Here are all 131 questions on मैथिली साहित्यक इतिहास asked in UPSC Maithili Literature Optional Paper I (2009–2026), arranged under the 6 topics of this unit. Within each topic the latest questions come first.
Each question ends with a code such as [2024/15m/3b] – the year, the marks, the word limit (where UPSC set one) and the question number in the paper.

2.1] मैथिली साहित्यक पृष्ठभूमि
10 questions
निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): मैथिली साहित्यक धार्मिक पृष्ठभूमि [2025/10m/5e]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): मैथिली साहित्यक सांस्कृतिक पृष्ठभूमि [2024/10m/5a]
निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): मिथिलाक धार्मिक परम्परा [2023/10m/5a]
मैथिली साहित्यक विकासक पृष्ठभूमिमे ‘मिथिलाक धार्मिक आ सांस्कृतिक व्यवस्था’ प्रमुख रहल अछि–प्रमाणित करू। [2021/15m/7b]
मैथिली साहित्यक विकासमे ‘मिथिलाक सामाजिक आ आर्थिक व्यवस्था’ प्रमुख रहल अछि–प्रमाणित करू। [2020/15m/6b]
मैथिली साहित्यक पृष्ठभूमिमे मिथिलाक सामाजिक ओ सांस्कृतिक जीवनसँ परिचय कराउ। [2019/20m/6a]
आधुनिक मैथिली साहित्यक पृष्ठाधार पर प्रकाश दिअ। [2016/20m/7a]
मिथिला समाजमे व्याप्त वैवाहिक समस्याकेँ दूर करबाक हेतु कोन-कोन रचनाकार द्वारा प्रयास कएल गेल? [2015/15m/8c]
टिप्पणी लिखू (शब्द-सीमा 200 सँ अधिक अपेक्षित नहि): मैथिली साहित्यक सामाजिक पृष्ठभूमि [2011/20m/5a]
विद्यापतिकालीन सामाजिक परिस्थिति पर प्रकाश दिअ। [2011/20m/7a]
2.2] मैथिली साहित्यक काल-विभाजन
10 questions
मैथिली साहित्यक काल-विभाजनक प्रसंग इतिहासकार-विद्वानलोकनिक मतक समीक्षा करू । [2025/15m/6b]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): काल-विभाजनक प्रसंग रमानाथ झाक मंतव्य [2024/10m/5b]
भाषाक काल-विभाजनक अनुसार मैथिली साहित्यक आधुनिक कालक विषय-वस्तुसँ परिचय कराउ। [2023/15m/2c]
मैथिली साहित्यक काल-विभाजनपर विचार करैत अपन अभिमतसँ अवगत कराउ। [2022/15m/6b]
मैथिली साहित्यक काल-विभाजनसँ परिचय कराउ। [2021/20m/7a]
मैथिली साहित्यक काल-विभाजनक प्रसंग विभिन्न विद्वानक मतक समीक्षा करू। [2019/20m/7a]
मैथिली साहित्यक काल-विभाजनक प्रसंग विद्वानलोकनिक प्रमुख मतक समीक्षा करू। [2017/20m/6a]
मैथिली साहित्यक काल-विभाजनक प्रसंग विभिन्न विद्वानक मतक समीक्षा करू । [2015/20m/7a]
मैथिली साहित्यक काल-विभाजनक प्रसंग विद्वान लोकनिक मतक समीक्षा करू। (शब्द सीमा 250) [2013/20m/6a]
मैथिली साहित्यक काल-विभाजनक प्रसंग विभिन्न विद्वानक मतक समीक्षा करू। [2010/60m/8]
2.3] प्राक्-विद्यापति साहित्य
33 questions
सभ प्रश्नक उत्तर दिअ: निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): डाक वचनावलीक प्राचीनता आ भाषिक स्वरूप [2026/10m/1d]
सभ प्रश्नक उत्तर दिअ: मैथिली भाषाक काल विभाजन करैत आदिकालीन साहित्यिक सामग्रीक महत्वकेँ रेखांकित करू । [2026/15m/3c]
सभ प्रश्नक उत्तर दिअ: निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): प्रारंभिक मैथिली साहित्य [2026/10m/5a]
सभ प्रश्नक उत्तर दिअ: प्राक् विद्यापतिकालीन साहित्यक वैशिष्ट्यसँ अवगत कराउ । [2026/15m/6b]
निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): चर्यापद [2025/10m/5a]
सिद्धसाहित्यक ऐतिहासिक पृष्ठभूमिपर सविस्तार विचार करू । [2025/20m/6a]
निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): प्राक्-ज्योतिरीश्वर कालक परिचय [2023/10m/1d]
निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): आदिकालक उपलब्ध सामग्री [2023/10m/5b]
निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): ‘वर्णरत्नाकर’क विषय-वस्तु [2023/10m/5c]
“चर्यापद मैथिलीक सम्पत्ति थिक”–प्रमाणित करू। [2023/20m/6a]
प्राक्-विद्यापति साहित्यसँ की तात्पर्य? विवेचन करू। [2023/15m/6b]
सिद्ध साहित्यक ऐतिहासिक पृष्ठभूमिपर सविस्तार विचार करू। [2022/20m/6a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): मैथिलीमे सिद्धसाहित्य एवं डाकघाघ वचनावली [2021/10m/5a]
‘वर्णरत्नाकर’क विषय-वस्तु एवं महत्त्वसँ परिचय कराउ। [2021/20m/6a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): चर्यापद [2020/10m/5a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिलीमे सिद्धसाहित्यक महत्त्व [2019/10m/5a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): ज्योतिरीश्वरक काल निर्धारण [2019/10m/5b]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): वर्णरत्नाकर [2018/10m/5a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): डाक-वचनावली [2018/10m/5e]
मैथिली साहित्यक आदिकालक उपलब्ध सामग्रीसँ परिचय कराउ। [2018/20m/6a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): प्राक् मैथिली साहित्य [2017/10m/5a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): चर्यापद मैथिलीक सम्पत्ति [2016/10m/5a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): ‘वर्णरत्नाकर’क महत्त्व [2016/10m/5b]
सिद्ध साहित्यक परिचय दैत एकर भाषागत वैशिष्ट्यक विश्लेषण करू। [2016/20m/6a]
मध्यकालीन मिथिलाक सामाजिक, सांस्कृतिक आदि परिस्थितिक परिचय ज्योतिरीश्वरक जाहि ग्रंथसँ प्राप्त होइत अछि, तकर युक्तियुक्त विवेचन करू । [2015/15m/2b]
‘वर्णरत्नाकर’क साहित्यिक महत्त्व पर प्रकाश दिअ । [2015/20m/6a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिलीक लोकोक्ति-फकरा ओ सिद्धाचार्य [2014/10m/5e]
सिद्ध साहित्यक परीचय दिउ एवं एकर भाषाक वैशिष्ट्य देखाउ । [2014/20m/6a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू: चर्यापद मैथिलीक सम्पत्ति [2012/12m/5a]
ज्योतिरीश्वर ओ हुनक ‘वर्णरत्नाकर’क विषयवस्तुसँ परिचय कराउ। [2012/30m/6a]
मैथिली साहित्यक आदिकालीन सामग्री पर प्रकाश दिअ। [2011/20m/8a]
निम्नलिखित कोनो तीन पर टिप्पणी लिखू: ज्योतिरीश्वरक वर्णरत्नाकर [2010/20m/5d]
आदिकालीन मैथिली साहित्यक अध्ययनक सामग्री पर प्रकाश दिअ। [2009/60m/8]
2.4] विद्यापति आ हुनक परम्परा
30 questions
सभ प्रश्नक उत्तर दिअ: निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): मनबोधक ‘कृष्णजन्म’ [2026/10m/5d]
सभ प्रश्नक उत्तर दिअ: विद्यापति पदावलीमे स्त्री-चेतना विषयक पदक उल्लेख करैत ताहि पर विचार करू । [2026/15m/6c]
सभ प्रश्नक उत्तर दिअ: विद्यापतिक रचनाक असमी भाषा ओ साहित्यपर पड़ल प्रभावक समीक्षा करू । [2026/20m/7a]
विद्यापतिक व्यापक लोकप्रियताक कारणपर विस्तारपूर्वक विचार करू । [2025/20m/7a]
‘मध्यकालीन अवहट्ठ साहित्य तत्कालीन समाजक ऐतिहासिक दस्तावेज अछि’ – प्रमाणित करू । [2024/20m/4a]
विद्यापतिक कृष्ण लौकिक चरित-नायक छथि; विवेचित करू । [2024/15m/7b]
उमापति विद्यापति काव्य-परम्पराक महत्त्वपूर्ण रचनाकार छथि; सयुक्ति विवेचन करू । [2024/15m/8c]
विद्यापतिक परम्परामे किछु प्रमुख कविक रचनासँ परिचय कराउ। [2023/15m/6c]
निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिली साहित्यमे कृष्णकाव्य [2022/10m/5a]
विद्यापतिक व्यापक प्रभाव मिथिले धरि सीमित नहि रहल; एहि उक्तिकेँ पल्लवित करू। [2022/20m/7a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): ‘कीर्तिलता’क ऐतिहासिक महत्त्व [2021/10m/5d]
विद्यापतिक लोकप्रियताक प्रमुख कारणसँ परिचय कराउ। [2021/15m/6b]
विद्यापतिक गीतक रोचकता आ स्वाभाविकता समाजकेँ आकर्षित कएलक–प्रमाणित करू। [2020/20m/7a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): महाकवि विद्यापतिक लोकप्रियताक कारण [2019/10m/5e]
“विद्यापतिक प्रभाव मिथिलेधरि सीमित नहि रहल”–एहि उक्तिकेँ पल्लवित करू। [2018/20m/7a]
महाकाव्यक निकष पर मनबोधक ‘कृष्णजन्म’क मूल्यांकन करू। [2018/20m/8a]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): लोचन [2017/10m/5b]
विद्यापतिक व्यापक प्रभावक मुख्य कारण अछि हुनक बहुमुखी प्रतिभा–युक्तियुक्त प्रतिपादन करू। [2017/20m/7a]
विद्यापतिक लोकप्रियता गर प्रकाश दिअ। [2016/15m/6b]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): विद्यापतिक लोकप्रियता पर प्रकाश दिअ । [2015/10m/5d]
गोविन्ददासक रचना ‘नारिकेरफलसम्मित’ अछि, एहि उक्तिकेँ चरितार्थ करू । [2015/15m/6b]
‘देसिल वयना’क कवि विद्यापति मात्र मिथिले धरि सीमित नहि रहथि – सयुक्ति प्रतिपादित करू । [2014/15m/6b]
कृष्ण जन्मक महाकाव्यत्व ओ भाषाक प्रसंग सयुक्ति विचार करू । [2014/20m/8a]
विद्यापतिकेँ अहाँ शृंगारी-कवि बुझैत छियनि वा भक्त-कवि? सयुक्ति प्रतिपादन करू। (शब्द सीमा 250) [2013/15m/6b]
विद्यापतिक अनुशरण परम्परा पर प्रकाश दिअ। (शब्द सीमा 250) [2013/15m/6c]
“विद्यापतिक युग मैथिली साहित्यक स्वर्णयुग छल”–एहि कथन के सिद्ध करू। [2012/30m/6b]
मैथिली शैव साहित्यक विवेचन करू। [2011/20m/6c]
विद्यापतिक परम्परा सँ की तात्पर्य? विवेचन करू। [2010/60m/6]
निम्नलिखित कोनो तीन पर टिप्पणी लिखू: मैथिली साहित्यमे कृष्णकाव्य [2009/20m/5a]
विद्यापतिक बहुमुखी प्रतिभाक विवेचन करू। [2009/60m/6]
2.5] मध्यकालीन मैथिली नाटक
28 questions
सभ प्रश्नक उत्तर दिअ: निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): कीर्तनियाँ नाटक [2026/10m/5e]
सभ प्रश्नक उत्तर दिअ: ‘कीर्तनियाँ नाटक’ आ अंकिया नाटकमे अन्तरकेँ रेखांकित करू । [2026/15m/7b]
सभ प्रश्नक उत्तर दिअ: उमापतिक ‘पारिजात-हरण’ नाटकमे नाट्य तत्त्वक अपेक्षाकृत गीत तत्त्वक प्रमुखता छैक – प्रतिपादित करू । [2026/20m/8a]
नेपालमे लिखल गेल मैथिली नाटकक विकासक रूपरेखा प्रस्तुत करू । [2025/15m/7b]
मध्यकालीन नेपालीय मैथिली नाटकक विषय-वस्तु एवं वैशिष्ट्य पर प्रकाश दिअ । [2024/20m/7a]
निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): अंकीया नाट [2023/10m/5d]
“मध्य काल मैथिली साहित्यक नाटकक युग अछि”–विवेचन करू। [2023/20m/7a]
मध्यकालीन मैथिली नाटकक उद्भव ओ विकासक संक्षिप्त रूपरेखा प्रस्तुत करू। [2022/15m/7b]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): शंकरदेव ओ हुनक ‘अंकियानाट’ [2021/10m/5e]
मैथिली नाटकक विकासमे ‘कीर्तनिञा’ नाटकक योगदान पर विचार करू। [2021/15m/6c]
‘मैथिली नाटकक विकास’मे ‘नेपाल’क योगदानक चर्चा करू। [2020/20m/6a]
मध्यकालीन मैथिली नाट्य साहित्यक समीक्षात्मक विवरण उपस्थापित करू। [2020/15m/8c]
मिथिलाक मध्यकालीन नाटकक वैशिष्ट्य पर प्रकाश दिअ। [2019/15m/7b]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): शंकरदेव [2018/10m/5b]
