Every question from the Maithili Literature Optional papers of UPSC Mains 2024, placed in its syllabus unit and checked against all questions asked from 2013 to 2023. See what was familiar, what came back and what was new.
Other years:
What stood out in 2024
- More marks than usual: आधुनिक कालमे साहित्यिक विधाक विकास (105 marks, against an average of 88).
- Fewer marks than usual: मैथिली भाषाक इतिहास (180 marks, against an average of 193).
- 6 questions were close repeats of an earlier paper: Q1d (Paper I), first seen in 2010; Q4c (Paper II), first seen in 2009; Q6b (Paper II), first seen in 2015; Q6c (Paper II), first seen in 2012; Q7c (Paper II), first seen in 2014; Q8b (Paper II), first seen in 2013.
- Every question came from a topic UPSC had asked recently.
Which units got the marks in 2024
Marks asked from each unit in 2024 (dark bar) against its average for 2013–2023 (grey bar).
Paper I
| Unit | 2024 | Average 2013–23 |
|---|---|---|
| मैथिली भाषाक इतिहास | 180 | 193 |
| मैथिली साहित्यक इतिहास | 115 | 112 |
| आधुनिक कालमे साहित्यिक विधाक विकास | 105 | 88 |
Paper II
| Unit | 2024 | Average 2013–23 |
|---|---|---|
| खण्ड क: काव्य | 200 | 200 |
| खण्ड ख: गद्य | 200 | 200 |
A question that fits two units is split equally between them.
Paper I
Q1a. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): तिरहुता लिपिक प्रासंगिकता (10 marks)
Q1b. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): मैथिली ओ उड़ियामे साम्य-वैषम्य (10 marks)
Q1c. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): मैथिलीक उद्गम युग (10 marks)
Q1d. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): मैथिली भाषाक क्षेत्रानुसार विभाजन (10 marks)
Q1e. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): सर्वनामक परिभाषा एवं भाषा मे ओकर महत्त्व (10 marks)
Q2a. भारोपीय भाषा परिवारक वर्गीकरण पर सविस्तर विचार करू । (20 marks)
Q2b. मध्यकालीन भारतीय आर्यभाषा सँ परिचय कराउ । (15 marks)
Q2c. मैथिलीक मानकीकरणक समस्या आ समाधान पर प्रकाश दिअ । (15 marks)
Q3a. पूर्वाञ्चलीय भाषा मध्य मैथिलीक अन्तर्संबंधक विवेचना करू । (20 marks)
Q3b. पं. गोविन्द झाक भाषा वैज्ञानिक रचना सँ परिचय कराउ । (15 marks)
Q3c. मैथिली क्रियापदक अनुषंगी भाव केँ स्पष्ट करू । (15 marks)
Q4a. ‘मध्यकालीन अवहट्ठ साहित्य तत्कालीन समाजक ऐतिहासिक दस्तावेज अछि’ – प्रमाणित करू । (20 marks)
Q4b. मैथिली उपभाषा-विभाजनक प्रसंग ग्रिअर्सन एवं पं. गोविन्द झाक मतक समीक्षा करू । (15 marks)
Q4c. मैथिली भाषा विज्ञानक क्षेत्र मे सुभद्र झाक योगदानक उल्लेख करू । (15 marks)
Q5a. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): मैथिली साहित्यक सांस्कृतिक पृष्ठभूमि (10 marks)
Q5b. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): काल-विभाजनक प्रसंग रमानाथ झाक मंतव्य (10 marks)
Q5c. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): लोक-नाट्य जट्-जटिनक वैशिष्ट्य (10 marks)
Q5d. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): ‘पुरूष परीक्षा’ क मैथिली अनुवाद (10 marks)
Q5e. निम्नलिखित विषय पर टिप्पणी लिखू (लगभग 150 शब्दों में): मैथिली साहित्य मे राम-काव्यक परम्परा (10 marks)
Q6a. कवीश्वर चन्दा झा ओ कविवर लालदासक रामायणक वैशिष्ट्यक उल्लेख करू । (20 marks)
Q6b. मैथिली लोकगीतमे पर्यावरणीय पक्षकेँ विश्लेषित करू । (15 marks)
