Menu Close

खण्ड ख: गद्य – Maithili Literature Optional PYQs (Paper II, Unit 2)

Here are all 227 questions on खण्ड ख: गद्य asked in UPSC Maithili Literature Optional Paper II (2009–2026), arranged under the 7 topics of this unit. Within each topic the latest questions come first.

Each question ends with a code such as [2024/15m/3b] – the year, the marks, the word limit (where UPSC set one) and the question number in the paper.

Topic-wise weightage graph of खण्ड ख: गद्य, Maithili Literature Optional Paper II
Topic-wise weightage of खण्ड ख: गद्य (Maithili Literature Optional Paper II) – share of marks asked from each topic.

2.1] ज्योतिरीश्वर

30 questions

  1. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): एकेँ अपूर्व विश्वकर्म्माजेँ निर्म्मउलियाक मुखक शोभा देषि पद्मेँ जलप्रवेश कएल। आँखिक शोभा देषि हरिण वण गेल। केशक शोभा देषि चमरी पलायन कएल। दाँतक शोभा देषि तालिवेँ हृदय वीदीर्ण्ण कएल। अधरक शोभा देषि प्रवाल द्विपान्तर गेल। काँनक शोभा देषि बौद्ध ध्यान स्थित भेल। कण्ठक शोभा देषि कम्बु समद्रप्रवेश कएल। [2026/10m/5a]

  2. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “‘वर्णरत्नाकर’ मैथिलीक आदि गद्य-ग्रन्थ थिक जाहिमे मध्यकालीन मिथिलाक सामाजिक, सांस्कृतिक एवं साहित्यिक उत्कर्ष द्युतिमान भेल अछि।” पठित अंशक आधार पर प्रमाणित करू। [2026/20m/6a]

  3. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): सीनता दुर्गरक्षा दुर्गप्रवेश व्यसन परीहार आत्मरक्षा म [·] त्रगोपन राजश्यता भृत्यभरण उपजाप सेना प्रचार देशरक्षा बलाबलज्ञा षसश्चय ब्यूहरचना ब्यूहप्रवेश ब्यूहभंग संशय विचारादि चारासिउ ये राजनीति ताक तत्त्वज्ञ। [2025/10m/5d]

  4. ‘वर्णरत्नाकर’क द्वितीय कल्लोलक आधार पर मैथिलीक भाषिक विकासक्रमक कड़ीक रूपमे ‘वर्णरत्नाकर’क भाषा पर टिप्पणी लिखू। [2025/15m/7b]

  5. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “पूर्ण्णिमाक चान्द अमृत पूरल अइसन मुह।
    श्वेत पङ्कजकाँ दल भ्रमर वसियल अइसन आँषि.
    काजरक कल्लोल अइसन भञुह.
    गथले फुले नर्म्मदाक शलाका पूजल अइसन षोम्पा.
    परवाक पल्लव अइसन अधर.” [2024/10m/5a]

  6. ज्योतिरीश्वर रचित ‘वर्णरत्नाकर’ मैथिली साहित्यक प्राचीनतम गद्य-ग्रन्थ थिक–एकर ऐतिहासिक महत्त्वक विश्लेषण पाठ्यांशक आधारपर करू। [2024/20m/6a]

  7. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) कुमुद कुन्द कदम्ब कास भास,
    कैलास कर्प्पूर पीयूषक कानि प्रसारीसन ।
    क्षीर समुद्रक दक्षिणानिले चालल तरङ्ग
    सनक लहरी अइसन! [2023/10m/5a]

  8. भाषाकोषक रूपमे काव्योपयोगी ग्रन्थ होइतहुँ ‘वर्णरत्नाकर’मे स्थान-स्थान पर कविशेखराचार्यक कवि-हृदय अभिव्यक्त भइए गेल अछि – पठित अंशक आधार पर एकरा पल्लवित करू । [2023/15m/6b]

  9. ‘ ‘वर्णरत्नाकर’ मे शारीरिक शोभा-हाव-भावसँ भरल नागर-नायक, रूपवती-नायिका एवं सुन्दर सखीक रमणीक शृंगारात्मक वर्णन भेल अछि’ – पठित अंशक आधार पर एकरा पल्लवित करू । [2022/15m/8c]

  10. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य अछि) “पूर्ण्णिमाक चान्द अमृत पूरल मुह श्वेत पङ्कजाका दल भ्रमर वयिसल अइसन आँषि । काजरक कल्लोल अइसन भञुह । गथले फुले नर्म्मदाक शलाका पूजल अइसन षोम्पा । पखाक पल्लव अइसन अधर । कनिअराक कर अइसन नाक । सीन्दुर मोति लोटाएल अइसन दान्त, वेतक साट अइसन बाँह । परिजातक पल्लव अइसन हाथ ।” [2021/10m/5a]

  11. ‘वर्णरत्नाकर’क द्वितीय कल्लोलमे वर्णित विषय-वस्तुक वर्णन करैत एहि पोथीक महत्त्वकेँ प्रतिपादित करू । [2021/20m/7a]

  12. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) कामदेवक नगर अइसन शरीर । निष्कलङ्क चान्द अइसन मुह । कन्दल खञ्जरीट अइसन लोचन । यमुनाक तरङ्ग अइसन भञुह । साँकरक शलाका अइसन नाक । सोनाक सीप अइसन कान । अन्धकार-लता अइसन विरनी । पाकल विंव अइसन अधर । सहजेँ दालिव फुटल अइसन दान्त । कामदेवक पाश अइसन वाह । [2020/10m/5a]

  13. पठित अंशक आधार पर “वर्णरत्नाकर”क नामकरणक औचित्यक मूल्यांकन करू । [2020/15m/6c]

  14. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) पूर्ण्णिमा चान्द अमृत पूरल अइसन मुह । श्वेत पङ्कजकाँ दल भ्रमर वयिसल अइसन आँषि, काजरक कल्लोल अइसन भञुह । [2019/10m/5e]

  15. ‘वर्णरत्नाकर’क द्वितीय कल्लोलमे वर्णित विषय-वस्तु एवं ओकर महत्त्वकेँ स्पष्ट करू । [2019/15m/6b]

  16. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) कन्दलित तारुण्य. अपगत बाल्य. उद्भूत[?] अभिलाष. अपगति लज्जा. जागरुक भाव. अङ्कुरित. एवम्विध नायिका. कुण्डल दुइ रत्नमण्डित त(क)रा कान कइसन देषु. जनि कामदेवकाँ रथँ चक्रदुइ जालल अछ. सोनाक डोरेँ मध्यभाग बाँधल कइसन देषु. जनि सौन्दर्यक तुलापुरुष काछल बाँन्धल अछ. [2018/10m/5b]

  17. “वर्णरत्नाकर” मे ज्योतिरीश्वर सर्वत्र प्रतीयमान चित्त देल अछि, त’ कतौ-कतौ सम्भाव्य सेहो अछि, जाहि सँ वर्णनक आदर्श चित्रण प्रस्तुत भेल अछि – पठित अंशक आधार पर प्रमाणित करू । [2018/20m/7a]

  18. मैथिली गद्यक विकासमे ‘वर्णरत्नाकर’क स्थान निरूपित करैत ओकर नामकरण पर विचार करू । [2017/20m/7a]

  19. ‘वर्णरत्नाकर’क वर्णनक चमत्कार पर प्रकाश दिअ । [2017/15m/8c]

  20. “‘वर्णरत्नाकर’मे उत्तम काव्यक वर्णन – चमत्कार, कल्पनाक सूक्ष्मता, चित्रणक रसमयता एवं उक्तिक सामर्थ्यक प्रदर्शन अछि” – द्वितीय कल्लोलक आलोकमे एहि कथनकेँ स्पष्ट करू । [2016/20m/7a]

  21. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): पताल अइसन दुःप्रवेश· स्त्रीक चरित्र अइसन्दर्क्ष· कालिन्दीक कल्लोल अइसन मांसल· काजरक पर्व्वत अइसन निविल· पाप/क सहोदर अइसन· शरीर· आतङ्कक नगर अइसन भयानक· कुमन्त्र अइसन निष्फल· अज्ञान अइसन सम्मोहक· मन अइसन सर्व्वतोगामी· अहङ्कार। अइसन उन्नत· परद्रोह अइसन अभव्य· पाप अइसन मलिन· एवम्विध अति व्यापक· दुःसञ्चर· दृष्टिबन्धक· भयानक· गम्भीर· शूचीभेद्य· अन्धकार दे/षु· [2015/10m/5e]

  22. ‘वर्णरत्नाकर’ मैथिलीक प्राचीनतम गद्य ग्रन्थ थिक–एकर ऐतिहासिक महत्त्वक विश्लेषण करू। [2015/15m/7c]

  23. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): पूर्णिमाक चान्द अमृत पूरल अइसन मुह। श्वेत पंकजकाँ दल भ्रमर बयिसल अइसन आँषि· काजरक कल्लोल अइसन भञुह· गथले फुले नर्मदाक शलाका पूजल अइसन षोम्पा· पखाक पल्लव अइसन अधर· कनिअराक कर अइसन नाक· सिन्दुर मोति लोटाएल अइसन दान्त। वेतक साट अइसन वाँह· पारिजातक पल्लव अइसन हाथ। [2014/10m/5c]

  24. “‘वर्णरत्नाकर’क द्वितीय कल्लोलमे शृंगार रसक विविध सामग्रीक चर्चा करब कविक उद्देश्य बुझि पड़ैत अछि”–प्रमाणित करू। [2014/20m/7a]

  25. “‘वर्णरत्नाकर’केँ काव्य नहि काव्योपयोगी कहल जाइत अछि”–सयुक्ति प्रतिपादन करू। [2014/15m/7c]

  26. ‘वर्णरत्नाकर’क दोसर कल्लोलक विषयवस्तुक उपस्थापनमे कविक सूक्ष्म सौन्दर्य-दृष्टिक परिचय भेटैत अछि–प्रमाणित करू। [2013/25m/8a]

  27. निम्नलिखित गद्यांशक अभिव्यंजनागत ओ कथ्यगत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): पूर्ण्णिमाक चान्द अमृत पूरल अइसन मुह। श्वेत पङ्कजकाँ दल भ्रमर वयिसल अइसन आँषि। काजरक कल्लोल अइसन भञुह। गथले फुले नर्म्मदाक शलाका पूजल अइसन षोम्पा। कनिअराक कर अइसन नाक। सीन्दुर मोति लोटाएल अइसन दान्त। वेतक साट अइसन बाँह। पारिजातक पल्लव अइसन हाथ। विकसित स्थलपद्म अइसन चरण। [2012/12m/5a]

  28. पठित अंशक आधार पर कतोक समीक्षाक द्वारा ‘वर्ण रत्नाकर’केँ ‘वर्णन रत्नाकर’ कहबाक औचित्यक समीक्षा करू। [2011/30m/8a]

  29. निम्नलिखित कोनो तीन गद्यांशक सन्दर्भसहित व्याख्या करैत ओहिमे निहित अभिव्यंजनागत ओ कथ्यगत विशेषता पर प्रकाश दिअ (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): कुमुद’ कुन्द’ कदम्ब’ कास’ भास कैलास’ कर्प्पूर पीयूषक कान्ति प्रसारी सन’ क्षीरसमुद्रक दक्षिणानिले चालल तरङ्गक लहरी अइसन· अमृतक सरोवर तरङ्गक सहोदर सन· शरतक पूर्ण्णिमाचान्दक ज्योत्स्ना अइसन· अभिनव प्रकाशित कमलकोष प्रसारि शोभा सन· कन्दर्प्पक दर्प्पप्रकाशन सन· त्रैलोक्यक नागरजन युवजन हृदयमोहन मन्त्रसन· स्वेद· स्तम्भ· रोमाञ्च· स्वरभङ्ग· कम्प· वैवर्ण्य· अश्रु· प्रलय इ ये आठओ सात्विक भाव ताक भण्डार सन· [2010/20m/5d]

  30. मैथिली भाषा-साहित्यक आदि गद्य-ग्रन्थ ‘वर्णरत्नाकर’ काव्य नहि काव्योपयोगी ग्रन्थ तँ अछि ये संगहि एहि सँ मध्यकालीन मिथिलाक सामाजिक-सांस्कृतिक परिस्थितिक परिचय प्राप्त होइत अछि–युक्तियुक्त विवेचन करू। [2010/60m/8]

Cover of the UPSC Prelims Topic-wise PYQ book with detailed explanations

From the Optional Province team

Preparing for Prelims too?

