Menu Close

खण्ड क: काव्य – Maithili Literature Optional PYQs (Paper II, Unit 1)

Here are all 228 questions on खण्ड क: काव्य asked in UPSC Maithili Literature Optional Paper II (2009–2026), arranged under the 9 topics of this unit. Within each topic the latest questions come first.

Each question ends with a code such as [2024/15m/3b] – the year, the marks, the word limit (where UPSC set one) and the question number in the paper.

Topic-wise weightage graph of खण्ड क: काव्य, Maithili Literature Optional Paper II
Topic-wise weightage of खण्ड क: काव्य (Maithili Literature Optional Paper II) – share of marks asked from each topic.

1.1] विद्यापति

33 questions

  1. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): कांचन-कमल पवन उलटाओल ऐसन वदन संचारि।
    सरबस लय पलटलि पुन बीन्धल रंगिनि बंक निहारि॥
    हरि-हरि! के देअ दारुन बाधा।
    नयनक साध आध नहि पूरल, पलटि न हेरल राधा॥ [2026/10m/1d]

  2. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “‘विद्यापति गीतशती’ मे भावक कोमलता, पद-लालित्य, तुक-कौशल, स्वर-माधुर्य एवं बिम्बक चमत्कार उत्पन्न भेल अछि।” पाठ्यांशक आधार पर प्रमाणित करू। [2026/20m/4a]

  3. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): अनल अनिल बम मलअज बीख।
    जे छल सीतल से भेल तीख॥
    चान्द सन्ताबए सविताहु जीनि।
    नहि जीवन एकमत भेल तीनि॥
    किछु उपचार न मानए आन।
    एहि बेआधि अथिक पचवान॥ [2025/10m/1a]

  4. “तातल सैकत वारि बिन्दु सम
    सुत मित रमनि समाजे,
    तोहे बिसारि मन ताहे समापलुँ
    अब मझु हब कोन काजे।”
    एहि पद्यांश आ सन्दर्भित पूर्ण पदक आधार पर महाकवि विद्यापतिक मनोदशाकेँ भावार्थक संग स्पष्ट करू। [2025/20m/2a]

  5. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “अम्बरे वदन झपावह गोरि
    राज सुनइ छिअ चान्दक चोरि।
    घरे घरे पहरी गेल अछ जोहि
    अबही दूषण लागत तोहि॥
    कतए नुकाओब चान्दक चोरि
    जतय नुकाओब ततहि उजोरि॥” [2024/10m/1a]

  6. “विद्यापतिक पदावलीमे भावक कोमलता, शब्दक लालित्य तथा लय-माधुर्यक प्राञ्जल प्रवाह अछि।” पाठ्यांशक आधारपर एहि उक्तिकेँ सविस्तार प्रतिपादित करू। [2024/20m/2a]

  7. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) कबरी भये चामरी गिरि कन्दरे
    मुख भये चान्द अकासे ।
    हरिनि नयन भये स्वर भये कोकिल
    गति-भये गज वनवासे ।। [2023/10m/1a]

  8. नारी सौन्दर्यक जे चित्रण विद्यापति पदावलीमे भेटैत अछि से अन्यत्र दुर्लभ – ‘विद्यापति गीतशती’क पठित अंशक आधार पर एहि उक्तिक विश्लेषण करू । [2023/20m/2a]

  9. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) आधक आध आध दिठि-अंचल जब हरि पेखल कान ।
    कत सत कोटि कुसुम सरे जरजर रहत कि जाएत परान ।।
    सजनी, जानल बिहि मोर बाम ।
    दुहु लोचन भरि जे हरि हेरए तसु पद मोर परनाम ।।
    ‘सुनयनि’ कहैत कान्ह घन सामर मोहि बिजुरि सम लागि ।
    ‘रसवती’ ककर परस-रस भासल हमर हृदय जनि आगि ।। [2022/10m/1a]

  10. विद्यापति अपन गीतमे जनसाहित्यक निर्माण कएल एवं मानव-हृदयक-मूलभूत भाववृत्ति-शृंगार ओ भक्तिकेँ रागात्मक अभिव्यक्ति देल’ – ‘गीत-शती’क पठित अंशक आधार पर एहि उक्तिक विश्लेषण करू । [2022/15m/4c]