Q6c. कथाकारक रूपमे ‘लिली रे’ क मूल्यांकन करू । (15 marks)
Q7a. मध्यकालीन नेपालीय मैथिली नाटकक विषय-वस्तु एवं वैशिष्ट्य पर प्रकाश दिअ । (20 marks)
Q7b. विद्यापतिक कृष्ण लौकिक चरित-नायक छथि; विवेचित करू । (15 marks)
Q7c. निबंधकारक रूपमे भीमनाथ झाक मूल्यांकन करू । (15 marks)
Q8a. मैथिली आलोचना साहित्यक दशा आ दिशा पर समीक्षात्मक विचार प्रस्तुत करू । (20 marks)
Q8b. एकैसम शताब्दीक मैथिली उपन्यासक विषय-वस्तु पर प्रकाश दिअ । (15 marks)
Q8c. उमापति विद्यापति काव्य-परम्पराक महत्त्वपूर्ण रचनाकार छथि; सयुक्ति विवेचन करू । (15 marks)
Paper II
Q1a. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “अम्बरे वदन झपावह गोरि
राज सुनइ छिअ चान्दक चोरि।
घरे घरे पहरी गेल अछ जोहि
अबही दूषण लागत तोहि॥
कतए नुकाओब चान्दक चोरि
जतय नुकाओब ततहि उजोरि॥” (10 marks)
Q1b. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “नव-नव गुन-गन स्रवन-रसायन नयन-रसायन अंग।
रभस-सम्भाषन हृदय-रसायन परस-रसायन संग॥
ए सखि, रसमय अन्तर यार।” (10 marks)
Q1c. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “चक्र गदा कर सरसिज संख
देखि देवकी मन उपजल झंख
कह बसुदेव देवकी कर जोरि
कंस बाघ हम हरिनी खोरि
रूप चतुर्भुज दिअ हरि छाड़ी
नारद देत गए उकठी लाड़ी” (10 marks)
Q1d. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “कर्म करत के आन, सुरदुर्लभ हनुमान सन।
हित के अहँक समान, सजल-नयन रघुनाथ कह॥
अति साहसधर वीर, अविरल भक्तिक भवन अहँ।
पिता अहाँक समीर, जगत्प्राण-सुत उचित थिक॥” (10 marks)
Q1e. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “विष सन अवस्था, पहाड़ सन जीवन
संसारमे हमर के अछि अपन?
कानी तँ चुप कैनिहार क्यौ नहि
रूसी तँ बौंसनिहार क्यौ नहि
हम पड़ल छी टूटल पुल जकाँ
मौलैल, बिनु सूँघल फूल जकाँ” (10 marks)
Q2a. “विद्यापतिक पदावलीमे भावक कोमलता, शब्दक लालित्य तथा लय-माधुर्यक प्राञ्जल प्रवाह अछि।” पाठ्यांशक आधारपर एहि उक्तिकेँ सविस्तार प्रतिपादित करू। (20 marks)
Q2b. कवीश्वर चन्दा झा विरचित ‘मिथिला-भाषा रामायण’क ‘सुन्दर-काण्ड’मे वर्णित हनुमानक वीरता ओ पराक्रमक विवेचन करू। (15 marks)
Q2c. मनबोधक ‘कृष्णजन्म’ कृष्णकाव्य-परम्पराक सर्वोच्च उपलब्धि थिक–विश्लेषण करू। (15 marks)
Q3a. “वैद्यनाथ मिश्र ‘यात्री’ श्रमशक्तिक पुजारी, व्यवस्थाक विरोधी, नवीन खाढ़ीक आवेशी आ सतत भ्रमणशील कवि छथि।” एहि उक्तिक विवेचन ‘चित्रा’क आधारपर करू। (20 marks)
Q3b. ‘समकालीन मैथिली कविता’मे संकलित राजकमल चौधरीक ‘अर्थतन्त्रक चक्रव्यूह’ शीर्षक कवितामे निहित भावपर प्रकाश दिअ। (15 marks)
Q3c. ‘कीचक-वध’ महाकाव्यमे सूक्ष्म दृष्टिक संग वर्णन-विस्तार ओ प्राञ्जल भाषाक प्रयोग भेल अछि–विश्लेषण करू। (15 marks)
Q4a. ‘दत्त-वत्ती’ महाकाव्य–“व्यक्ति, समाज, राष्ट्र ओ अन्तर्राष्ट्रिक वृहत्तर क्षितिजपर संगठित ई कृतिरत्न समग्र आधुनिक भारतीय भाषाक शिरोमुकुट थिक।” पाठ्यांशक आधारपर एहि उक्तिकेँ सविस्तार पल्लवित करू। (20 marks)
Q4b. “गोविन्ददासक काव्य शृंगारपरक होइतहुँ समष्टिरूपेँ भक्तिभावक अभिव्यक्ति थिक।” पाठ्यांशक आधारपर एहि उक्तिक विवेचन करू। (15 marks)
Q4c. “लालदास विरचित ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’ मैथिली रामकाव्य-परम्पराक विकासमे बहुविध कारणेँ अत्यन्त महत्त्वपूर्ण अछि।” ‘बाल-काण्ड’क आधारपर लालदासक काव्य-सौष्ठवक विवेचन करू। (15 marks)
Q5a. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “पूर्ण्णिमाक चान्द अमृत पूरल अइसन मुह।
श्वेत पङ्कजकाँ दल भ्रमर वसियल अइसन आँषि.