Our UPSC Prelims Topic-wise PYQ Book covers every Prelims question with detailed explanations, so you can see exactly where UPSC asks from. Now available as a hard copy and an eBook.

Buy Hard Copy on AmazonBuy eBook (PDF)

Download a free sample

2.2] हरिमोहन झा

31 questions

  1. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): जखन हम भारी-भारी धोधिबला यजमानकेँ प्रसादक पातिल दूनू हाथेँ उठा कऽ अधपौआ शालग्राम पर चढ़बैत देखैत छिऐन्ह वा गुलाबजामुन सन नर्मदेश्वर कैं पहिराबक हेतु पुरोहित कैं अपना बाँहिसँ नापि कय जनउ गेठियबैत देखइ छिऐन्ह, तँ हुनका सभक बुद्धि पर दया आबि जाइत अछि। [2026/10m/5b]

  2. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “‘खट्टर ककाक तरंग’क मुख्य पात्र खट्टर कका मनुष्य एवं पदार्थक विलक्षण व्याख्या प्रस्तुत करैत अछि।” वर्णन करू। [2026/15m/6c]

  3. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): बूझह त’ वैद्यो एक प्रकारक महादेवे होइ छथि। हुनके जकाँ भस्मक प्रेमी। बूटीक पाछाँ बेहाल। हुनका कंठमे विष छैन्ह, हिनका पुड़ियामे विष रहैत छैन्ह। दूनू, हर वा संहारकर्ता। [2025/10m/5a]

  4. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “संसारमे यैह देखबामे अबैत अछि जे ‘जीवो जीवस्य भक्षणम्’। प्रकृतिक नियमे छैक जे छोटका जीवकेँ बड़का जीव खा जाइत छैक। इचनाकेँ पोठा, पोठाकेँ सौंरा, सौंराकेँ बोआर, बोआरकेँ तिमि, तिमिकेँ तिमिंगल …. यैह ‘मत्स्य न्याय’ सर्वत्र दृष्टिगोचर होइत अछि।” [2024/10m/5b]

  5. “खट्टर कका अपन भांगक तरंगमे चुटकी बजबैत उनटे गंगा बहा दैत छथि।” ‘खट्टर ककाक तरंग’क सन्दर्भमे एहि उक्तिक विवेचन करू। [2024/15m/6c]

  6. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) असली पंडित विद्याक अन्वेषणमे रहैत छथि, नकली पंडित विदाइक अन्वेषणमे, असली पंडित ज्ञानक विस्तार करैत छथि, नकली पंडित धोधिक विस्तार । असली पंडित मूर्खताक संहार करैत अछि, नकली पंडित मधुरक संहार । [2023/10m/5c]

  7. ‘खट्टरककाक तरंग’ चमकैत दू धारी तरूआरि अछि । एक मारक धार आ दोसर सम्हारक धार । एहि तरूआरिक प्रथम धार सँ समाजमे प्रचलित रूढ़िवादी व्यवहार तथा क्रिया-कलापक दिग्दर्शन कराओल गेल अछि आ दोसर धार ओहिमे निहित अधलाह पक्षकमार्जन करैछ – एहि उक्ति पर विचार करू । [2023/20m/6a]

  8. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) असलमे पूछह त भूतक मंत्र एहि देशक लोक जनिते नहि अछि । भूतक मंत्र जनैत अछि पाश्चात्य देश । छिति, जल पावक, गगन, समीरा – एहि पाँचो भूतकेँ ओ तेना कऽ अपना वशमे कैने अछि जे सभ काडा ओकरा सँ लय रहल अछि । और हमरा लोकनि नकली भूतक फेरमे पड़ि उनटा सरिसब जोहने भेल फिरै छी । [2022/10m/5a]

  9. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) अन्नपूर्णा उत्तरमे कहलथिन – “दरिद्रा रहय, कोनो हानि नहि । अशोकक दबाइ-दारू नहि होई, कोनो हानि नहि । मुदा, अशोक एक दिन पैघ होयत । तखन जँ ओकरा संगी सभ कहतैक जे तोँ बच्चा छलाह, तोहर माय तोरा सूतल छोड़ि लोकसभसँ भेँट-घाँट करय जाइत छलथुन – तँ ओकरा कतेक दुख हेतैक? अशोक भुखले रहय, पढ़ि-लिखि नहि सकय, मरि जाय – मुदा ओकरा ई दुःख कहियो नहि होबय देबैक । [2022/10m/5e]

  10. अपन साहित्य आ समाज पर ‘खट्टर ककाक तरंग’ क प्रभाव कोन रूपक पड़लैक – संक्षेपमे लिखू । [2022/15m/8b]

  11. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य अछि) “सैह काल तँ हमरा सभक काल भऽ गेला आइ मासान्त, काल्हि संक्रान्ति, परसू भदवा, एकटा टाट बान्हक हो तँ नौ दिन पतड़ा देखैत-बैसल रहूँ । औ संसारक और कोनो देश मे भदवा मानैत अछि? भद्रामहरानी मे वास्तविक सामर्थ्य छैन्ह तँ ओकरा सभणेँ किएक नहि धरैत छथिन्ह? पृथ्वी पर और-और लोकेँ दिक्शल किऐक नहि लगैत छैक? यूरोप, अमेरिका बालाकेँ अघपहरो किऐक नहि धरैत छैक? सबसँ बुड़िबक दीनानाथ हमरे लोकनि छी?” [2021/10m/5d]

  12. “खट्टर ककाक विनोदपूर्ण विचार-लहरी, मिथिलाक संस्कृति ओ पुरातन सभ्यता पर मार्मिक व्यंग्यक प्रहार कयने अछि” – एहि कथनकेँ प्रमाणित करू । [2021/20m/6a]

  13. हरिमोहन झा व्यंग्यकेँ विधाक मान्यता प्रदान कर बैत, दार्शनिक चिन्तनक संगहि लेखकीय पाण्डित्यक परिचय देबामे पूर्ण सफल भेल छथि – “खट्टर ककाक तरंग”क आलोकमे एहि कथन पर विचार करू । [2020/20m/7a]

  14. खट्टर कका स्वच्छन्द चिन्तन ओ बुद्धि विलासक प्रतीक थिकाह – एहि उक्तिकेँ पल्लवित करू । [2020/15m/8c]

  15. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) …… जैह भेद रसगुल्ला ओ लड्डूमे छैक । रसगुल्ला सरस ओ कोमल होइछ, लड्डू शुष्क ओ कठोर । रसगुल्ला पूर्वक प्रतीक थीक लड्डू पश्चिमक । तैं हम कहैत छिऔह जे ककरो जातीय चरित्र बुझबाक हो त’ ओकर प्रधान मधुर देखी । [2019/10m/5d]

  16. ‘खट्टर ककाक तरंग’ मे तरंगित जतेक उत्कृष्ट हास्य बूझि पड़ैत अछि ताहिसँ बेसी मिश्रण अछि व्यंग्यक – सयुक्ति विवेचन करू । [2019/20m/6a]

  17. “खट्टर काकाक तरंग” मे वर्णित विषय विचारात्मक, सरस, मनोरंजक एवं व्यंग्यक अत्यन्त स्पष्ट रूप परिलक्षित होइछ – स्पष्ट करू । [2018/15m/6c]

  18. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) सैह काल त हमरा सभक काल भउ गेल । आइ मासान्त, काल्हि संक्रान्ति, परसू भदवा । एकटा टाट बान्हक हो त नौ दिन पतड़ा देखैत बैसल रहू । औ, संसारक और कोनो देश भदवा मानैत अछि? भद्रा महारानीमे वास्तविक सामर्थ्य छैन्ह त ओकरासभकेँ किऐक नहिं धरैत छथिन्ह? पृथ्वी पर और-और लोककेँ दिक्शूल किऐक नहि लगैत छैक? यूरोप, अमेरिका बलाकेँ अधपहरा किऐक नहि घरैत छैक? सभसँ बुड़िबक दीनानाथ हमरे लोकनि छी? [2017/10m/5d]

  19. खट्टर ककाक विनोदपूर्ण विचार-लहरी मिथिलाक संस्कृति ओ पुरातन सभ्यता पर मार्मिक व्यंग्यक प्रहार कयने अछि – एहि कथन पर विचार करू । [2017/20m/6a]

  20. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य । भेद रसगुल्ला ओ लड्डूमे छैक । रसगुल्ला सरस ओ कोमल होइछ, लड्डू शुष्क ओ कठोर । रसगुल्ला पूर्वक प्रतीक थीक लड्डू पश्चिमक । तेँ हम कहैत छियौह जे ककरो जातीय चरित्र देखबाक-बुझबाक हो त ओकर प्रधान मधुर देखी । [2016/10m/5b]

  21. “खट्टर काकाक तरंग” मे हरिमोहन झा उनटे गंगा बहा देने छथि – एहि उक्तिक आलोकमे एकर विशेषता देखाउ । [2016/15m/6b]

  22. “खट्टर कका स्वच्छन्द चिन्तन ओ बुद्धि विलासक प्रतीक थिकाह।” एहि कथनकेँ पल्लवित करू। [2015/15m/6c]

  23. “हरिमोहन झाक रचनामे व्यंग्य-विनोद आ पांडित्यक त्रिवेणी प्रवाहित होइत अछि।” एहि उक्तिक सार्थकता देखाउ। [2014/15m/6c]

  24. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): जैह भेद रसगुल्ला ओ लड्डूमे छैक। रसगुल्ला सरस ओ कोमल होइछ, लड्डू शुष्क ओ कठोर। रसगुल्ला पूर्वक प्रतीक थीक, लड्डू पश्चिमक। तैं हम कहैत छिऔह जे ककरो जातीय चरित्र बुझबाक हो त ओकर प्रधान मधुर देखी। [2013/10m/5b]

  25. “आनन्दमूर्त्ति मस्त खट्टरकका विषयवस्तुक प्रस्तुतिमे विनोदक गंगा प्रवाहित कए दैत छथि किन्तु भांगक तरंगोमे जे कहैत छथि से तर्कसंगत रहैत अछि।” ‘चाणक्यक जन्मभूमि’ गप्पक प्रसगें कहल गेल एहि उक्तिक समीक्षा करू। [2013/25m/8b]

  26. निम्नलिखित गद्यांशक अभिव्यंजनागत ओ कथ्यगत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): चाहे मीमांसाक कर्मकांड हो वा योगक अष्टांग साधन हो वा वेदान्तक ब्रह्मज्ञान हो, सभक मूलमे एक्के भावना काज करैत छैक–भविष्यमे महत्तम आनन्दक प्राप्ति। केओ स्वर्गक स्वप्न देखैत छथि, केओ अमरत्वक कल्पना करैत छथि, केओ निरतिशय सुख चाहैत छथि। मोक्ष, कैवल्य, निर्वाण–सभक एके तत्त्व छैक–आनन्दलिप्सा। साधक-गण चाहै छथि जे एहि जीवनमे अधिकसँ अधिक फीस दऽ कऽ स्वर्ग वा मोक्षक वीमा करा ली। और एहि वणिक बुद्धिकेँ ‘धर्म’ कहल जाइत अछि। [2012/12m/5b]

