Every question from the Maithili Literature Optional papers of UPSC Mains 2023, placed in its syllabus unit and checked against all questions asked from 2013 to 2022. See what was familiar, what came back and what was new.
Other years:
What stood out in 2023
- More marks than usual: मैथिली साहित्यक इतिहास (160 marks, against an average of 107).
- Fewer marks than usual: मैथिली भाषाक इतिहास (165 marks, against an average of 196); आधुनिक कालमे साहित्यिक विधाक विकास (65 marks, against an average of 90).
- 14 questions were close repeats of an earlier paper: Q1a (Paper I), first seen in 2012; Q1a (Paper II), first seen in 2019; Q1e (Paper I), first seen in 2022; Q3a (Paper I), first seen in 2012; Q4b (Paper I), first seen in 2012; Q4c (Paper II), first seen in 2020; Q5b (Paper I), first seen in 2018; Q5e (Paper I), first seen in 2019; Q6a (Paper I), first seen in 2012; Q7c (Paper II), first seen in 2020; Q8a (Paper II), first seen in 2021; Q8b (Paper I), first seen in 2021; Q8b (Paper II), first seen in 2020; Q8c (Paper II), first seen in 2021.
- Every question came from a topic UPSC had asked recently.
Which units got the marks in 2023
Marks asked from each unit in 2023 (dark bar) against its average for 2013–2022 (grey bar).
Paper I
| Unit | 2023 | Average 2013–22 |
|---|---|---|
| मैथिली भाषाक इतिहास | 165 | 196 |
| मैथिली साहित्यक इतिहास | 160 | 107 |
| आधुनिक कालमे साहित्यिक विधाक विकास | 65 | 90 |
Paper II
| Unit | 2023 | Average 2013–22 |
|---|---|---|
| खण्ड क: काव्य | 200 | 200 |
| खण्ड ख: गद्य | 200 | 200 |
A question that fits two units is split equally between them.
Paper I
Q1a. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): भारोपीय भाषा परिवारक महत्त्व (10 marks)
Q1c. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): भाषा वैज्ञानिक सुभद्र झा (10 marks)
Q1d. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): प्राक्-ज्योतिरीश्वर कालक परिचय (10 marks)
Q1e. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): सर्वनामक भेद ओ विश्लेषण (10 marks)
Q2a. अब्राहम ग्रिअर्सनक मैथिली व्याकरण ओ भाषा वैज्ञानिक कृतिसँ परिचय कराउ। (20 marks)
Q2b. आधुनिक भारतीय भाषासमूहमे मैथिलीक स्थान निरूपित करू। (15 marks)
Q2c. भाषाक काल-विभाजनक अनुसार मैथिली साहित्यक आधुनिक कालक विषय-वस्तुसँ परिचय कराउ। (15 marks)
Q3a. भाषाक आकृतिमूलक वर्गीकरण करैत ओकर उपयोगिता सिद्ध करू। (20 marks)
Q3b. उड़िया ओ असमियाक संग मैथिलीक पारस्परिक सम्बन्धक विवेचन करू। (15 marks)
Q3c. मैथिली भाषाक विकासमे प्राकृत ओ अवहट्ठक योगदानक उल्लेख करू। (15 marks)
Q4a. मैथिलीक क्रियापदसँ परिचय कराउ। (20 marks)
Q4b. भाषा ओ बोलीमे अन्तर स्पष्ट करैत बोलीकेँ भाषा बनबाक कारणक उल्लेख करू। (15 marks)
Q4c. तिरहुता लिपिक महत्त्व ओ विभिन्न रूपक वर्णन करू। (15 marks)
Q5a. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): मिथिलाक धार्मिक परम्परा (10 marks)
Q5b. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): आदिकालक उपलब्ध सामग्री (10 marks)
Q5c. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): ‘वर्णरत्नाकर’क विषय-वस्तु (10 marks)