काजरक कल्लोल अइसन भञुह.
गथले फुले नर्म्मदाक शलाका पूजल अइसन षोम्पा.
परवाक पल्लव अइसन अधर.” (10 marks)
Q5b. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “संसारमे यैह देखबामे अबैत अछि जे ‘जीवो जीवस्य भक्षणम्’। प्रकृतिक नियमे छैक जे छोटका जीवकेँ बड़का जीव खा जाइत छैक। इचनाकेँ पोठा, पोठाकेँ सौंरा, सौंराकेँ बोआर, बोआरकेँ तिमि, तिमिकेँ तिमिंगल …. यैह ‘मत्स्य न्याय’ सर्वत्र दृष्टिगोचर होइत अछि।” (10 marks)
Q5c. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “अहाँ सभ पुरुष छी ने! निस्सहाय नारी जाति पर दया करबामे अहाँ सभ बड़ गौरवक अनुभव करैत छी। मुदा, हम स्त्री नहि छी, फूल भैया! हम त’ माटिक फूटलि हाँड़ी छी। हमरा पर दया करबाक कोनो प्रयोजन नहि। अहाँ जाउ ….” (10 marks)
Q5d. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “–जौं खर्चक तकलीफ हो त छौ कट्ठा डीह जे अहाँक नाम पर अछि से भरना धऽ कऽ काज चलायब। अहाँक चन्द्रहार जे बंधक पड़ल अछि से जहिया भगवानक कृपा हैतैन्ह तहिया छुटबे करत।” (10 marks)
Q5e. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “मोन नइ लगइ। मोनमे बसल रहइ गोरका चक्काबला कलपू। लाल-लाल ठोरबला कलपू। भरि दिन एकर मुह ताकऽबला कलपू। नीक-नीक वस्तुक उपहार देमए बाला कलपू। कहाँ देवदारु-सन ओ आ कहाँ खएरक कुबड़ाह गाछ-सन ई।” (10 marks)
Q6a. ज्योतिरीश्वर रचित ‘वर्णरत्नाकर’ मैथिली साहित्यक प्राचीनतम गद्य-ग्रन्थ थिक–एकर ऐतिहासिक महत्त्वक विश्लेषण पाठ्यांशक आधारपर करू। (20 marks)
Q6b. “कवि राजकमलकेँ लोक बिसरि जाइत, मुदा कथाकार राजकमल मैथिली साहित्यक क्षेत्रमे अमर रहताह।” एहि कथनक पल्लवन पाठ्यांशक आधारपर करू। (15 marks)
Q6c. “खट्टर कका अपन भांगक तरंगमे चुटकी बजबैत उनटे गंगा बहा दैत छथि।” ‘खट्टर ककाक तरंग’क सन्दर्भमे एहि उक्तिक विवेचन करू। (15 marks)
Q7a. ‘पृथ्वीपुत्र’ उपन्यासक कथानक एकटा भूमिहीन आ निम्नवर्गीय ग्रामीण जीवनक परिवर्त्तनकेँ चित्रित करैत अछि–सयुक्ति विवेचन करू। (20 marks)
Q7b. “‘लोरिक विजय’ उपन्यास लोक-संघर्षक गाथा थिक।” एहि कथनक सार्थकता सिद्ध करू। (15 marks)
Q7c. ‘भफाइत चाहक जिनगी’मे नाटककार शिक्षित बेरोजगार युवकक चारित्रिक सबलता, कर्मठता ओ संघर्षक चित्रण कएलनि अछि–सयुक्ति विवेचन करू। (15 marks)
Q8a. “मैथिली कथा समकालीन सामाजिक आओर आर्थिक विसंगतिपर विभिन्न तरहेँ चोट करैत अछि।” पाठ्यपुस्तकक आधारपर एहि कथनक विवेचन करू। (20 marks)
Q8b. “राजकमलक कथा मिथिलाक मध्यवर्गक ओहि समस्त संस्कार पर जमि क’ प्रहार करैत अछि, जे ओकर आर्थिक-सामाजिक संघर्षमे बाधक थिकैक।” एहि कथनक विवेचन पाठ्यांशक आधारपर करू। (15 marks)
Q8c. ‘पृथ्वीपुत्र’ उपन्यासमे सामाजिक जीवनक आर्थिक ओ भावनात्मक दूनू पक्षकेँ उजागर करैत ओकर समाधान सेहो देखाओल गेल अछि–सयुक्ति विवेचन करू। (15 marks)
Spotted something wrong?
If a question is in the wrong unit or a match looks wrong, please report an error.
Related: Overall Maithili Literature PYQ analysis · Year-wise question papers · Topic-wise PYQs