  27. “खट्टर कका अपन भांगक तरंगमे चुटकी बजबैत उनटे गंगा बहा दैत छथि”–‘खट्टर ककाक तरंग’क आलोकमे एहि उक्तिक सार्थकता सिद्ध करू। [2012/30m/8a]

  28. निम्नलिखित गद्यांशक अभिव्यंजनागत ओ कथ्यगत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): महादेव त्रिलोचन छलाह। हमरो लोकनिं त्रिलोचन छी। तेसर आँखिसँ केवल अनकर छिद्रटा सुझैत अछि। महादेव नीलकण्ठ रहथि। हमरो लोकनिक कण्ठमे केहन विष रहैत अछि से दूगोटाक विवाद भेला पर प्रत्यक्ष देखि लैह। महादेवक छाती पर साँप लोटाइत रहैन्हि। हमरो लोकनिकेँ स्वजातीयक अभ्युदय देखि छाती पर साँप लोटाय लगैत अछि। [2011/20m/5c]

  29. ‘खट्टर-ककाक तरंग’क माध्यमसँ लेखक सामाजिक कुप्रथा पर व्यंगात्मक रूपसँ प्रहार कएलन्हि अछि–स्पष्ट करू। [2011/30m/6b]

  30. निम्नलिखित कोनो तीन गद्यांशक सन्दर्भसहित व्याख्या करैत ओहिमे निहित अभिव्यंजनागत ओ कथ्यगत विशेषता पर प्रकाश दिअ (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): भोजने सँ प्रकृति बनैत छैक। चाली माटि खा कऽ माटि भेल रहैत अछि। साँप बसात पीबि कऽ फनकैत अछि। साहेव सभ डबल रोटी खा कऽ फूलल रहैत अछि। मुर्गा खैनिहार मुर्गा जकाँ लड़ैत अछि। और हम सभ साग-भाँटा खा कऽ साग-भाँटा भेल छी। हमरालोकनि भक्त (भात)क प्रेमी थिकहुँ, तँ एक दोसरा सँ विभक्त रहैत छी। ताहू पर की त द्विदल (दालि)क योग भेले ताकय! तखन एक दल भऽ कऽ कोना रहि सकैत छी? [2010/20m/5b]

  31. “हरिमोहन झा व्यंग्यकेँ विधाक मान्यता प्रदान करबैत दार्शनिक चिन्तनक संगहि लेखकीय पांडित्यक परिचय देबामे पूर्ण सफल भेल छथि”–‘खट्टर ककाक तरंग’क आलोकमे एहि कथन पर विचार करू। [2010/60m/7]

2.3] मणिपद्म

30 questions

  1. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): जेठ छोटक बात अखनी जाय दे। पिरित जइसन परीकेँ भौजी नहि बनायब त’ की अप्पन माय बनायब? सुन चनरा जखनि हमहूँ कोनो छौंड़ीसँ सगाइ करब त’ तहूँ ओकरा भौजी बना लिहेँ। [2026/10m/5c]

  2. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “मणिपद्म गाथा-रत्नकेँ औपन्यासिक स्वरूप प्रदान करबामे अपूर्व कला-कौशल एवं साहित्य-साधनाक परिचय देने छथि” –‘लोरिक विजय’क आधार पर पल्लवित करू। [2026/15m/6b]

  3. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “मणिपद्म विरचित ‘लोरिक विजय’ लोकगाथाधृत ऐतिहासिक उपन्यास थिक।” प्रमाणित करू। [2026/15m/8c]

  4. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): एक दिस स्वर्णसागरमे डूब देबए लेल चलि जाइत भुवन-भास्कर आ’ दोसर दिस क्षितिज कोरसँ उपर उठैत पूर्णमासीक चान। सौझामे कोनो गौरसँ प्रणयरत ढेकरैत वृषभ। [2025/10m/5e]

  5. “‘लोरिक विजय’ गाथा पर शैव-बौद्ध तन्त्रक अमिट प्रभाव छैक।” एहि कथनक पुष्टि ‘लोरिक विजय’ उपन्यासक आधार पर करू। [2025/15m/7c]

  6. “‘लोरिक विजय’ उपन्यास लोक-संघर्षक गाथा थिक।” एहि कथनक सार्थकता सिद्ध करू। [2024/15m/7b]

  7. उपन्यास तत्त्वक निकष पर ‘लोरिक विजय’ उपन्यासक मूल्यांकन करू । [2023/15m/7b]

  8. ‘लोरिक विजय’ सामाजिक संघर्षक अभिलेख थिक । – एहि उक्तिक सार्थकता सिद्ध करू । [2023/15m/8b]

  9. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) एक दिस स्वर्ण सागरमे डूब देबए लेल चलि जाइत भुयन-भास्कर आ दोसर दिस क्षितिज कोरसँ ऊपर उठैत पूर्णमासीक चान । सोझामे कोनो गौरसँ प्रयासरत ढेकरैत वृषभ । लगहिमे ऐंचैत-ऐंठैत बहैत देबहा-धार, राजकुमारक उदासी, झपसी लाधल अमावश्याक साँझ जकाँ अथाह होइत गेलइ । [2022/10m/5b]

  10. लोरिकक व्यक्तित्वक किछु पक्ष सभकेँ उजागर करैत हुनक पराक्रमक अलौकिक दृष्टान्त प्रस्तुत करू । [2022/20m/7a]

  11. ‘लोरिक विजय’क सती माँजरिक चारित्रिक सौन्दर्य, शील आ सतीत्वक गरिमा सीताक परम्पराक पूर्ण प्रतिनिधित्व करैत अछि’ – एहि उक्ति पर विचार करू । [2022/20m/8a]

  12. ‘लोरिक विजय’ उपन्यासक कथानक मार्मिकता ओ अतिरंजकतासँ मिश्रित अछि – एहि कथनक खण्डन वा मण्डन करू । [2021/15m/6c]

  13. “लोरिक विजय” सामाजिक संघर्षक अभिलेख थिक” – एहि उक्तिक सार्थकता सिद्ध करू । [2020/15m/6b]

  14. ‘लोरिक-विजय’ उपन्यास अपराजेय पौरुषक लोककथा थिक, संगहि आध्यात्मिक जीवन-दर्शन, शैव, बौद्ध, तन्त्र, इत्यादि सांस्कृतिक कथाक समावेश कएल गेल अछि – समीक्षा करू । [2019/20m/7a]

  15. ‘लोरिक-विजय’ मे मिथिलाक माटि-पानि आ संस्कारक सम्पूर्ण सौन्दर्य ओ सौरभ उद्भाषित भए उठल अछि – एहि उक्तिक समीक्षा करैत ‘लोरिक-विजय’क औपन्यासिक वैशिष्ट्य पर प्रकाश दिअ । [2019/15m/8b]

  16. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) पूर्णिमाक ओइ ज्योत्स्नामय सांझमे, कमलाक धार किछु दूर पर ओ लोकनि, एकटा कारी टिलहा कैँ, भसिआइत चल अबैत देखलथिन्ह । हुनका लोकनिकेँ छगुनता लागि गेलन्हि जेंई पाथरक टिलहा कोना भसिआइत आबि रहल छैक । तखनहि, रंग-विरंगक वस्त्राभूषणसँ सुसज्जित नारी दल झमझम-खमखम करैत बरियाती बलासँ गुआ-पान मांगए लेल अषाढ़क घटा जकाँ उमड़ि आएल । एक सँ एक कठमस्त छलि ओ सभ । ओकरा सभहिक शरीर अपना-अपना साड़ीमे अंटियो नहि रहल छलैक । [2018/10m/5d]

  17. “लोरिक विजय”क कथावस्तु अति-रोचक होइतहुँ एहिमे अतिशयोक्तिक अभिव्यंजना कएल गेल अछि’ – एहि कथन पर विचार करू । [2018/20m/6a]

  18. ‘लोरिक विजय’ उपन्यासक कथावस्तुक मार्मिकता पर प्रकाश दिअ । [2017/15m/6b]

  19. मैथिलीमे लोकगाथात्मक उपन्यासक क्षेत्रमे मणिपद्मक ‘लोरिक विजय’क महत्त्व निरूपित करू । [2017/20m/8a]

  20. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य । ओकरा दुनू हाथमे हथकड़ी आ’ दूनू पएरमे बेड़ी जकड़ल रहैत छलैक । दूनू आँखि पर पट्टी बान्हल रहैत छलैक । दूनू कानमे बरकल सीसा ढारिकड ओकरा बन्न कए देल गेल छलैक । केवल भोजन कालमे ओकरा आँखिक पट्टी आ’ एक हाथक बेड़ी खोलल जाइक । बड़े यंत्रणामे ओकर कारा जीवन बीति रहल छलइ । [2016/10m/5e]

  21. लोकगाथात्मक ऐतिहासिक उपन्यास “लोरिक विजय”मे चरित-नायकक चारित्रिक विशेषताक निदर्शन भेल अछि – युक्तियुक्त पल्लवित करू । [2016/15m/8b]

  22. “‘लोरिक विजय’ सामाजिक संघर्षक अभिलेख थिक।” एहि उक्तिक सार्थकता देखाउ। [2015/20m/8a]

  23. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): देबहाक धारामे ओ राजहंस कत्ते सिनेहक संग अपना हंसिनीक संग ग्रीवामे चंचु-आघात कए रहल अछि, लगक साहोड़क गाछ पर बैसल पंडुक दम्पति कोना अपना कलकुँजनसँ वातावरणमे मधु घोरि रहल अछि। तैयो आँहाँ हमरा एहिठाम आबक कारण पूछइ छी। एत्तेक दिन व्याह भेना भेल आँहाँ गौनाक नाम नहि लेलहुँ। आँहाँ भने ठमकल रहलहुँ किन्तु समय तऽ नहि ठमकल रहल। हम पूछए आएल छी जे हम कोन अपराधेँ उपेक्षिता भए रहल छी? [2014/10m/5e]

  24. ‘लोरिक विजय’ उपन्यासमे तत्कालीन मिथिलाक छोट-छोट सामन्तक अत्याचार ओ दुराचारसँ सामान्य लोकक जीवन अस्त-व्यस्त छल। लोरिक ओहि सामान्य जनजीवनमे उत्पीड़नजन्य आक्रोशकेँ सहन नहि कए सकलाह आ हुनका लोकनिकेँ संगठित कए ओहि अत्याचारी सामन्तक विरुद्ध युद्ध कएलनि–एहि विषय पर आधारित एकर कथावस्तुक मूल्यांकन करू। [2014/20m/8a]

  25. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): अनाचारियो तेहने छल ओ (हरबा-बरबा)। दुहबी-सुहबी नामक दूटा ब्राह्मण कुमारीक अपहरण कए ओकरा सभकेँ अपना विलास भवनमे राखि नेने छल। ओ प्रत्येक दिन कतोक रूपसीकेँ पकड़ि कए मंगवालिए आ अपना विलासक हेतु किछुदिन राखि कए ओकरा सभकेँ घुरा दैक। [2013/10m/5e]

  26. पात्र चरित्रक दृष्टिएँ ‘लोरिक विजय’ उपन्यासक प्रमुख पात्रक चारित्रिक मूल्यांकन करू। [2013/25m/7a]

