Every question from the Maithili Literature Optional papers of UPSC Mains 2022, placed in its syllabus unit and checked against all questions asked from 2013 to 2021. See what was familiar, what came back and what was new.
Other years:
What stood out in 2022
- More marks than usual: आधुनिक कालमे साहित्यिक विधाक विकास (105 marks, against an average of 88).
- Fewer marks than usual: मैथिली साहित्यक इतिहास (95 marks, against an average of 108).
- 11 questions were close repeats of an earlier paper: Q1c (Paper I), first seen in 2015; Q1d (Paper I), first seen in 2021; Q1e (Paper I), first seen in 2013; Q2c (Paper I), first seen in 2013; Q3c (Paper I), first seen in 2015; Q4a (Paper I), first seen in 2011; Q4c (Paper I), first seen in 2013; Q5a (Paper I), first seen in 2009; Q5c (Paper I), first seen in 2014; Q5c (Paper II), first seen in 2012; Q5e (Paper I), first seen in 2012.
- Every question came from a topic UPSC had asked recently.
Which units got the marks in 2022
Marks asked from each unit in 2022 (dark bar) against its average for 2013–2021 (grey bar).
Paper I
| Unit | 2022 | Average 2013–21 |
|---|---|---|
| मैथिली भाषाक इतिहास | 200 | 196 |
| मैथिली साहित्यक इतिहास | 95 | 108 |
| आधुनिक कालमे साहित्यिक विधाक विकास | 105 | 88 |
Paper II
| Unit | 2022 | Average 2013–21 |
|---|---|---|
| खण्ड क: काव्य | 200 | 200 |
| खण्ड ख: गद्य | 200 | 200 |
A question that fits two units is split equally between them.
Paper I
Q1a. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिली ओ बंगलाक पारस्परिक सम्बन्ध (10 marks)
Q1b. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): प्राकृंत भाषा ओ अर्द्धमागधी (10 marks)
Q1c. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): प्राचीन मैथिलीक विशेषता (10 marks)
Q1d. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिली क्रियाक भेद आ विशेषता (10 marks)
Q1e. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिली भाषाशास्त्र (10 marks)
Q2a. तिरहुताक महत्त्व ओ ओकर वर्त्तमान स्थितिपर विस्तारसँ विचार करू। (20 marks)
Q2b. मैथिली सर्वनामक विश्लेषण करू। (15 marks)
Q2c. भारोपीय भाषा-परिवारक विश्लेषण करैत एहिमे मैथिलीक स्थान निरूपित करू। (15 marks)
Q3a. मैथिली भाषाक आदि आ मध्यकालक प्रसंग सविस्तार मन्तव्य दिअ। (20 marks)
Q3b. संस्कृत भाषासँ मैथिली प्रभावित अछि–प्रमाणित करू। (15 marks)
Q3c. मैथिली एक स्वतंत्र ओ समृद्ध भाषा थीक, ‘भाषा’क कसौटीपर एकरा सिद्ध करू। (15 marks)
Q4a. मैथिली भाषाक विकासमे अवहट्ठक योगदानक सम्यक् मूल्यांकन करू। (20 marks)
Q4b. मैथिली आ असमिआ भाषाक सम्बन्धपर तथ्यात्मक विवरण दिअ। (15 marks)
Q4c. भाषाक परिभाषा दैत बोलीसँ ओकर पार्थक्य देखाउ। (15 marks)
Q5a. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिली साहित्यमे कृष्णकाव्य (10 marks)
Q5b. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिलीमे प्रबन्धकाव्यक विकास (10 marks)
Q5c. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिली निबन्धक विषयगत वैविध्य (10 marks)
Q5d. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिली नाटकक विकास (10 marks)
Q5e. निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिलीक संस्मरण साहित्य (10 marks)
Q6a. सिद्ध साहित्यक ऐतिहासिक पृष्ठभूमिपर सविस्तार विचार करू। (20 marks)