Q5d. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): अंकीया नाट (10 marks)
Q5e. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): लोकगाथा (10 marks)
Q6a. “चर्यापद मैथिलीक सम्पत्ति थिक”–प्रमाणित करू। (20 marks)
Q6b. प्राक्-विद्यापति साहित्यसँ की तात्पर्य? विवेचन करू। (15 marks)
Q6c. विद्यापतिक परम्परामे किछु प्रमुख कविक रचनासँ परिचय कराउ। (15 marks)
Q7a. “मध्य काल मैथिली साहित्यक नाटकक युग अछि”–विवेचन करू। (20 marks)
Q7b. लोक साहित्यक प्रमुख विधा लोकगीतसँ परिचय कराउ। (15 marks)
Q7c. स्वातंत्र्योत्तर मैथिली उपन्यासक विकासक रूपरेखा प्रस्तुत करू। (15 marks)
Q8a. आधुनिक मैथिली साहित्यक विकासमे अनुवादक भूमिकाक उल्लेख करू। (20 marks)
Q8b. वर्त्तमानमे प्रकाशित मैथिलीक पत्र-पत्रिकासँ परिचय कराउ। (15 marks)
Q8c. मैथिलीमे समीक्षाक वर्त्तमान स्थितिसँ अवगत कराउ। (15 marks)
Paper II
Q1a. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) कबरी भये चामरी गिरि कन्दरे
मुख भये चान्द अकासे ।
हरिनि नयन भये स्वर भये कोकिल
गति-भये गज वनवासे ।। (10 marks)
Q1b. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) चिन्हारे अहाँ छी विरञ्चि-प्रपौत्रे,
कुकर्म्मी अहाँ छी करै छी की श्रौत्रे ।
गिरीशार्च्यना छोडि ई की करै छी,
परस्त्री अहाँ छद्म सौं की हरै छी ।। (10 marks)
Q1c. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) अगड़ाही लगौ बरू बज्र खसौ
एहेन जाति पर बरू धसना धसौ
भूकम्प हौक बरू फटौ धरती
माँ मिथिला रहिये के की करती! (10 marks)
Q1d. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) की छल से दिन जखन स्वयंवर बीच
नृप-दल प्राणपणे चेष्टल,
कए पूर्ण पूज्य पितागण, जीतब राजकुमारि,
किन्तु अशक्त हताश जखन सभ भेल,
जखन पिता भए आतुर कहल
“यथार्थ भेल बीर बिनु मही,
रहती मम पुत्रि अपरिणीत की?” (10 marks)
Q1e. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) नयन-कमल पर युगल भुजगवर काजर गरल उगारि,
मदन-धन्वन्तरि आपे जबे आओब से विष तबहु न सारि । (10 marks)
Q2a. नारी सौन्दर्यक जे चित्रण विद्यापति पदावलीमे भेटैत अछि से अन्यत्र दुर्लभ – ‘विद्यापति गीतशती’क पठित अंशक आधार पर एहि उक्तिक विश्लेषण करू । (20 marks)
Q2b. ‘मिथिला भाषा रामायण’ भक्ति काव्य ओ मिथिलाक जातीय गरिमाक समवेत रूपेण प्रतिनिधि ग्रंथ थिक – विवेचन करू । (15 marks)
Q2c. वर्णन विस्तारक हेतु सूक्ष्म दृष्टि एवं प्राञ्जल वचो – विन्यासक दृष्टिएँ ‘कीचक वध’ सफल महाकाव्य थिक – विश्लेषण करू । (15 marks)
Q3a. गोविन्ददासक काव्य नारिकेल फलक सदृश होइतहुँ श्रुति माधुर्यसँ परिपूर्ण अछि – ‘गोविन्ददास भजनावली’क पठित अंशक आधार पर एहि उक्तिक विश्लेषण करू । (20 marks)
Q3b. ‘कृष्णजन्म’क कथानकमे मैथिल संस्कृतिक छाप झलकैत अछि – सोदाहरण विवेचन करू । (15 marks)
Q3c. ‘यात्री’जी मैथिली काव्यधाराकेँ नवीनोन्मुख करबाक आयास, संवेदनात्मक एवं व्यंग्यात्मक रूपेँ ‘चित्रा’ मे कयने छथि – विवेचन करू । (15 marks)
Q4a. ‘मिथिला-भाषा रामायण’ एवं ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’ मे भिन्नताकेँ दर्शाबैत, ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’क विशेषताक उल्लेख करू । (20 marks)
Q4b. ‘समकालीन मैथिली कविता’ मे संकलित रचनाक आधार पर ‘आरसी प्रसाद सिंह’क व्यक्तित्व ओ काव्य-वैशिष्ट्यक उल्लेख करू । (15 marks)
Q4c. ‘दत्त-वती’ महाकाव्यमे दार्शनिकता ओ आध्यात्मिकताक काव्यात्मक अभिव्यक्ति भेल अछि – पठित अंशक आधार पर स्पष्ट करू । (15 marks)