  27. ‘लोरिक विजय’ मणिपद्मक विलक्षण कृति अछि–युक्तियुक्त प्रतिपादन करू। [2012/30m/6b]

  28. ‘लोरिक विजय’ उपन्यास लोक संघर्षक सप्राण दस्तावेज अछि–एहि कथनक सार्थकता सिद्ध करू। [2011/30m/6a]

  29. निम्नलिखितमे सँ कोनो तीन गद्यांशक सन्दर्भ सहित व्याख्या करैत ओहिमे सन्निहित विचार आ काव्यगत विशेषताकेँ स्पष्ट करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): ओ दुनू धारमे स्नान कए घूरि रहल छलीह। लगइ जेना धरती पर दूटा चान उतरि आएल हो। बड़की जेना भिनसरबाक चान हो आ छोटकी सँझुका। लगइ जेना दूटा कमल छवि छिरिया रहल हो। बड़की जेना फूलडालीमे राखल उदास सरोरुह आ छोटकी जेना सरोवरमे डोलैत अर्द्धविकसित सरसिज। [2009/20m/5d]

  30. “‘लोरिक विजय’ उपन्यासमे मिथिलाक माटि-पानि आ संस्कारक सम्पूर्ण सौन्दर्य ओ सौरभ उद्भासित भऽ उठल अछि।” एहि उक्तिक समीक्षा करैत ‘लोरिक विजय’क औपन्यासिक वैशिष्ट्य पर प्रकाश दिअ। [2009/60m/7]

2.4] ललित

31 questions

  1. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “‘पृथ्वीपुत्र’ मैथिलीमे एक उत्कृष्ट आँचलिक उपन्यास थिक” –सयुक्ति विवेचन करू। [2026/20m/8a]

  2. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): असलमे धरती जोतनिहारक थिक। हरबाह थिक जे धरतीक असल बेटा थिक। जेँ अपन पसेनासँ धरती-माताकेँ पूजै अछि। कय दिन देखलहक अछि मालिककेँ अपन पसेनासँ धरती-माताक पूजा करैत? [2025/10m/5c]

  3. “‘पृथ्वीपुत्र’ उपन्यासमे कलपू मिश्र आ बिजलीक संबंधकेँ बियाह धरि लऽ जेबाक साहस ललित नहि कऽ सकलाह। ई परम्पराक सम्मान छल कि प्रगतिशीलताक समकालीन विवसता।” एहि कथनक समीक्षा करू। [2025/15m/6b]

  4. “जिबैत रहब पहिने जरूरी छैक संसारमे। तखन लोक-लाज। नीक बेजाय।” ‘पृथ्वीपुत्र’ उपन्यासक आधार पर एहि कथनक पुष्टि करू। [2025/15m/8c]

  5. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “मोन नइ लगइ। मोनमे बसल रहइ गोरका चक्काबला कलपू। लाल-लाल ठोरबला कलपू। भरि दिन एकर मुह ताकऽबला कलपू। नीक-नीक वस्तुक उपहार देमए बाला कलपू। कहाँ देवदारु-सन ओ आ कहाँ खएरक कुबड़ाह गाछ-सन ई।” [2024/10m/5e]

  6. ‘पृथ्वीपुत्र’ उपन्यासक कथानक एकटा भूमिहीन आ निम्नवर्गीय ग्रामीण जीवनक परिवर्त्तनकेँ चित्रित करैत अछि–सयुक्ति विवेचन करू। [2024/20m/7a]

  7. ‘पृथ्वीपुत्र’ उपन्यासमे सामाजिक जीवनक आर्थिक ओ भावनात्मक दूनू पक्षकेँ उजागर करैत ओकर समाधान सेहो देखाओल गेल अछि–सयुक्ति विवेचन करू। [2024/15m/8c]

  8. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) तोँ हमर सींथ छुबितह तेहन भाग हमर नै छह । तोँ देवता छह हमर । मगर ई गहना पहिरबाक हमर भाग नै अछि अइ जन्ममे । ओ गहना पहिरब त’ हम मरि जायब । [2023/10m/5e]

  9. ‘पृथ्वीपुत्र’क कथानकमे गति अछि, कथहिसँ चरित्रक चारूता चित्रित अछि, कथामे औत्सुक्य अछि जे क्रमशः बढ़ल अछि ओ कतहु क्षीण नहि होअ । पओलक अछि – सयुक्ति विवेचन करू । [2023/20m/7a]

  10. ‘पृथ्वीपुत्र’ मे कोन समस्या उठाओल गेल अछि आ तकर समाधान की सुझाओल गेल अछि? [2022/15m/6c]

  11. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य अछि) “सरिपहुँ … बागमती, कमला, बलान, गण्डक आ कोसी खास कऽ कोसी तँ अपराजिता अछि, ने । ककरहु सामर्थ्य नहि जे एकरा पराजित कऽ सकय । सरकार आओत … चलि जायत मिनिस्ट्री बनत आ टूटत, मुदा ई कोसी, ई बागमती, ई कमला आ बलान … अपन एहि प्रलयंकारी गति मे गामक-गाम के भसि अबैत रहत ।” [2021/10m/5e]

  12. ‘पृथ्वी पुत्र’ उपन्यास मे जीवनक ओ चित्र उतारल गेल अछि, जे सत्य पर आधारित अछि, – एहि युक्तिक समीक्षा करू । [2021/15m/6b]

  13. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) केहन फुलायल रहै बेनी पहिने, इजोरिया सन । मुँह क गोरका चक्का थलकमल सन विहुँसै । छोट-छोट आँखि उल्लासेँ चक-चक करैत । ओहिमे सदति काकु-व्यंग्य आ बाल-सुलभ चंचलता भरल । से एतबे दिनमे जेगा गहन लागि गेल होइक । शोक सन्हिया गेलै । जेना तरे-तर जरि-पजरिक’ सुड्डाह भेल जाइत हो । मुँह झामर, आँखि धसल-सुन्न । भरिदिन हेरायल – भोतिआयल सन । [2020/10m/5e]

  14. ‘ ‘ललित’ नवीन शिल्प शैलीमे, सामाजिक जीवनक ठोस धरातल पर यथार्थवादी उपन्यास “पृथ्वी पुत्र”क रचना कऽ एकटा युगान्तर उपस्थित कयलनि अछि’ – सयुक्ति विवेचन करू । [2020/20m/8a]

  15. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) असलमे धरती जोतनिहारक थिक । हरबाहक थिक जे धरतीक असल बेटा थिक । जे अपन पसेनासँ धरती-माता केँ पूजै अछि । कय दिन देखलहक अछि मालिककेँ अपन पसेनासँ धरती-माताक पूजा करैत? [2019/10m/5b]

  16. ‘पृथ्वीपुत्र’ एक सामाजिक उपन्यास थिक जाहिमे जीवनक ओ चित्र उतरल अछि जे सत्य पर आधारित अछि – समीक्षा करू । [2019/15m/6c]

  17. उपन्यासकार ललित “पृथ्वीपुत्र”मे मानव स्वभावक नैसर्गिक प्रवृत्ति ओ भावनाकेँ जे प्रधानता देल अछि से हुनक स्वस्थ दृष्टिकोणक द्योतक थिक – समीक्षा करू । [2018/15m/6b]

  18. ललितक “पृथ्वीपुत्र” नवीन शिल्पक एक एहन उपन्यास अछि जाहिमे स्वातन्त्र्योत्तर ग्रामीण समाजक परिवर्तनशील परिवेशक संघर्षशील कृषक-मजूरक निम्नवित्तीय स्थितिक कलात्मक चित्रण कएल गेल अछि – स्पष्ट करू । [2018/20m/8a]

  19. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) सरिपहुँ… बागमती, कमला, बलान, गण्डक आ खास क’क’ कोसीतँ अपराजिता अछि ने ! ककरहु सामर्थ नहि जे एकरा पराजित क’ सकय । सरकार आओत… चलि जायत… मिनिस्टरी बनत आ टूटत-मुदा ई कोसी… ई बागमती… ई कमला आ बलान… अपन एही प्रलयंकारीगतिमे गामकेँ भसिअवैत, हरिअर-हरिअर खेतकेँ उज्जर करैत, माल-जालकेँ नाश करैत, घर-द्वारक सत्यानाश करैत बहैत रहत आ बहैत रहत । [2017/10m/5a]

  20. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) घामक टघार कपारसँ नाकक नोक दड चुबै ! भरल-चढल छाती पर घाम टघरि-टघरि चापत पेट पर बहि डाँडक धोतीमे सुखैल चलि जाइक । मोन एकदम महुरा गेल रहैक । मुँह लाल-स्याह मुदा आँखि ओहिना निश्चल आ स्थिर रहैक । जतेक गैद तबतैक, जतेक घाममे नहाजायत, जतेक मोन माहुर हेतइ, ततेक आर मस्त भय हडर जोतत । अपन घामओ गैदक माहुरमे मगन भय टिटकारलक छोट-छोट बड़दक जोरीकेँ । [2017/10m/5c]

  21. ‘पृथ्वीपुत्र’ उपन्यासमे जीवनक ओ चित्र उतरल अछि जे सत्य पर आधारित अछि – एहि उक्तिक समीक्षा करू । [2017/15m/6c]

  22. “पृथ्वीपुत्र” उपन्यासमे निम्नवर्गक जीवन एवं ओकर सामाजिक एवं आर्थिक संघर्षकेँ व्यापक रूपेँ व्यक्त कएल गेल अछि” – एहि उक्तिक समीक्षा करू । [2016/15m/6c]

  23. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “असलमे धरती जोतनिहारक थिक। हरबाहक थिक जे धरतीक असल बेटा थिक। जे अपन पसेनासँ धरती-माताकेँ पूजै अछि। कै दिन देखलहक अछि मालिककेँ अपन पसेनासँ धरती-माताक पूजा करैत? देखहक सरकारी कानून त’ जरूर सोचि विचारि क’ बनै छैक ने। बटिदारक नामे खाता कि सिकमी-खाता खोलबाक कानून जरूर कोनो इनसाफसँ बनल हेतैक। हम सभ निपढ़ छी तँइ भने नै बुझियै, मगर ई सोचबाक चाही जे सभ कानूनक पाछाँ कोनो निसाफ जरूर रहैत छैक।” [2015/10m/5a]

  24. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “सरिपहुँ….. बागमती, कमला, बलान, गण्डक आ खास क’ क’ कोसी तँ अपराजिता अछि ने। ककरहु सामर्थ्य नहि जे एकरा पराजित क’ सकय। सरकार आओंत….. चलि जायत….. मिनिस्टरी बनत आ टूटत–मुदा ई कोसी….. ई बागमती….. ई कमला आ बलान….. अपन एही प्रलयंकारी गतिमे गामकेँ भसिअबैत, हरिअर-हरिअर खेतकेँ उज्जर करैत, माल-जालकेँ नाश करैत, घर द्वारक सत्यानाश करैत बहैत रहत आ बहैत रहत।” [2015/10m/5c]

  25. “जिबैत रहब पहिने जरूरी छैक संसारमे। तखन लोक लाज। नीक बेजाय।” एहि उक्तिक आलोकमे ‘पृथ्वीपुत्र’ उपन्यासक मूल्यांकन करू। [2015/15m/6b]

  26. “‘पृथ्वीपुत्र’ उपन्यासमे ललित मानव स्वभावक नैसर्गिक प्रवृत्ति ओ भावनाकेँ जाहि प्रकारेँ प्रधानता देल अछि से हुनक स्वस्थ दृष्टिकोणक परिचायक थिक।” एहि कथनक समीक्षा करू। [2014/15m/6b]