  11. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) “अगमने प्रेम गमने कुल जाएत,
    चिन्ता पङ्क लागलि करिणी ।
    मञे अबला दह दिस भमि झाखओ,
    जनिब्याघ डरे भीरु हरिणी ।।
    चन्दा दूरजन गमन विरोधक
    उगल गगन भरि बैरि मोरा ।
    कुहू भरमे पथ पद आरोपल,
    आए तुलाएल पञ्चदशी ।।” [2021/10m/1a]

  12. “सरस जीवनक मधुर गायक महाकवि विद्यापति सौन्दर्योपासक कवि छलाह” – एहि कथनक युक्ति-युक्त विवेचना करू । [2021/20m/4a]

  13. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) अनुखन माधव माधव सुमिरिते ।
    सुन्दरि भेल मधाई ।
    ओ निज भाव सभावहि विसरल
    आपन गुन लुबुधाई ।।
    माधव, अपरूप तो हारि सिनेह ।
    अपने विरह अपन तनु जर-जर
    जिबइते भेल सन्देह ।। [2020/10m/1d]

  14. मानवीय सम्वेदना, रागात्मिका वृति, कल्पनाक सूक्ष्मता तथा अभिव्यक्तिक चमत्कार विद्यापतिक काव्यक अंन्यतम विशेषता थिक’ – ‘गीत शती’क पठित अंशक आधार पर विश्लेषण करू । [2020/15m/3c]

  15. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) आधक आध आध दिठि-अँचल जब धरि पेखल कान ।
    कत सत कोटि कुसुम-सरे जरजर रहत कि जाएत परान ।। [2019/10m/1a]

  16. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) कवरी भये चामरी गिरि कन्दरे
    मुख भये चान्द अकासे ।
    हरिनि नयन भये स्वर भये कोकिल
    गति-भये गज वनवासे । [2019/10m/1b]

  17. विद्यापतिक गीत सभमे शृंगारक उभय पक्ष – संयोग एवं वियोगक चित्र प्रस्तुत भेल अछि – ‘विद्यापति गीतशती’क पठित अंशक आधार पर विवेचन करू । [2019/15m/3b]

  18. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) चाँद सार लए मुख घटना करू
    लोचन चकित चकोरे ।
    अमिय धोए आँचरे जनि पोछल
    दह दिस भेल उजोरे ।।
    कामिनि कोने गढ़ली ।
    रूप सरूप मोहि कहइते असम्भव
    लोचन लागि रहली ।।
    गुरू नितम्ब भरे चले न पारए
    माझ खीनिम निमाइ ।
    भांगि जाइति मनसिजे धरि राखलि
    त्रिबलि लता अरुझाइ ।। [2018/10m/1b]

  19. ‘विद्यापति जनसाहित्यक निर्माण कएल, मानव हृदयक मूलभूत वासनाकेँ, नैसर्गिक भाव ओ भावावेशकेँ अत्यन्त सूक्ष्मतासँ यथावत चित्रण कएल’ – पठित अंशक आधार पर उपर्युक्त कथनक समीक्षा करू । [2018/15m/4b]

  20. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) अगमने प्रेम गमने कुल जाएत
    चिन्ता पङ्क लागलि करिणी
    मञे अबला दह दिस ममि झाखञो
    जनिव्याध डरे भीरु हरिणी ।।
    चन्दा दुरजन गमन विरोधक
    उगल गगन भरि बैरि मोरा ।।
    कुहु भरमे पथ पद आरोपल
    आए तुलाएल पञ्चदशी । [2017/10m/1b]

  21. “भावक कोमलता, शब्दक लालित्य, लय एवं तुकक कौशल, स्वरक माधुर्य एवं बिम्बक चमत्कार विद्यापति पदावलीक मुख्य विशेषता अछि” – पठित अंशक आधार पर एहि कथनक समीक्षा करू । [2017/20m/4a]

  22. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): अनिल अनलवम मलअज वीख ।
    जे छल सीतल से भेल तीख ।।
    चान्द सन्ताबए सविताहु जीनि ।
    नहि जीवन एकमत भेल तीनि ।।
    किछु उपचार न मानए आन ।
    एहि बेआधि अथिक पचवान ।। [2016/10m/1c]

  23. विद्यापतिक गीतसभमे शृंगारक बहुविध चित्र प्रस्तुत भेल अछि – पठित अंशक आधार पर एहि उक्तिकेँ पल्लवित करू । [2016/15m/4b]

  24. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): तातल सैकत वारि विन्दु सम
    सुत मित रमनि समाजे,
    तोहे बिसारि मन ताहे समापलुँ
    अब मझु हब कोन काजे।।
    माधव हम परिनाम निरासा। [2015/10m/1a]