Q5a. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) कुमुद कुन्द कदम्ब कास भास,
कैलास कर्प्पूर पीयूषक कानि प्रसारीसन ।
क्षीर समुद्रक दक्षिणानिले चालल तरङ्ग
सनक लहरी अइसन! (10 marks)
Q5b. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) हमरा लेखेँ तँ आब अही’ देवता छी । लिय’ भेल बहुत काल मान रखलहुँ । एहन तँ ककरो ‘वर’ नहि छैक । लेल जाओ देवता महाराज, लेल जाओ नैवेद्य उपस्थित अछि । (10 marks)
Q5c. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) असली पंडित विद्याक अन्वेषणमे रहैत छथि, नकली पंडित विदाइक अन्वेषणमे, असली पंडित ज्ञानक विस्तार करैत छथि, नकली पंडित धोधिक विस्तार । असली पंडित मूर्खताक संहार करैत अछि, नकली पंडित मधुरक संहार । (10 marks)
Q5d. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) जे स्वयं भ्रष्ट अछि, जे स्वयं लुझबा आ लुटबामे व्यस्त अछि, जे स्वयं प्रतिभा आ मेधाक छाती पर सवार भड कड ताण्डव कड रहल अछि सैह अनका भ्रष्ट, चोर निरधिन कहैए । … कहैए जे तोँ अधलाह छेँ, अधलाह काज कड रहल छेँ । चरित्रहीन चरित्रवानकेँ अयोग्यताक चुनौती देने अछि आ हमरा सन लोक एही चुनौतीक तरमे दबाकड किकिया रहल अछि । (10 marks)
Q5e. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) तोँ हमर सींथ छुबितह तेहन भाग हमर नै छह । तोँ देवता छह हमर । मगर ई गहना पहिरबाक हमर भाग नै अछि अइ जन्ममे । ओ गहना पहिरब त’ हम मरि जायब । (10 marks)
Q6a. ‘खट्टरककाक तरंग’ चमकैत दू धारी तरूआरि अछि । एक मारक धार आ दोसर सम्हारक धार । एहि तरूआरिक प्रथम धार सँ समाजमे प्रचलित रूढ़िवादी व्यवहार तथा क्रिया-कलापक दिग्दर्शन कराओल गेल अछि आ दोसर धार ओहिमे निहित अधलाह पक्षकमार्जन करैछ – एहि उक्ति पर विचार करू । (20 marks)
Q6b. भाषाकोषक रूपमे काव्योपयोगी ग्रन्थ होइतहुँ ‘वर्णरत्नाकर’मे स्थान-स्थान पर कविशेखराचार्यक कवि-हृदय अभिव्यक्त भइए गेल अछि – पठित अंशक आधार पर एकरा पल्लवित करू । (15 marks)
Q6c. ‘झगड़ा’ दम्पती मध्य एकटा एहन झगड़ाक कथा अछि जे अपन मर्मस्पर्शितामे बेजोड़ अछि – स्पष्ट करू । (15 marks)
Q7a. ‘पृथ्वीपुत्र’क कथानकमे गति अछि, कथहिसँ चरित्रक चारूता चित्रित अछि, कथामे औत्सुक्य अछि जे क्रमशः बढ़ल अछि ओ कतहु क्षीण नहि होअ । पओलक अछि – सयुक्ति विवेचन करू । (20 marks)
Q7b. उपन्यास तत्त्वक निकष पर ‘लोरिक विजय’ उपन्यासक मूल्यांकन करू । (15 marks)
Q7c. ‘राजकमल’क मैथिली कथाक शब्द-शब्दमे नवीनता ओ प्रयोगधर्मिताक अद्भुत सामंजस्य अछि, जेहने भाव-वस्तुमे, तेहने अभिव्यक्ति शैलीमे – ‘कृतिराजकमलक’ आधार पर एहि उक्तिक समीक्षा करू । (15 marks)
Q8a. ‘भफाइत चाहक जिनगी’ मे नाटककार शिक्षित-बेरोजगार युवकक माध्यमे समाजमे व्याप्त जीवनक समस्या एवं संघर्षक संग परिस्थितिक अनुसार अपनोकेँ अनुकूल बना सकए, तकर बुद्धिवादी सामंजस्य प्रस्तुत कएलनि अछि – एहि कथनक समीक्षा करू । (20 marks)
Q8b. ‘लोरिक विजय’ सामाजिक संघर्षक अभिलेख थिक । – एहि उक्तिक सार्थकता सिद्ध करू । (15 marks)
Q8c. मिथिलाक मध्यवर्गीय अभिजात्य वर्गक छद्म विद्रूपक चित्रण ‘राजकमलक’ कथाक मूल तत्त्व कहले जाइत अछि – समीक्षा करू । (15 marks)
Spotted something wrong?
If a question is in the wrong unit or a match looks wrong, please report an error.
Related: Overall Maithili Literature PYQ analysis · Year-wise question papers · Topic-wise PYQs