  27. “‘पृथ्वीपुत्र’ उपन्यास सर्वहारा वर्गक अपन अधिकारक प्रति साकांक्षताक संघर्ष-कथा अछि।” एहि कथनक समीक्षा करू। [2013/25m/6a]

  28. “पृथ्वीपुत्र’ कोनो वर्गविशेष अथवा समाजविशेषक नहि अपितु मानवजातिक मूलभूत भावना ओ वासनाक चित्र उपस्थित करैत अछि”–सयुक्ति विवेचन करू। [2012/30m/7b]

  29. निम्नलिखित गद्यांशक अभिव्यंजनागत ओ कथ्यगत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): असलमे धरती जोतनिहारक थिक। हरबाह थिक जे धरतीक असल बेटा थिक। जे अपन पसेनासँ धरती-माताकेँ पूजै अछि। कएदिन देखलहक अछि मालिककेँ अपन पसेनासँ धरती-माताक पूजा करैत? देखहक सरकारी कानून त’ जरूर सोचि विचारिक’ बनै छैक ने। बटीदारक नामे खाता कि सिकभी-खाता खोलबाक कानून जरूर कोनो इनसाफसँ बनल हेतैक। हम सभ निपढ़ छी तइँ भने नै बुझियै, मगर ई सोचबाक चाही जे सब कानूनक पाछाँ कोनो निसाफ जरूर रहै छैक। [2011/20m/5b]

  30. “जिबैत रहब पहिने जरूरी छैक संसारमे, तखन लोक-लाज, नीक-बेजाय” प्रस्तुत वाक्य-खण्डक आलोकमे ‘पृथ्वीपुत्र’ उपन्यासक तर्कसंगत समीक्षा करू। [2011/30m/7a]

  31. निम्नलिखितमे सँ कोनो तीन गद्यांशक सन्दर्भ सहित व्याख्या करैत ओहिमे सन्निहित विचार आ काव्यगत विशेषताकेँ स्पष्ट करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): सुगियाक आँखि नोरा गेल छलैक। एक भिनसर सँ फिरीसान भ’ क’ बिछने छलि, आ से एक मिनटक ककरो चंठपनीमे नाश भ’ गेलैक। ओ हतप्रभ भेलि ठाढ़ि छलि, ओकर मुँह दयनीयता सँ भरल छलैक। ओकर करुण मुँह देखि सभक मन दुःखी छलैक। दुःखक ओहि धरातलकेँ फोड़ि कऽ बहार भेलैक तामस, आक्रोश आ गारि जे स्वाभाविक छलैक, जे निर्बलक प्रतिकारक साधन छलैक। [2009/20m/5c]

2.5] सुधांशु ‘शेखर’ चौधरी

30 questions

  1. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): लोक जे किछु सोचैए से जँ होब’ लगै तँ ककरो मोनमे असन्तोष रहबै ने करतै, मुदा जे करबाक ओकरामे क्षमता रहै छै तकर तँ अवसर नै देल जाइ तँ ओ आगि जकाँ धधकि उठैए-धधकैत रहैए! [2026/10m/5d]

  2. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: ‘भफाइत चाहक जिनगी’ मे नाटककार मानव-जीवनक समस्या, संघर्ष ओ परिस्थिति-परिवेशक यथार्थ चित्रण कएलनि अछि। समीक्षा करू। [2026/15m/7c]

  3. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): ‘टाइम’ पर कोनो काज नहि करताह। खयबाक ठीक नहि, सुतबाक ठीक नहि। ‘हेल्थ’ चौपट भेल जाइत छनि….. जे आदमी ‘टाइम’ पर बासा नहि घुरत ‘टाइम’ पर खायत-पीयत नहि से बीमार किएक नहि रहत? [2025/10m/5b]

  4. “‘भफाइत चाहक जिनगी’ नाटकक संवाद योजना नाटकक सफलताक मूलमे अछि।” एहि कथनकेँ स्पष्ट करू। [2025/15m/6c]

  5. ‘भफाइत चाहक जिनगी’मे नाटककार शिक्षित बेरोजगार युवकक चारित्रिक सबलता, कर्मठता ओ संघर्षक चित्रण कएलनि अछि–सयुक्ति विवेचन करू। [2024/15m/7c]

  6. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) जे स्वयं भ्रष्ट अछि, जे स्वयं लुझबा आ लुटबामे व्यस्त अछि, जे स्वयं प्रतिभा आ मेधाक छाती पर सवार भड कड ताण्डव कड रहल अछि सैह अनका भ्रष्ट, चोर निरधिन कहैए । … कहैए जे तोँ अधलाह छेँ, अधलाह काज कड रहल छेँ । चरित्रहीन चरित्रवानकेँ अयोग्यताक चुनौती देने अछि आ हमरा सन लोक एही चुनौतीक तरमे दबाकड किकिया रहल अछि । [2023/10m/5d]

  7. ‘भफाइत चाहक जिनगी’ मे नाटककार शिक्षित-बेरोजगार युवकक माध्यमे समाजमे व्याप्त जीवनक समस्या एवं संघर्षक संग परिस्थितिक अनुसार अपनोकेँ अनुकूल बना सकए, तकर बुद्धिवादी सामंजस्य प्रस्तुत कएलनि अछि – एहि कथनक समीक्षा करू । [2023/20m/8a]

  8. ‘भफाइत चाहक जिनगी’ केँ नवीन नाट्यशिल्पक पहिल कृति मानल गेल अछि ।’ – एहि पर अपन मत दैत तकर पुष्टिमे तर्क उपस्थित करू । [2022/15m/7b]

  9. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य अछि) “सुकर्म आ अपकर्म ककरा कहै छै, से बुझबाक बुद्धि जँ अहाँ मे रहैत तँ आइ अहाँकेँ हमरासँ वा हमर ऐ स्टालसँ घृणा नै होइत । एके टोकारा पर अहाँ लगले हमरा लग दौड़ल अबितौं …. पुछितौं जे हमर व्यवसाय घाटा मे चलि रहल अधि की नफामे । अहाँ से कयलौं नै आतें केवल आश्रमक बा परिवारक, अपितु अहाँ अपनो लेल भारेटाछी ।” [2021/10m/5c]

  10. ‘भफाइत चाहक जिनगी’क नाटककार शिक्षित-बेरोजगार युवकक माध्यमे समाजमे व्याप्त जीवनक समस्या एवं संघर्षक संग परिस्थितिक अनुसार अपनाकेँ अनुकूल बना सकए, तफर बुद्धिवादी सामंजस्य प्रस्तुत कएलनि अछि – एहि कथनक समीक्षा करू । [2021/15m/8c]

  11. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) जेँ आइ सभ नवयुवकक लक्ष्य नोकरियेटा भऽ गेलैए, तेँ सभ तरि निराशाक वातावरण बनिगेल छैक । चाही ई जे नोकरियोकेँ एक साधन बूझल जाय । जेनाई संसार अनन्त अछि, तहिना साधनो असीमित छैक । मोनकेँ एके खुटासँ बन्हने रहब मनुकखक मर्यादाकेँ ओ ओकर सामर्थ्यकेँ अपमान करब थिक । [2020/10m/5c]

  12. नाट्य तत्वक निकष पर “भफाइत चाहक जिनगी” नाटकक मूल्यांकन करू । [2020/15m/7b]

  13. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) मैथिल चाह तँ ने पिबैए, मीठ पिबैए । कतबो चाहमे चीनी देने रहबै …. ऊपर सँ एक वा दू चम्मच आर चाही । एहनमे लोक बिकाइये जायत । केहन महगी छै आ चीनी कोना भेटै छै से बुझिते छिए ! [2019/10m/5a]

  14. ‘भफाइत चाहक जिनगी’ आदर्शवादी शिक्षित बेरोजगार नवयुवकक संघर्षपूर्ण जीवनगाथा अछि – स्पष्ट करू । [2019/15m/7b]

  15. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) ओ छथि पुरान लोक …….. पुरान मान्यतामे जिनिहार । ओ नोकरीकेँ प्रतिष्ठाक काज बुझैत छथि आ बनियाक काजकेँ नीच कर्म मानै छथि । हुनकर मान्यता पर हम किए आघात करियनि । हम जाहि संसारमे जीवि रहल छी, अपन अस्तित्वक लेल जेहन संघर्ष हमरा लोकनिकेँ करड पड़ि रहल अछि ताहिसँ ओ अपरिचित छथि । ओ अपन संसारमे रहथु, हम अपन संसारक आगिसँ हुनका किए झरकबियनु । [2018/10m/5c]

  16. “भफाइत चाहक जिनगी”क नाटककार शिक्षित बेरोजगार युवकक माध्यमे समाजमे व्याप्त जीवनक समस्या एवं संघर्षक चित्रणक संग परिस्थितिक अनुसार अपनाकेँ अनुकूल बना सकए तकर बुद्धिवादी सामंजस्य प्रस्तुत कएलनि अछि – एहि तथ्यक मूल्यांकन करू । [2018/15m/8c]

  17. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) सुकर्म आ अपकर्म ककरा कहै छै से बुझबाक बुद्धि जँ अहाँमे रहैत तँ आइ अहाँकेँ हमरासँ वा हमर ऐ स्टालसँ घृणा नै होइत । एके टोकारा पर अहाँ लगले हमरा लग दौडल अबितौं… पुछितौं जे हमर व्यवसाय घाटामे चलि रहल अछि कि नफामे । अहाँ से कयलौं नै आ तेँ हम कहब जे अहाँ ने केवल समाजक, ने केवल आश्रमक वा परिवारक, अपितु अहाँ अपनो लेल भारेटा छी । [2017/10m/5e]

  18. “जखन बैसल बेटा मायो-बापकेँ नै सोहाइत छैक, आन किए ककरो गरा लगोतैक ।” – भफाइत चाहक जिनगी’मे महेशक एहि उक्तिमे सन्निहित व्यंग्यक समीक्षा करू । [2017/15m/8b]

  19. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य । भाइ, हम-अहाँ ओहि नजरिये देखबाक अभ्यस्त भ’ गेल छी । आइ समस्त मध्यमवर्गीय बुद्धिजीवीक इएह हाल छै । कमायवला एक गोट, खायवला दस । इएह ‘पैरासिटिज्म’ हमरा लोकनिक एहि दलित अवस्थाक कारण अछि । हजार कच्छें हमरासँ नीक एखन अहाँक श्रमजीवी अछि । से नै, अपने डेरामे जे दाइ काज करै अछि तकरे देखियौ, तीनू सासु-पुतोहु तीन डेराक काज धयने अछि…. तीस टाका महीना आ तीन थारी भात नित्त । [2016/10m/5a]

  20. “‘मफाइत चाहक जिनगी’ आदर्शवादी शिक्षित बेरोजगार नवयुवकक संघर्षपूर्ण जीवन-गाथा अछि” – स्पष्ट करू । [2016/20m/8a]

  21. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “नै, एना बुझलासँ लोकक काज नै चलि सकै छै। जेँ आइ सभ नवयुवकक लक्ष्य नोकरियेटा भऽ गेलैए तेँ सभतरि निराशाक वातावरण बनि गेल छै। चाही ई जे नोकरीयोकेँ एक साधन बूझल जाय। जेना ई संसार अनन्त अछि तहिना साधनो असीमित छैक। मोनकेँ एके खुट्टासँ बन्हने रहब मनुक्खक मर्यादाकेँ आ ओकर सामर्थ्यकेँ अपमान करब थिक।” [2015/10m/5b]

  22. नाट्यतत्त्वक निकष पर ‘भफाइत चाहक जिनगी’ नाटकक मूल्यांकन करू। [2015/15m/8b]