  25. “विद्यापतिक काव्यक उत्कर्ष हिनक पदावलीमे देखल जाइछ।” एहि कथनकेँ पल्लवित करू। [2015/15m/4b]

  26. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): चाँद सार लए मुख घटना करू
    लोचन चकित चकोरे।
    अमिय धोए आँचरे जनि पोछल
    दह दिस भेल उजोरे।।
    कामिनी कोने गढ़ली।
    रूप सरूप मोहि कहइते असम्भव
    लोचन लागि रहली।।
    गुरु नितम्भ भरे चलए न पारए
    माझ खीनिम निमाइ।
    भांगि जाइति मनसिजे धरि राखलि
    त्रिबलि लता अरुझाइ।। [2014/10m/1d]

  27. “विद्यापतिक पदावली गीतकाव्य थिक जे हिनक भावाभिव्यक्तिक सूक्ष्मता राग-ताललयाश्रित कोमलकान्त पदावली प्रसादपूर्ण माधुर्यसँ ओतप्रोत अछि।” पठित अंशक आधार पर युक्तिपूर्वक विचार करू। [2014/15m/4b]

  28. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): की हम साँझक एकसरि तारा
    भादव चौठिक चन्दा।
    ऐसन कए पियाए मोर मुख मानल
    मो पति जीवन मन्दा॥
    वामहु गति जत समदि पठौलनि
    से सबे कहि कहि गेलि।
    तेसरि तिथि ससि सामर परवनिसि
    दसमि दसा मोरि भेलि॥ [2013/10m/1b]

  29. “महाकवि विद्यापति वियोगेकेँ प्रेमक कसौटी मानेन छथि तें हिनक नायिकाक वियोगविगलित हृदयक कारुणिक मधुर स्वर भावुककेँ साधारण स्तरसँ ऊपर उठाए ब्रह्मानन्दक सुखानुभूतिसँ गद्‌गद् कए दैत अछि।” एहि कथनक आलोकमे विद्यापतिक वियोग गीतक समीक्षा करू। [2013/25m/4a]

  30. निम्नलिखित अवतरणक भावकेँ स्पष्ट करैत एकर काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट कए सप्रसंग व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): मालति सफल जीवन तोर।
    तोरे विरहे भूवन भमए
    भेल मधुकर भोर॥
    जातकि केतकि कत न अछ
    कुसुम रस समान।
    सपनहु नहि काहू निहारए
    मधु कि करत पान॥
    जकर हृदय जतए रहल
    धसि पए ततहि जाए।
    जेअओ जतने बान्धि निरोधिअ
    निमन नीर समाए॥ [2012/12m/1a]

  31. “सरस जीवनक मधुर गायक महाकवि विद्यापति सौन्दर्योपासक कवि छथि”–एहि कथनक समीक्षा करू। [2012/30m/3a]

  32. निम्नलिखित अवतरणक भावकेँ स्पष्ट करैत एकर काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट कए सप्रसंग व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): अनल अनिल बम मलयज बीख
    जे छल सीतल से भेल तीख।।
    चान्द सन्ताबए सविताहु जीनि
    नहि जीवन एकमत भेल तीनि।।
    किछु उपचार न मानए आन
    एहि बेआधि अथिक पचवान।। [2011/15m/1b]

  33. निम्नलिखित कोनो तीन अवतरणक सप्रसंग व्याख्या प्रस्तुत करैत ओहिमे सन्निहित भाव आ ओकर काव्यगत वैशिष्ट्यकेँ स्पष्ट करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): अगमने प्रेम गमने कुल जाएत
    चिन्ता पंक लागलि करिणी
    मञे अबला दह दिस भमि झाखञो
    जनि व्याध डरे भीरु हरिणी।।
    चन्दा दुरजन गमन विरोधक
    उगल गगन भरि बैरि मोरा।।
    कुहु भरमे पथ पद आरोपल
    आए तुलाएल पंचदशी
    हरि अभिसार मार उदबेजक
    कञोने निबारब कुगत ससी।। [2010/20m/1a]

Cover of the UPSC Prelims Topic-wise PYQ book with detailed explanations

From the Optional Province team

Preparing for Prelims too?

Our UPSC Prelims Topic-wise PYQ Book covers every Prelims question with detailed explanations, so you can see exactly where UPSC asks from. Now available as a hard copy and an eBook.