आसामक ‘अंकीयानाट’ पर प्रकाश दिअ। [2018/15m/6b]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): रामविजय [2017/10m/5c]
मध्यकालीन मैथिली नाटकक विकासमे ‘कीर्त्तनिञा’ नाटकक महत्त्व प्रतिपादित करू। [2017/15m/6b]
गीतिनाट्यक उद्भव ओ विकास पर प्रकाश दिअ। [2016/15m/6c]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): असमक अंकीयानाटक विवेचन करू । [2015/10m/5c]
मैथिली नाट्य परम्परामे नेपालक योगदान अछि । ज्ञापित करू । [2015/15m/7b]
मिथिलाक मध्यकालीन नाटक त्रैमाषिक अछि, एहि पर प्रकाश दिआ । [2014/15m/7b]
निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (150 शब्दसँ अधिक नहि):– शंकरदेव [2013/10m/5a]
निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (150 शब्दसँ अधिक नहि):– पारिजात-हरण नाटक [2013/10m/5b]
नेपालमे रचित मैथिली नाटकक वैशिष्ट्यसँ परिचय कराउ। (शब्द सीमा 250) [2013/15m/7c]
मध्यकालीन मैथिली नाटकक विकासमे ‘कीर्त्तनिञा नाट’क महत्त्व प्रतिपादित करू। [2012/20m/8a]
आसामक ‘अंकीया नाट’क महत्त्वक प्रतिपादन करू। [2011/20m/7c]
निम्नलिखित कोनो तीन पर टिप्पणी लिखू: कीर्त्तनियाक विशेषता [2010/20m/5a]
निम्नलिखित कोनो तीन पर टिप्पणी लिखू: नेपालक मैथिली नाटक [2009/20m/5b]
2.6] मैथिली लोकसाहित्य
21 questions
सभ प्रश्नक उत्तर दिअ: निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): लोक नाट्य ‘झिझिया’ [2026/10m/5b]
मैथिली लोकसाहित्यक समृद्धि प्रतिपादित करू । [2025/15m/7c]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): लोक-नाट्य जट्-जटिनक वैशिष्ट्य [2024/10m/5c]
मैथिली लोकगीतमे पर्यावरणीय पक्षकेँ विश्लेषित करू । [2024/15m/6b]
निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दमे): लोकगाथा [2023/10m/5e]
लोक साहित्यक प्रमुख विधा लोकगीतसँ परिचय कराउ। [2023/15m/7b]
मैथिली लोक-साहित्यक समृद्धि प्रतिपादित करू। [2022/15m/7c]
मैथिली लोकसाहित्यक उद्भव एवं विकास पर निबंध लिखू। [2021/15m/8b]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): सामा चकेवा [2020/10m/5b]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द तक): मैथिलीक लोक-साहित्य [2020/10m/5d]
मैथिली साहित्यक उद्गम ओ विकास, लोक-साहित्यक रूपमे भेल अछि–प्रमाणित करू। [2020/15m/6c]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिली लोकगीत ओ लोकगाथा [2019/10m/5c]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): जट-जटिन [2018/10m/5d]
मैथिली लोकसाहित्यमे ब्रजकिशोर वर्मा ‘मणिपद्म’क योगदान पर विचार प्रस्तुत करू। [2018/15m/6c]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): लोकनाट्य [2017/10m/5d]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): लोकगीत [2016/10m/5c]
मैथिली लोकगाथा पर प्रकाश दिअ । [2015/15m/8b]
निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्द धरि): मैथिलीक लोकोक्ति-फकरा ओ सिद्धाचार्य [2014/10m/5e]
निम्नलिखित विषयपर टिप्पणी लिखू (150 शब्दसँ अधिक नहि):– मैथिलीमे लोककथाक विकास [2013/10m/5d]
निम्नलिखित कोनो तीन पर टिप्पणी लिखू: मैथिली लोकगीत [2010/20m/5c]
निम्नलिखित कोनो तीन पर टिप्पणी लिखू: मैथिलीक लोक-साहित्य [2009/20m/5c]
« Previous: मैथिली भाषाक इतिहास · Next: आधुनिक कालमे साहित्यिक विधाक विकास »
Back to: Maithili Literature Optional PYQs – Topic-wise
Last updated: 2 November 2026