  23. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): आजुक युगमे यदि क्यो सोड़हो आना भाग्यवादी बनि जाय आ हिया हारिक’ अपनाकेँ भगवानक इलाका लगा देअय, त लोक ओकरा बताहे कहतैक कि! मुदा हमरा सनक भेष-भुषावाला लोक यदि समाजमे बताह कहाब’ लागय तँ भरिसक संसारमे बताहक संख्या सभसँ बेसी भ’ जयतैक। की सरिपहुँ लोक जानि-बुझि क’ अपन बगय खराप बना लैए? [2014/10m/5b]

  24. “‘भफाइत चाहक जिनगी’ नाटकमे नाटककार एक शिक्षित बेरोजगार युवकक चरित्रक कर्मठता ओ संघर्षक चित्रण कएलनि अछि”–विवेचन करू। [2014/15m/8b]

  25. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): मुदा जखनसँ हमरा ई बुझल भेल अछि जे बड़का-बड़का अफसर आ बड़का-बड़का जातिक बड़हु बेटी नाटक खेलाइ छै, नाच करै छै, गीत गबै छै…. हम छगुन्तामे पड़ि गेल छी। कोम्हर जा रहल अछि अपन समाज, किछु बुझाइते ने अछि। सभलोक भ्रष्ट भेल जा रहल अछि। [2013/10m/5d]

  26. निम्नलिखित गद्यांशक अभिव्यंजनागत ओ कथ्यगत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): जे व्यक्ति अपने कोनो जोगरक नै रहैए सैह समाजक आ कुलशीलक नाक झंडामे टङने फिरैए आ जकरा अपन बाँहिक भरोस रहै छै से घर-परिवार वा समाजक बोझ नै बनिकऽ अपने हाथ-पयर लाड़ब पसिन्द करैए। …जखन बैसल बेटा मायो-बापकेँ नै सोहाइत छैक, आन किए ककरो गरा लगोतैक। अहाँकेँ गौआसभक ओहि ठाम पेट पोसऽमे मर्यादा देखाइत अछि आ हमरा एहन जीवन मरणतुल्य बुझाइत अछि। [2012/12m/5d]

  27. नाट्यकलाक दृष्टिसँ ‘भफाइत चाहक जिनगी’क विशेषता देखाउ। [2012/30m/7a]

  28. निम्नलिखित गद्यांशक अभिव्यंजनागत ओ कथ्यगत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): भाषाक विकासो तँ सरकारेक कर्त्तव्य छैक। जतेक सहयोगक आशा हमरालोकनि सरकारसँ करैत छी की तकर दसमांसो पूरा भेल? कतेको बहुमूल्य ग्रन्थ लिखल राखल अछि, तकरा दिवार खा रहल छै। एकर प्रकाशनक व्यवस्था होयबाक चाही कि नै? ताहि लेल सरकार की कऽ रहल अछि? [2011/20m/5a]

  29. ‘भफाइत चाहक जिनगी’मे लेखक की अभिप्राय छन्हि–युक्तियुक्त विवेचन करू। [2011/30m/7b]

  30. निम्नलिखित कोनो तीन गद्यांशक सन्दर्भसहित व्याख्या करैत ओहिमे निहित अभिव्यंजनागत ओ कथ्यगत विशेषता पर प्रकाश दिअ (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): जेँ आइ सभ नवयुवकक लक्ष्य नोकरियेटा भऽ गेलैए तेँ सभतरि निराशाक वातावरण बनि गेल छै। चाही ई जे नोकरीयोकेँ एक साधन बूझल जाय। जेना ई संसार अनन्त अछि तहिना साधनो असीमित छैक। मोनकेँ एके खुट्टासँ बन्हने रहब मनुक्खक मर्यादाकेँ आ ओकर सामर्थ्यकेँ अपमान करब थिक। [2010/20m/5c]

2.6] ‘कृति राजकमलक’ (प्रथम दस कथा)

39 questions

  1. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: ‘कृति राजकमल’क तात्त्विक विवेचनक संग-संग भाषा-शिल्पक महत्त्व पर प्रकाश दिअ। [2026/20m/7a]

  2. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “राजकमलक कथामे मिथिलाक आदर्श नारीक चरित्र एवं सांस्कृतिक वैभव उद्घाटित भेल अछि।” ‘कृति राजकमल’क आधार पर पल्लवित करू। [2026/15m/8b]

  3. “राजकमलक कथामे सभसँ पैघ विशेषता ई अछि जे सब कथामे राजकमल स्वयं रहितहि छथि।” ‘कृति राजकमलक’सँ पठित कथाक आधार पर एहि कथनक समीक्षा करू। [2025/20m/6a]

  4. “राजकमल चौधरीक कथाक संगति-विसंगति कथाक नहि अपितु ओहि समाजक संगति-विसंगति थिक जाहिमे ओ रहैत छलाह।” ‘कृति राजकमलक’ पठित कथाक आधार पर एहि कथनकेँ सिद्ध करू। [2025/20m/8a]

  5. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “अहाँ सभ पुरुष छी ने! निस्सहाय नारी जाति पर दया करबामे अहाँ सभ बड़ गौरवक अनुभव करैत छी। मुदा, हम स्त्री नहि छी, फूल भैया! हम त’ माटिक फूटलि हाँड़ी छी। हमरा पर दया करबाक कोनो प्रयोजन नहि। अहाँ जाउ ….” [2024/10m/5c]

  6. “कवि राजकमलकेँ लोक बिसरि जाइत, मुदा कथाकार राजकमल मैथिली साहित्यक क्षेत्रमे अमर रहताह।” एहि कथनक पल्लवन पाठ्यांशक आधारपर करू। [2024/15m/6b]

  7. “राजकमलक कथा मिथिलाक मध्यवर्गक ओहि समस्त संस्कार पर जमि क’ प्रहार करैत अछि, जे ओकर आर्थिक-सामाजिक संघर्षमे बाधक थिकैक।” एहि कथनक विवेचन पाठ्यांशक आधारपर करू। [2024/15m/8b]

  8. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) हमरा लेखेँ तँ आब अही’ देवता छी । लिय’ भेल बहुत काल मान रखलहुँ । एहन तँ ककरो ‘वर’ नहि छैक । लेल जाओ देवता महाराज, लेल जाओ नैवेद्य उपस्थित अछि । [2023/10m/5b]

  9. ‘राजकमल’क मैथिली कथाक शब्द-शब्दमे नवीनता ओ प्रयोगधर्मिताक अद्भुत सामंजस्य अछि, जेहने भाव-वस्तुमे, तेहने अभिव्यक्ति शैलीमे – ‘कृतिराजकमलक’ आधार पर एहि उक्तिक समीक्षा करू । [2023/15m/7c]

  10. मिथिलाक मध्यवर्गीय अभिजात्य वर्गक छद्म विद्रूपक चित्रण ‘राजकमलक’ कथाक मूल तत्त्व कहले जाइत अछि – समीक्षा करू । [2023/15m/8c]

  11. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) घरक हाइ-कमाण्ड एखन धरि इएह रहय । अइ टोकमे कोनो तेहन शक्ति रहैक जकरा नेनहिसँ मानबाक संस्कार जमि गेल रहैक । कोनो अनट-विनट काज करैत काल, कोनो अनुचित करैत काल, इएह टोक नेनासँ सुनने रहय । आ तकर बाद फेर आगाँ किछु कहबाकआ कि सुनबाक साहस कहियो ने होइक । आइयो ने भेलैक । नवीन पौरूषक दर्प उतरि गेलैक । हठात् घोर लज्जा एँ घेरि लेलकै । माइक सोझाँ अपन पौरूषक प्रदर्शनसँ बड़ संकोच भेलैक । [2022/10m/5c]

  12. अहाँक दृष्टिएँ कोन-कोन वैशिष्ट्यक कारणेँ राजकमलक कथा महत्त्वपूर्ण मानल जाइछ? [2022/15m/6b]

  13. मिथिलाक मध्यवर्गीय अभिजात्य वर्गक छ्द्म विद्रूपक चित्रण राजकमलक कथा मूल तत्त्व कहल जाइत अछि – एकर विवेचना करू । [2021/20m/8a]

  14. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) निम्न मध्यम वर्गक व्यक्ति छी, ऐश्वर्य आविलासक स्वप्न सभदिन साहित्य आ दर्शनसँ पूर होइत रहल अछि । अलेक्जेंडर ड्यूमाक उपन्याससँ सामन्ती जीवन व्यवस्थाक आनन्द भेटल अछि, शरच्चन्द्रक उपन्याससँ राजलक्ष्मी आ सावित्री आ किरणमयी आ वन्दना आ कमल सन नारीक संगतिक आनन्द ! वास्तविक जीवनमे एहन आनन्द कत’पायब? राजलक्ष्मी सन नारीक सिनेह कत’भेटत? [2020/10m/5d]

  15. राजकमल मैथिली कथाक शब्द-शब्दमे नवीनता ओ प्रयोग धर्मिताक अद्भुत सामंजस्य अछि, जेहने भाव-वस्तुमे, तेहने अभिव्यक्ति शैलीमे – “कृति राजकमलक” आधार पर एहि उक्तिक समीक्षा करू । [2020/20m/6a]

  16. मैथिली कथा साहित्य मध्य ‘ललित’ – ‘राजकमल’ ओ ‘मायानन्द’ त्रीमूर्तिक रूपमे स्थापित छथि – सयुक्ति विवेचन करू । [2020/15m/7c]

  17. मैथिली कथा साहित्यक विकासमे ‘कृति राजकमल’क योगदान स्पष्ट करू । [2019/15m/7c]

  18. राजकमलक कथा ने हुनक चारित्रिक विशेषता कोनहु ने कोनहु रूप मे अवश्य भेटत – एहि कथन पर विचार करू । [2019/15m/8c]

  19. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) लोक कहैत अछि, पृथ्वी पर जतेक पाप होइत अछि, सभक एकमात्र कारण थिक इऐह वस्तु – उत्सुकता ! उत्सुकता, पाप आ अपराध दुनू वस्तुक जननी ! …….. हम सभ कोनो वस्तुक प्रति, ओकरा प्राप्त करबाक लेल ओहि वस्तुक सम्पूर्ण व्यक्तित्व कैँ अपन बाँहिमे, अपन वक्षमे, अपन अनामा आँगुरमे सोनाक अनन्त जकाँ, नीलमणि औँठी जकाँ पहिरि लेबाक लेल उत्सुक होइत छी आ उताहुल होइत छी । आ तकरा बाद हमरा सभक जीवन आ जीवनक उद्देश्य आ विधेय बदलि जाइत अछि ………. । [2018/10m/5e]

  20. मिथिलांचलक मध्यमवर्गक अभिजात्य छद्मक विद्रूप राजकमलक कथाक मूलतत्त्व कहल जा सकैत अछि – विवेचन करू । [2018/15m/7c]

  21. कोनो कथाक संगति-विसंगति कथाक नहि, ओहि समाजक रहैछ जाहिमे ओ कथाकार रहैत अछि – ‘कृति राजकमलक’मे पठित प्रथम दस कथाक आधार पर एहि उक्तिक समीक्षा करू । [2017/15m/7b]

  22. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य । सोझाँमे ठाढ़ि स्त्री-छायाकेँ देखि क’ घृणा होइत अछि । घृणा होइत अछि, क्रोध होइत अछि, सिनेह होइत अछि, दया होइत अछि, करुणा, वेदना, ग्लानि, परिताप, चिन्ता सभ किछु होइत अछि । अनिमेष दृष्टिसँ हमरा दिस, हम्मर चश्माक लाइब्रेरी फ्रेम दिस, रेशमी चद्दरि दिस, फिन-ले कम्पनीक धोआ धोती दिस आ हम्मर आँखिमे भरल आश्चर्य दिस तकैत स्त्री-छाया त’ सत्ते छाया-मात्र छथि, स्त्री नहि छथि । [2016/10m/5c]

