विवेचन करू । (20 marks)
Q4b. “कीचक बध” मे प्राचीन ओ नवीन रीति शैलीक अद्भुत सामंजस्य तथा समन्वयन भेल अछि – एहि उक्तिक सार्थकताकेँ प्रमाणित करू । (15 marks)
Q4c. जीवनक प्रति स्वागत-भाव आधुनिक कविताक स्थायी भाव थिक – “समकालीन मैथिली कविता”क आधार पर विश्लेषण करू । (15 marks)
Q5a. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) कामदेवक नगर अइसन शरीर । निष्कलङ्क चान्द अइसन मुह । कन्दल खञ्जरीट अइसन लोचन । यमुनाक तरङ्ग अइसन भञुह । साँकरक शलाका अइसन नाक । सोनाक सीप अइसन कान । अन्धकार-लता अइसन विरनी । पाकल विंव अइसन अधर । सहजेँ दालिव फुटल अइसन दान्त । कामदेवक पाश अइसन वाह । (10 marks)
Q5b. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) पौरुष ककरोसँ उधार नहि लेल जा सकैछ, अपने पौरुष काज दैत छैक अपना । जहिया बाबू कुँवर सिंह अंग्रेजक विरुद्ध तरूआरि उठौलनि, चर्चिल अन्तिम बेर प्रधानमंत्रित्व स्वीकार कयलनि, राजाजी नवपाढी‘केँ जन्म देलनि, कतेक वयस धलनि? विजय-पराजयक चिन्ता करब कापुरुषक जिम्मा । वीरताक वास्तविक साक्षी होइत अछि ओ भूमि जतय लड़ाइ लड़ल जाइन छैक । (10 marks)
Q5c. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) जेँ आइ सभ नवयुवकक लक्ष्य नोकरियेटा भऽ गेलैए, तेँ सभ तरि निराशाक वातावरण बनिगेल छैक । चाही ई जे नोकरियोकेँ एक साधन बूझल जाय । जेनाई संसार अनन्त अछि, तहिना साधनो असीमित छैक । मोनकेँ एके खुटासँ बन्हने रहब मनुकखक मर्यादाकेँ ओ ओकर सामर्थ्यकेँ अपमान करब थिक । (10 marks)
Q5d. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) निम्न मध्यम वर्गक व्यक्ति छी, ऐश्वर्य आविलासक स्वप्न सभदिन साहित्य आ दर्शनसँ पूर होइत रहल अछि । अलेक्जेंडर ड्यूमाक उपन्याससँ सामन्ती जीवन व्यवस्थाक आनन्द भेटल अछि, शरच्चन्द्रक उपन्याससँ राजलक्ष्मी आ सावित्री आ किरणमयी आ वन्दना आ कमल सन नारीक संगतिक आनन्द ! वास्तविक जीवनमे एहन आनन्द कत’पायब? राजलक्ष्मी सन नारीक सिनेह कत’भेटत? (10 marks)
Q5e. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) केहन फुलायल रहै बेनी पहिने, इजोरिया सन । मुँह क गोरका चक्का थलकमल सन विहुँसै । छोट-छोट आँखि उल्लासेँ चक-चक करैत । ओहिमे सदति काकु-व्यंग्य आ बाल-सुलभ चंचलता भरल । से एतबे दिनमे जेगा गहन लागि गेल होइक । शोक सन्हिया गेलै । जेना तरे-तर जरि-पजरिक’ सुड्डाह भेल जाइत हो । मुँह झामर, आँखि धसल-सुन्न । भरिदिन हेरायल – भोतिआयल सन । (10 marks)
Q6a. राजकमल मैथिली कथाक शब्द-शब्दमे नवीनता ओ प्रयोग धर्मिताक अद्भुत सामंजस्य अछि, जेहने भाव-वस्तुमे, तेहने अभिव्यक्ति शैलीमे – “कृति राजकमलक” आधार पर एहि उक्तिक समीक्षा करू । (20 marks)
Q6b. “लोरिक विजय” सामाजिक संघर्षक अभिलेख थिक” – एहि उक्तिक सार्थकता सिद्ध करू । (15 marks)
Q6c. पठित अंशक आधार पर “वर्णरत्नाकर”क नामकरणक औचित्यक मूल्यांकन करू । (15 marks)
Q7a. हरिमोहन झा व्यंग्यकेँ विधाक मान्यता प्रदान कर बैत, दार्शनिक चिन्तनक संगहि लेखकीय पाण्डित्यक परिचय देबामे पूर्ण सफल भेल छथि – “खट्टर ककाक तरंग”क आलोकमे एहि कथन पर विचार करू । (20 marks)
Q7b. नाट्य तत्वक निकष पर “भफाइत चाहक जिनगी” नाटकक मूल्यांकन करू । (15 marks)
Q7c. मैथिली कथा साहित्य मध्य ‘ललित’ – ‘राजकमल’ ओ ‘मायानन्द’ त्रीमूर्तिक रूपमे स्थापित छथि – सयुक्ति विवेचन करू । (15 marks)
Q8a. ‘ ‘ललित’ नवीन शिल्प शैलीमे, सामाजिक जीवनक ठोस धरातल पर यथार्थवादी उपन्यास “पृथ्वी पुत्र”क रचना कऽ एकटा युगान्तर उपस्थित कयलनि अछि’ – सयुक्ति विवेचन करू । (20 marks)
Q8b. ‘मैथिली कथा साहित्यमे योगानन्द झाक “आम खयबाक मुँह” कथाक विशिष्ट स्थान अछि’ – स्पष्ट करू । (15 marks)
Q8c. खट्टर कका स्वच्छन्द चिन्तन ओ बुद्धि विलासक प्रतीक थिकाह – एहि उक्तिकेँ पल्लवित करू । (15 marks)
Spotted something wrong?
If a question is in the wrong unit or a match looks wrong, please report an error.
Related: Overall Maithili Literature PYQ analysis · Year-wise question papers · Topic-wise PYQs