Q6b. मैथिली साहित्यक काल-विभाजनपर विचार करैत अपन अभिमतसँ अवगत कराउ। (15 marks)
Q6c. मैथिलीमे पत्रिका एवं शोधपत्रिकाक स्थितिक समीक्षा करू। (15 marks)
Q7a. विद्यापतिक व्यापक प्रभाव मिथिले धरि सीमित नहि रहल; एहि उक्तिकेँ पल्लवित करू। (20 marks)
Q7b. मध्यकालीन मैथिली नाटकक उद्भव ओ विकासक संक्षिप्त रूपरेखा प्रस्तुत करू। (15 marks)
Q7c. मैथिली लोक-साहित्यक समृद्धि प्रतिपादित करू। (15 marks)
Q8a. मैथिली उपन्यासक विकासपर विस्तारसँ प्रकाश दिअ। (20 marks)
Q8b. सुधांशु ‘शेखर’ चौधरीक नाट्यशिल्पक विशेषता देखाउ। (15 marks)
Q8c. मैथिलीमे मुक्तक काव्यक विकासक समीक्षा करू। (15 marks)
Paper II
Q1a. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) आधक आध आध दिठि-अंचल जब हरि पेखल कान ।
कत सत कोटि कुसुम सरे जरजर रहत कि जाएत परान ।।
सजनी, जानल बिहि मोर बाम ।
दुहु लोचन भरि जे हरि हेरए तसु पद मोर परनाम ।।
‘सुनयनि’ कहैत कान्ह घन सामर मोहि बिजुरि सम लागि ।
‘रसवती’ ककर परस-रस भासल हमर हृदय जनि आगि ।। (10 marks)
Q1b. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) ‘विधि, हम कएल कोन एहन अतिघोर
पातक, जहि जन्य तुअ ई व्यापार,
पुनि-पुनि दुःखावर्त बीच मोहि फेकि
दुर्गति करिअ एहिविधि? की मम जन्म
द्रुपद-राजकुल मध्य भेल एहि हेतु?’ (10 marks)
Q1c. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) जेना पानिसँ धान बढ़य ओ स्वच्छ पक्षसँ चान ।
मान-दानसँ प्रीति-रीति, तहिना सुखसँ सन्तान ।।
दिनकर होइतहिँ उदित छने-छन ऊपर उठले जाथि ।
नव समुदित सुकुमार कुमारो नित-प्रति बढ़ले जाथि ।।
तोतर बोल अमोल, सभक मन सहजहिं जाय विकाय ।
माय-बाप जौहरी हँसी हीरककेँ सहत जोगाय ।। (10 marks)
Q1d. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) सभ पुरूष शिखण्डी
सभ स्त्री रासक राधा
सभक मोनमे धनुष तानि कऽ बैसल
रक्त पियासल व्याधा
कतऽ जाउ? की करू?
रावण बनि ककरा सीता केँ हरण करू?
सभ पुरूष शिखण्डी (10 marks)
Q1e. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) से दिन कोना होयत मनोरथ पूर ।
रघुनन्दन-बल प्रलय पवन सम, अधम निशाचर तूर ।।
देवर-तीर जेहन प्रलयानल, रावण-गण वन झूर ।
के हम थिकहुँ ककर हम कामिनि, परिचय पओता क्रूर ।।
सकल तमीचर तामस तम सम, श्री रघुनन्दन सूर ।
हमर यहन गति दैव देखै धथि, नहि उपाय किधु फुर ।। (10 marks)
Q2a. कवि यात्रीकेँ स्वप्नमे काव्य-सरस्वती की कहलथिन? ‘मैथिली काव्यधारामे ताहिसँ काव्यक स्वर आ स्वरूपमे की परिवर्त्तन भेल’ – विवेचन करू । (20 marks)
Q2b. पठित रचनाक आधार पर जीवकान्तक व्यक्तित्त्व ओ काव्य – वैशिष्ट्यक उल्लेख करू । (15 marks)
Q2c. ‘मिथिला भाषा रामायण’क सुन्दरकाण्डक आधार पर तत्कालीन परराष्ट्र नीतिपर प्रकाश दिअ । (15 marks)
Q3a. ‘दत्तवती’ नामक सार्थकता बुझबैत मृगांकदत्तक वाल्यावस्थाक किछु खास प्रसंगक उल्लेख करू । (20 marks)
Q3b. ‘रमेश्वरचरित मिथिला रामायण’क नामकरणक प्रसंग अन्तर्निहित भायकेँ स्पष्ट करू । (15 marks)
Q3c. ‘कीचक-वध’ महाकाव्यक आधार पर कीचकक कक्षमे प्रवेश करैत द्रौपदीक मनोभावकेँ स्पष्ट करू । (15 marks)
Q4a. कृष्णजन्मक साहित्यिक महत्त्व प्रतिपादित करैत कृष्णक किछु अलौकिक बाललीलाक उल्लेख करू । (20 marks)
Q4b. ‘रसना रोचन श्रवण विलास’ – गोविन्द दासक प्रसंग कहल गेल एहि उक्तिमे निहित भावकेँ बुझाउ । (15 marks)
Q4c. विद्यापति अपन गीतमे जनसाहित्यक निर्माण कएल एवं मानव-हृदयक-मूलभूत भाववृत्ति-शृंगार ओ भक्तिकेँ रागात्मक अभिव्यक्ति देल’ – ‘गीत-शती’क पठित अंशक आधार पर एहि उक्तिक विश्लेषण करू । (15 marks)