  23. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य । एक बेर उन्नैस बरखक अपन बेटीकेँ देखय जे वयसक बाढ़िमे भरल-उमड़ल परमान धारसन लगैक । फेर टोल पड़ोसक स्त्रीगणक आँखि दिस ताकय जकर आँखिमे व्यंग्य रहैक, उत्सुकता रहैक, निष्क्रिय दर्शकक क्रूरता रहैक । मने मन पजरि रहि जाय । ने धूआँ होइक ने धधरा । एहन दिन भेलै छँउड़ीकेँ । केहन भरल-पुरल सासुर छैक । [2016/10m/5d]

  24. राजकमलक कथामे हुनक चारित्रिक वैशिष्ट्य कोनहु ने कोनहु रूपमे अवश्य भेटत – एहि कथन पर विचार करू । [2016/15m/7b]

  25. “कवि राजकमलकेँ लोक बिसरि जाइत, मुदा कथाकार राजकमल मैथिली साहित्यक क्षेत्रमे अमर रहताह।” एहि कथन पर विचार करू। [2015/20m/7a]

  26. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): अइ टोकमे कोनो तेहन शक्ति रहैक जकरा नेनहिसँ मानबाक संस्कार जमि गेल रहैक। कोनो अनट-बिनट काज करैत काल, कोनो अनुचित करैत काल, इएह टोक नेनासँ सुनने रहए। आ तकरा बाद फेर आगाँ किछु कहबाक आ कि करबाक साहस कहियो ने होइक। आइओ ने भेलैक। नवीन पौरुषक दर्प उतरि गेलैक। हठात् घोर लज्जा घेरि लेलकै। [2014/10m/5a]

  27. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): स्वांग रचब हमर जीवन आ जीविका भ’ गेल अछि। बीस बर्ख पहिने ई सत्य हमरा बुझवामे आबि गेल छल जे जीबाक अछि; तेँ स्वांग रच’ पड़त, कोनो-ने-कोनो स्वांग-नीक लोकक वा अधलाह लोकक! बुझवामे आबि गेल छल जे सभ लोक कोनो-ने-कोनो स्वांग रचैत अछि। जे हम छी, जे हमर असली व्यक्तित्व अछि, हमर असली चेहरा, से व्यक्त कयने, व्यक्त करैत रहलासँ ने हमरा अन्न-पानि भेटि सकैत अछि, ने ठाढ़ होयबाक लेल कोनो ओसारा, कोनो आङन! [2014/10m/5d]

  28. “‘साँझक गाछ’ कथामे जीवनक संघर्ष वाह्य एवं अभ्यन्तर दुनूक समावेश पूर्णरूपेण देखवामे अबैत अछि।” एहि कथनक समीक्षा करू। [2014/15m/7b]

  29. “मैथिली कथा-साहित्यक भव्य ललाट पर राजकमल-ललित आ मायानन्दकेँ त्रिपुंडक रूपमे देखल जाइत अछि”–एकरा युक्तियुक्त पल्लवित करू। [2014/15m/8c]

  30. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): सब मात्र पगहा तोड़ि नै पड़ाइ छै। सब गाछकेँ बिहाड़ि नै तोड़ि-मड़ोड़ि दै छैक। बहुत गाछ बिहाड़िक दोगे-दोगे बाँचि जाइत अछि। फड़ि-फुला क’ सुखा जाइत अछि। मुदा कतेक अभागल गाछ बिहाड़िक बाट पर ठाढ़ झमारल जाइत अछि, बेर-बेर मचोड़ल जाइत अछि। [2013/10m/5a]

  31. “राजकमलक कथा मिथिलांचलक मध्यवर्गक ओहि समस्त संस्कार पर जमि क’ प्रहार करैत अछि जे ओकर आर्थिक-सामाजिक संघर्षमे बाधक थिकैक।” ‘कृति राजकमल’क कथाक मादें कहल गेल एहि कथनक समीक्षा करू। [2013/25m/7b]

  32. निम्नलिखित गद्यांशक अभिव्यंजनागत ओ कथ्यगत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): घरक हाइ-कमाण्ड एखन धरि इएह रहय। अइ टोकमे कोनो तेहन शक्ति रहैक जकरा नेनहिसँ मानबाक संस्कार जमि गेल रहैक। कोनो अनट-विनट काज करैत काल, कोनो अनुचित करैत काल, इएह टोक नेनासँ सुनने रहय। आ तकर बाद फेर आगाँ किछु कहबाक आ कि करबाक साहस कहियो ने होइक। आइयो ने भेलैक। नवीन पौरुषक दर्प उतरि गेलैक। हठात् घोर लज्जा घेरि लेलकै। माइक सोझाँ अपन पौरुषक प्रदर्शनसँ बड़ संकोच भेलै। धस्स दऽ बैसि गेल। [2012/12m/5c]

  33. निम्नलिखित गद्यांशक अभिव्यंजनागत ओ कथ्यगत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): मुदा किछुए क्षणक वार्त्तालापमे ई बूझ’मे भाङठ नहि रहल जे उदास मुँहवाली एहि स्त्रीमे किछु से विशेषता अछि जे अनकामे नहि छैक। ई साधारण स्त्री जकाँ जे नीक भानस कर’मे… पतिक सेवा कर’मे… सासुक फज्झति सून’मे… उपनयन-विवाहमे जोर-जोरसँ गीत गाब’मे, दुर्गास्थान, सेमरिया, बैद्यनाथक भीड़क प्रचण्ड धक्का सह’मे जीवन सार्थक बुझैछ, … नहि छथि। फुलपरासवाली हमर ई भौजी किछु विशिष्ट अवस्से। [2012/12m/5e]

  34. “कवि राजकमलकेँ लोक बिसरि जाएत, मुदा कथाकार राजकमल मैथिली साहित्यक क्षेत्रमे अमर रहताह”–एहि कथनपर विचार करू। [2012/30m/8b]

  35. मैथिली साहित्यमे राजकमल चौधरीक योगदानक चर्चा करू। [2011/30m/8b]

  36. “राजकमल मैथिली कथाक शब्द-शब्दमे नवीनता ओ प्रयोगधर्मिताक झलक देखबैत छथि, जेहने भाव-वस्तुमे, तेहने अभिव्यक्ति-शैलीमे।” एहि उक्तिक समीक्षा करू। [2010/60m/6]

  37. निम्नलिखितमे सँ कोनो तीन गद्यांशक सन्दर्भ सहित व्याख्या करैत ओहिमे सन्निहित विचार आ काव्यगत विशेषताकेँ स्पष्ट करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): मउगीक जिनगी महाग विचित्र होइत छैक। ओकरा नीको मोन पड़ै छै आ अधलाहो मोन पाड़ैत नीक लगै छैक। ओइ दिन मोन होअय जे भने ओकर गट्टा तोँ तोड़ि दितही। मगर फेर जखन पंचमे ओकरा जबाव भेटलै त’ कहाँदन ओ बड़ हिचकि-हिचकि क’ कनै। आब सोचै छियै जे ओ जेहन छैक ताहिमे ओकर कोनो दोख ने। हमहूँ जेहन छी तइमे हमरो कोनो दोख ने। [2009/20m/5a]

  38. निम्नलिखितमे सँ कोनो तीन गद्यांशक सन्दर्भ सहित व्याख्या करैत ओहिमे सन्निहित विचार आ काव्यगत विशेषताकेँ स्पष्ट करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): कोनो प्रियतमा अपना प्रेमीक लेल नहि कनइए। कनइए केवल कन्यां। कनइए केवल कन्या अपन मायक स्तन सँ झरैत दूधक निर्झरक लेल, मायक हृदय सँ झरैत स्नेह-वात्सल्यक निर्झरक लेल। आ माय? आ मदालसा? मदालसा एहिना बेटीकेँ ओछान पर सूतलि छोड़ि अन्हार रातिमे, साओन-भादोक बरखामे अभिसारिका बन’ चलि जाइत अछि। [2009/20m/5b]

  39. “कुचक्रमे फँसल देह आ मोनक यथावत् उपस्थापन राजकमलक कथाक निजता अछि।”–‘कृति राजकमलक’क आधार पर एहि कथनक सम्यक् मूल्यांकन करैत मैथिलीक कथाकारक रूपमे राजकमल चौधरीक योगदानक विश्लेषण करू। [2009/60m/8]

2.7] ‘कथा-संग्रह’ (मैथिली अकादमी)

38 questions

  1. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): दुख कि दुःख सन भेल? अहाँकेँ सप्पत खाक कहै छी जे हम स्टेशन पर पड़ल की सभ सोचै छलहुँ। होइ छल जे एही तौनीकेँ फाड़िक दूटा कौपीन बना ली, आ चल जाइ… कतहुँ जाक बाबाजी भ जाइ। …एहन स्त्रीसँ कोन माया-ममता? [2026/10m/5e]

  2. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “‘कथा-संग्रह’ आधुनिक समाज ओ संस्कृतिक सफल प्रतिनिधित्व करैत अछि।” सयुक्ति प्रतिपादन करू। [2026/15m/7b]

  3. जीवनक यथार्थक व्यवहारिक सत्यक साहित्यिक दस्तावेजक रूपमे हरिमोहन झाक ‘पाँच पत्र’ कथाक महत्त्वक प्रतिपादन करू। [2025/20m/7a]

  4. कथा संग्रहक कथा सभहक आधार पर मैथिली कथामे विषय-वस्तुक वैविध्यकेँ फड़ीछ करू। [2025/15m/8b]

  5. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “–जौं खर्चक तकलीफ हो त छौ कट्ठा डीह जे अहाँक नाम पर अछि से भरना धऽ कऽ काज चलायब। अहाँक चन्द्रहार जे बंधक पड़ल अछि से जहिया भगवानक कृपा हैतैन्ह तहिया छुटबे करत।” [2024/10m/5d]

  6. “मैथिली कथा समकालीन सामाजिक आओर आर्थिक विसंगतिपर विभिन्न तरहेँ चोट करैत अछि।” पाठ्यपुस्तकक आधारपर एहि कथनक विवेचन करू। [2024/20m/8a]

  7. ‘झगड़ा’ दम्पती मध्य एकटा एहन झगड़ाक कथा अछि जे अपन मर्मस्पर्शितामे बेजोड़ अछि – स्पष्ट करू । [2023/15m/6c]

  8. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) छौंडा अलबत्त लमोड़ि बहरयलैक । लाज-धाख तँ सफ्फे घोरिकऽ पीबि गेल रहैक । क्यो कहियो एक टा नीक बोल नहि कहलकैक, अगत्तिये तेहन रहै । कोनो दिन एहन नहि बीतै, जे हमहूँ ओकरा दस हजार गंजन नहि करिऐ । मुदा तैयो हेहरा सुटिया कऽ पहुँचि जाय । गाम पर बूढ़ अपंग बाप, आङ्न मे समरथि सतमाय अहुछिया कटैक । [2022/10m/5d]

  9. ‘घरदेखिया’ कथाक शिल्प, भाषा आ कथ्य पर विचार करू । [2022/20m/6a]

  10. ‘कथा संग्रह’क आधार पर स्वातंत्र्योत्तर मैथिली कथाक दशा ओ दिशाकेँ रेखांकित करू । [2022/15m/7c]