Buy Hard Copy on AmazonBuy eBook (PDF)

Download a free sample

1.2] गोविन्ददास

23 questions

  1. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “महाकवि गोविन्द दास अपन कवितामे राधा-कृष्णक प्रेमलीला आ विरह-वर्णनक अद्भुत छटा छिटकौने छथि” –सयुक्ति विश्लेषण करू। [2026/20m/3a]

  2. “नागर कृष्ण ओ रसवति-नागरि राधा नित-नूतन छथि।” गोविन्ददास भजनावलीसँ पठित पदक आधार पर एहि कथनकेँ पुष्ट करू। [2025/15m/2b]

  3. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “नव-नव गुन-गन स्रवन-रसायन नयन-रसायन अंग।
    रभस-सम्भाषन हृदय-रसायन परस-रसायन संग॥
    ए सखि, रसमय अन्तर यार।” [2024/10m/1b]

  4. “गोविन्ददासक काव्य शृंगारपरक होइतहुँ समष्टिरूपेँ भक्तिभावक अभिव्यक्ति थिक।” पाठ्यांशक आधारपर एहि उक्तिक विवेचन करू। [2024/15m/4b]

  5. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) नयन-कमल पर युगल भुजगवर काजर गरल उगारि,
    मदन-धन्वन्तरि आपे जबे आओब से विष तबहु न सारि । [2023/10m/1e]

  6. गोविन्ददासक काव्य नारिकेल फलक सदृश होइतहुँ श्रुति माधुर्यसँ परिपूर्ण अछि – ‘गोविन्ददास भजनावली’क पठित अंशक आधार पर एहि उक्तिक विश्लेषण करू । [2023/20m/3a]

  7. ‘रसना रोचन श्रवण विलास’ – गोविन्द दासक प्रसंग कहल गेल एहि उक्तिमे निहित भावकेँ बुझाउ । [2022/15m/4b]

  8. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) “काजर-तिमिर-भरमे जसु तन-रुचि,
    निबसय-कुँज-कुटीर ।
    गति अति कुटिल सुधीर ।।
    सजनी, कान्ह से बरजु भुजङ्ग ।
    से मोर हृदय-चदन-रुह लागल
    भागल धरम-विहङ्ग ।।
    लोचन-कोर पड़ैत नव नागरी रहए नपारए धीर ।
    कुंचित अरुन अधर भरि पीबए
    – कुलवति-बरत-समीर ।।” [2021/10m/1b]

  9. गोविन्ददासक प्रसंग “रसना रोचन श्रवण विलास”क गर्वोक्ति सार्थक ओ प्रासंगिक अछि – “गोविन्द दास भजनावली”क पठित अंशक आधार पर विवेचन करू । [2020/20m/4a]

  10. ‘गोविन्ददास भजनावली’क पठित अंशक आधार पर प्रमाणित करू जे विद्यापतिक पश्चात् गोविन्ददासक मैथिली साहित्यमे सर्वोपरि स्थान अछि । [2019/15m/3c]

  11. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) जूड़क-चूड़ मयूर-शिखण्डक, मंडित मालति-माले ।
    सौरभ उनमत भ्रमरि भ्रमर कत चौदिशि करत झंकारे ।।
    सजनि के कह काम अनङ्ग ।
    केलि कदम्बतर से रति-नागर पेखल नटवर-भंग ।।
    कतहु विषमशर नयन-तूण भर संचर भौंह कमान ।
    नागरि-नारि मरम मह हानए लखएन पारए आन ।। [2018/10m/1e]

  12. “गोविन्ददास भजनावली”क सामग्री शृंगारक अछि परन्तु अपनाकेँ अलौकिक प्रणय-लीलाक साक्षी मानि गोविन्ददास अपन भक्त हृदयक परिचय दैत छथि’ – एहि उक्तिक आलोकमे गोविन्ददासक भक्ति-भावनासँ परिचय कराउ । [2018/20m/4a]

  13. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) काजर-तिमिर-भरमे जसु तन-रुचि, निबसय कुंज-कुटीर ।
    बंसि-निसास मधुर विष उगिरए, गति अति कुटिल सुधीर ।।
    सजनी, कान्ह से बरजु भुजङ्ग ।
    से मोर हृदय-चन्दन-रुह लागल भागल धरम-विहङ्ग ।।
    लोचन-कोर पडैते नव नागरि रहए न पारए धीर ।
    कुंचित अरून अधर भरि पीबए कुलवति-बरत-समीर ।। [2017/10m/1a]