Q5a. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) असलमे पूछह त भूतक मंत्र एहि देशक लोक जनिते नहि अछि । भूतक मंत्र जनैत अछि पाश्चात्य देश । छिति, जल पावक, गगन, समीरा – एहि पाँचो भूतकेँ ओ तेना कऽ अपना वशमे कैने अछि जे सभ काडा ओकरा सँ लय रहल अछि । और हमरा लोकनि नकली भूतक फेरमे पड़ि उनटा सरिसब जोहने भेल फिरै छी । (10 marks)
Q5b. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) एक दिस स्वर्ण सागरमे डूब देबए लेल चलि जाइत भुयन-भास्कर आ दोसर दिस क्षितिज कोरसँ ऊपर उठैत पूर्णमासीक चान । सोझामे कोनो गौरसँ प्रयासरत ढेकरैत वृषभ । लगहिमे ऐंचैत-ऐंठैत बहैत देबहा-धार, राजकुमारक उदासी, झपसी लाधल अमावश्याक साँझ जकाँ अथाह होइत गेलइ । (10 marks)
Q5c. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) घरक हाइ-कमाण्ड एखन धरि इएह रहय । अइ टोकमे कोनो तेहन शक्ति रहैक जकरा नेनहिसँ मानबाक संस्कार जमि गेल रहैक । कोनो अनट-विनट काज करैत काल, कोनो अनुचित करैत काल, इएह टोक नेनासँ सुनने रहय । आ तकर बाद फेर आगाँ किछु कहबाकआ कि सुनबाक साहस कहियो ने होइक । आइयो ने भेलैक । नवीन पौरूषक दर्प उतरि गेलैक । हठात् घोर लज्जा एँ घेरि लेलकै । माइक सोझाँ अपन पौरूषक प्रदर्शनसँ बड़ संकोच भेलैक । (10 marks)
Q5d. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) छौंडा अलबत्त लमोड़ि बहरयलैक । लाज-धाख तँ सफ्फे घोरिकऽ पीबि गेल रहैक । क्यो कहियो एक टा नीक बोल नहि कहलकैक, अगत्तिये तेहन रहै । कोनो दिन एहन नहि बीतै, जे हमहूँ ओकरा दस हजार गंजन नहि करिऐ । मुदा तैयो हेहरा सुटिया कऽ पहुँचि जाय । गाम पर बूढ़ अपंग बाप, आङ्न मे समरथि सतमाय अहुछिया कटैक । (10 marks)
Q5e. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) अन्नपूर्णा उत्तरमे कहलथिन – “दरिद्रा रहय, कोनो हानि नहि । अशोकक दबाइ-दारू नहि होई, कोनो हानि नहि । मुदा, अशोक एक दिन पैघ होयत । तखन जँ ओकरा संगी सभ कहतैक जे तोँ बच्चा छलाह, तोहर माय तोरा सूतल छोड़ि लोकसभसँ भेँट-घाँट करय जाइत छलथुन – तँ ओकरा कतेक दुख हेतैक? अशोक भुखले रहय, पढ़ि-लिखि नहि सकय, मरि जाय – मुदा ओकरा ई दुःख कहियो नहि होबय देबैक । (10 marks)
Q6a. ‘घरदेखिया’ कथाक शिल्प, भाषा आ कथ्य पर विचार करू । (20 marks)
Q6b. अहाँक दृष्टिएँ कोन-कोन वैशिष्ट्यक कारणेँ राजकमलक कथा महत्त्वपूर्ण मानल जाइछ? (15 marks)
Q6c. ‘पृथ्वीपुत्र’ मे कोन समस्या उठाओल गेल अछि आ तकर समाधान की सुझाओल गेल अछि? (15 marks)
Q7a. लोरिकक व्यक्तित्वक किछु पक्ष सभकेँ उजागर करैत हुनक पराक्रमक अलौकिक दृष्टान्त प्रस्तुत करू । (20 marks)
Q7b. ‘भफाइत चाहक जिनगी’ केँ नवीन नाट्यशिल्पक पहिल कृति मानल गेल अछि ।’ – एहि पर अपन मत दैत तकर पुष्टिमे तर्क उपस्थित करू । (15 marks)
Q7c. ‘कथा संग्रह’क आधार पर स्वातंत्र्योत्तर मैथिली कथाक दशा ओ दिशाकेँ रेखांकित करू । (15 marks)
Q8a. ‘लोरिक विजय’क सती माँजरिक चारित्रिक सौन्दर्य, शील आ सतीत्वक गरिमा सीताक परम्पराक पूर्ण प्रतिनिधित्व करैत अछि’ – एहि उक्ति पर विचार करू । (20 marks)
Q8b. अपन साहित्य आ समाज पर ‘खट्टर ककाक तरंग’ क प्रभाव कोन रूपक पड़लैक – संक्षेपमे लिखू । (15 marks)
Q8c. ‘ ‘वर्णरत्नाकर’ मे शारीरिक शोभा-हाव-भावसँ भरल नागर-नायक, रूपवती-नायिका एवं सुन्दर सखीक रमणीक शृंगारात्मक वर्णन भेल अछि’ – पठित अंशक आधार पर एकरा पल्लवित करू । (15 marks)
Spotted something wrong?
If a question is in the wrong unit or a match looks wrong, please report an error.
Related: Overall Maithili Literature PYQ analysis · Year-wise question papers · Topic-wise PYQs