  11. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य अछि) “कोन काज हमरा बुतेँ हायत? भीख माङ्गब? भिखमंगोके तँ लोक झझकारिते छैं । मुदाई मौगी अहलादि कए भरि पेट आगरह कए-कए खुअबैए कते ने सिनेह करैए । बीस गोटे द्वारि घूमब, बीस गोटेक बार सुनब तँ होइत बीस टा पाई घुरि जाइ सेहे नीक, मुदा जँ मौगीं देखिलिए ई काँख महक मोटरी?” [2021/10m/5b]

  12. आधुनिक मैथिली कथा मे वर्त्तमान समाजक चित्र अंकित रहैत अछि; ‘कथा-संग्रह’ मे पठित कथाक आधार पर एहि कथनक समीक्षा करू । [2021/15m/7b]

  13. ‘मधुरमनि’ कथा मे ‘किरण’जी श्रमजीवी वर्गक दाम्पत्य जीवनक अनुराग-विरागक हिलसगर कथा कहने छथि …. एहि कथनकेँ युक्तिसंगत सिद्ध करू । [2021/15m/7c]

  14. ‘झगड़ा’ कथा शीर्षक संयोगाश्रित घटना प्रधान अछि, एकर उद्देश्य करुणा उत्पन्न करब थिक । एहि मे लेखककेँ कतेक सफलता भेटल छन्हि? ऐकरा प्रमाणित करू । [2021/15m/8b]

  15. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) पौरुष ककरोसँ उधार नहि लेल जा सकैछ, अपने पौरुष काज दैत छैक अपना । जहिया बाबू कुँवर सिंह अंग्रेजक विरुद्ध तरूआरि उठौलनि, चर्चिल अन्तिम बेर प्रधानमंत्रित्व स्वीकार कयलनि, राजाजी नवपाढी‘केँ जन्म देलनि, कतेक वयस धलनि? विजय-पराजयक चिन्ता करब कापुरुषक जिम्मा । वीरताक वास्तविक साक्षी होइत अछि ओ भूमि जतय लड़ाइ लड़ल जाइन छैक । [2020/10m/5b]

  16. मैथिली कथा साहित्य मध्य ‘ललित’ – ‘राजकमल’ ओ ‘मायानन्द’ त्रीमूर्तिक रूपमे स्थापित छथि – सयुक्ति विवेचन करू । [2020/15m/7c]

  17. ‘मैथिली कथा साहित्यमे योगानन्द झाक “आम खयबाक मुँह” कथाक विशिष्ट स्थान अछि’ – स्पष्ट करू । [2020/15m/8b]

  18. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) अहाँक लिखल चारि पाँती चारि सय बेर पढ़लहुँ । तथापि तृप्ति नहि भेल । आचार्यक परीक्षा समीप अछि । किन्तु ग्रन्थमे कनेको चित्त नहि लगैत अछि । सदिखन अहींक मोहिनी मूर्ति आँखिमे नचैत रहै अछि । [2019/10m/5c]

  19. मैथिली कथा साहित्यमे ‘मणिपद्म’क ‘बालगोविन’ कथाक विशिष्ट स्थान प्राप्त छैक – स्पष्ट करू । [2019/20m/8a]

  20. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) आ सभसँ अन्तिम दृश्य छल लस्सा लागल कमचीमे फसल चिड़ैक, जे छटपट करैत छल, अहुरिया कटैत छल, मुदा ओहि फाँससँ छुटबाक कोनोटा रास्ता ओकरा सुझाइ नहि दैत छलैक । ओ जतेक छटपटा रहल छल, जतेक कूदि फानि रहल छल ततेक ओकर पाँखिसभ औरो फँसले जाइत छलैक, लभझायले जाइत छलैक । ओहि घड़ी ओकराने प्रियाक सौन्दर्य सोहाइ, ने किछु । हड़िघड़ी ओकरा अन्तरसँ आकुल-क्रन्दन उठैक, धू-धू करैत जकर भाफ अश्रुक रूपमे आँखिक मार्गसँ बहि रहल छलैक, ओकर अतीतक अकर्मण्यतारूपी पापकेँ बहाक दूर ल’ जयबाक हेतु । पश्चात्तापक धधकैत आगिमे अतीतक संचित विकार जरिक’ सुड्डाह नहिभ’ जाइत छैक की …… । [2018/10m/5a]

  21. ‘मधुरमनि’ कथामे किरणजी श्रमजीवी वर्गक दाम्पत्य जीवनक अनुरागक हिलसगर कथा कहने छथि’ – सिद्ध करू । [2018/15m/7b]

  22. ‘झगड़ा’ संयोगाश्रित घटना प्रधान कथा अछि जकर उद्देश्य करुणा उत्पन्न करब थिक – एहिमे लेखककेँ प्रर्याप्त सफलता भेटल छनि – प्रमाणित करू । [2018/15m/8b]

  23. निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) कोन काज हमरा बुतेँ हयत? भीख माङ्ब? भिखमंगोकेँ तँ लोक झझकारिते छै । अहलादि कड बैसबै कहाँ छै । आ भीख की दै छै तँ एकटा पाइ । एक मुट्ठी अन्न ! ई कने बजैएतँ भरि पेट आगरह कड कड खुअबैए । कतेने सिनेह करैए । बीस गोटेक द्वारि घूमब । बीस गोटेक बात सुनब, तँ बीसटा पाइ होयत । घूरि जाइ सेहे नीक । मुदा जँ मौगी देखि लिए ई काँख महँक मोटरी? [2017/10m/5b]

  24. आधुनिक मैथिली कथामे वर्त्तमान समाजक चित्र अंकित रहैत अछि – ‘कथासंग्रह’मे पठित कथाक आधार पर एहि कथनक औचित्य पर प्रकाश दिअ । [2017/15m/7c]

  25. “घरदेखिया” कथा मिथिलाक ग्रामीण समाजक वर्ग-विशेषक यथार्थसँ साक्षात्कार करबैत अछि – स्पष्ट करू । [2016/20m/6a]

  26. “पाँच पत्र” कथा पति-पत्नीक राग-वृत्ति काल-चक्र द्वारा जीवनक दशा-दिशाक बोध करबैत अछि – एहि उक्तिक आलोकमे एहि कथाक मार्मिकता देखाउ । [2016/15m/7c]

  27. मणिपद्मक “वालगोविन” कथाक मार्मिकता पर प्रकाश दिअ । [2016/15m/8c]

  28. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “केहन मुखश्री! केहन सरल निश्छल आँखि! हृदयक गूढतम भाग एहि आँखिक द्वारा देखि सकैत छी। मुदा ई सरलता, ई निश्छलता रहत कतेक दिन? एखन यौवनमे प्रवेश मात्र भ’ रहल अछि। नव आशा अछि नव विश्वास। संसारक अनुभव वाँकी अछि तेँ। आ, एकर बाद? नीक बरक अभाव, अतिशय मूल्य….. कत’ ई कान्ति, ई स्वर्गीय लावण्य। पीयर देह, आँखि धसल, मलिन मुखमण्डल…..।” [2015/10m/5d]

  29. सामाजिक जीवन पर आधारित ‘आम खयबाक मुँह’ सरसताक दृष्टिएँ एक सफल कथा थिक–स्पष्ट करू। [2015/20m/6a]

  30. “मनमोहन झाक मैथिली कथाक शब्द-शब्दमे नवीनता ओ प्रयोगधर्मिताक झलक भेटैत अछि, जेहने भाव-वस्तुमे, तेहने अभिव्यक्ति शैलीमे।” एहि उक्तिक समीक्षा करू। [2015/15m/7b]

  31. “करुण रसक स्रोत प्रवाहित करबामे कथाकार मनमोहन झाक अविस्मरणीय अवदान अछि”–प्रमाणित करू। [2015/15m/8c]

  32. नारी हृदयक संवेदनशीलताक चित्रणमे किरणजी कतेक दूर धरि सफल भेल छथि? ‘मधुरमनि’ कथाक आधार पर सिद्ध करू। [2014/20m/6a]

  33. “मैथिली कथा-साहित्यक भव्य ललाट पर राजकमल-ललित आ मायानन्दकेँ त्रिपुंडक रूपमे देखल जाइत अछि”–एकरा युक्तियुक्त पल्लवित करू। [2014/15m/8c]

  34. निम्नलिखित कथ्यक अभिव्यंजनागत वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत सन्दर्भ-सहित व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): परन्तु हुनकर मन एकरा कबूल करनि तखन ने! नेनु सन कोमल हृदय एहि दृढ़ताक आँचकेँ कहाँ सहि पबैत अछि? किऐक मन हरदम हुनकहि संग रह’ लेल लागल रहैत छनि तकर कारण ओ स्वयं नहि बुझि पबैत छथि। परन्तु अन्तमे किछु अनुभव करैत छथि–एक प्रकारक आकुलता, एक प्रकारक आकांक्षा, एक प्रकारक वेदना…। [2013/10m/5c]

  35. ‘पाँचपत्र’ कथाक माध्यमसँ सिद्ध करू जे प्रो० हरिमोहन झा अपन रचनामे नै मात्र हास्य-व्यंग्यक धार प्रवाहित करैत छथि अपितु मोनकेँ अन्तःकरण धरि द्रवीभूत करबाक सामर्थ्य सेहो रहैत अछि हिनक कथामे। [2013/25m/6b]

  36. किरणजीक ‘मधुरमनि’ कथाक समीक्षा करू। [2012/30m/6a]

  37. निम्नलिखित कोनो तीन गद्यांशक सन्दर्भसहित व्याख्या करैत ओहिमे निहित अभिव्यंजनागत ओ कथ्यगत विशेषता पर प्रकाश दिअ (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): कँपैत हाथ सँ अलमुनियमक पचकलहा बाटी उठा क’ रेजकी गनलक। अद्धन्नी आ पाइ मिला क’ सबा तीन आना। देबालमे सटलि, जाड़ेँ थर-थर करैत छौंड़ी दिस बिन तकनहि बुढ़िआ बाजलि–“पिरथी सँ दया-धरम उठि गेलइ… एगो पइसो दइमे मोह होइ हइ लोकके त’ गरीब भिखमङ्गा कोना जीउतइ… छौंड़ी घुसकि क’ नानीक देहमे सटि गेलि। तेहेन ने कटकटौआ बसात चलैत छलइए। तखन, बुढ़िआ कहुना ठेंगा ध’ क’ उठलि। मुदा तुरन्ते ने तेहेन सन-सन करैत पछबा उठलैक जे बुढ़िआ पाकल आम जकाँ धप्पसँ खसि पड़लि। विवस्त्र शरीरक गत्र-गत्र पछबा बेध’ लगलैक। [2010/20m/5a]

  38. ‘कथा-संग्रह’क आधार पर एहि तथ्यकेँ विवेचित-विश्लेषित करू जे–“आधुनिक मैथिली कथा समकालीन सामाजिक, आर्थिक विसंगति पर विभिन्न तरहेँ चोट करैत अछि” । [2009/60m/6]

Cover of the UPSC Mains Topic-wise and Year-wise PYQs book (2013–2026)

From the Optional Province team

Strengthen your GS papers

Our UPSC Mains Topic-wise & Year-wise PYQ Book (2013–2026) maps every GS question to the syllabus, so you know what UPSC asks and how often. Now available as a hard copy and an eBook.

Buy Hard Copy on AmazonBuy eBook (PDF)

Download a free sample

Spotted an error? Tell us.

We classify every PYQ with care, but mistakes can slip in. If a question is in the wrong topic, has a typo, the wrong year, or is missing, let us know. We review every report and update the page.

Report an Error

« Previous: खण्ड क: काव्य · Next: Other questions »

Back to: Maithili Literature Optional PYQs – Topic-wise

Last updated: 2 November 2026