  14. “पदकेँ ललित श्रुतिमधुर, अर्थानुग्राही एवं समतासंयुक्त बनएबामे यदि शब्दकेँ तोड़हु पड़लैन्हि, ओकर स्वरूप विकृतो करए पडलैन्हि तथा अपन हृद्यक भाव झाँपलो भए गेलैन्हि तथापि गोविन्ददास अर्थक प्रसादक हेतु शब्दविन्यास नहि दूरि कएलन्हि” – एहि उक्तिक आलोकमे पठित अंशक आधार पर गोविन्ददासक काव्य-प्रतिभाक विवेचन करू । [2017/15m/4b]

  15. “गोविन्ददास भजनावली”क गीत सर्वथा भक्तिमूलक प्रतीत होइत अछि ओ शृंगार एहिमे आवरणक काज करैत अछि” – पठित अंशक आधार पर अपन विचार व्यक्त करू । [2016/20m/4a]

  16. “गोविन्ददासक काव्यमे अर्थगाम्भीर्य एवं भक्तिभावनाजन्य तन्मयता दृष्टिगोचर होइत अछि।” एहि उक्तिक आलोकमे गोविन्ददासक काव्य-वैशिष्ट्य पर प्रकाश दिअ। [2015/20m/4a]

  17. “गोविन्ददासक काव्य नारिकेल फलक सदृश रहितहुँ श्रुति-माधुर्यसँ परिपूर्ण अछि।” पठित अंशक आधार पर एहि कथनक मूल्यांकन करू। [2014/20m/4a]

  18. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): पहिलहि कूल तूल-सम ऊड़ल जाकर बेनुक फूके।
    धरम करम मति भरम-सरिस भेल नारी गिरिसम दुःखे॥
    सजनी, किअ हम करब उपाय।
    हेरइत से कान्ह अपन-अपनतन काहि करब अन्तराय॥ [2013/10m/1c]

  19. “पठित अंशक आधार पर गोविन्ददासक भाषा-प्रयोगक सम्बन्धमे कहल जा सकैत अछि जे कविक भाव-साधना जकाँ शब्द-साधना सेहो श्लाघ्य अछि।” एहि कथनक मूल्यांकन करू। [2013/25m/4b]

  20. गोविन्ददासक कवित्वशक्तिक विवेचन करू। [2012/30m/3b]

  21. भाव, भाषा ओ काव्य-सौष्ठव तीनू दृष्टिएँ गोविन्ददासक रचना नारिकेल फलसम्मतक रसास्वादन करबैछ–एहि उक्तिक समीक्षा करू। [2011/30m/4b]

  22. “रसना रोचन श्रवण-विलास
    रचइ रुचिर पद गोविन्ददास।”
    एहि पंक्तिक आलोकमे गोविन्ददासक काव्य-सौन्दर्यक निरूपण करू। [2010/60m/3]

  23. “गोविन्ददासक काव्य शृंगारपरक होइतहुँ समष्टिरूपेँ भक्तिभावक अभिव्यक्ति थिक।” ‘गोविन्ददास भजनावली’क पठित अंशक आधार पर एहि उक्तिक समीक्षा करैत अपन स्वतन्त्र विचार प्रगट करू। [2009/60m/3]

1.3] मनबोध

23 questions

  1. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): आनन चुम्बि पयोधर धएल।
    सबहुँ सखि मिलि मङ्गल कएल॥
    भन मनबोध हम अपन गेआन।
    कहलन्हि बाल गोपालक धेआन॥ [2026/10m/1b]

  2. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “‘कृष्णजन्म’ एहन कृति सिद्ध भेल जे तत्कालीन साहित्य-जगतमे प्रचलित शृंगार-प्रधान संस्कृतनिष्ठ गीतधाराक विपरीत ठेठ भाषा-शैलीक आश्रय ग्रहण कएल” –सयुक्ति विश्लेषण करू। [2026/20m/2a]

  3. ‘कृष्णजन्म’ महाकाव्यमे वर्णित मिथिलाक सांस्कृतिक उपादानकेँ स्पष्ट करू। [2025/15m/3c]

  4. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “चक्र गदा कर सरसिज संख
    देखि देवकी मन उपजल झंख
    कह बसुदेव देवकी कर जोरि
    कंस बाघ हम हरिनी खोरि
    रूप चतुर्भुज दिअ हरि छाड़ी
    नारद देत गए उकठी लाड़ी” [2024/10m/1c]

  5. मनबोधक ‘कृष्णजन्म’ कृष्णकाव्य-परम्पराक सर्वोच्च उपलब्धि थिक–विश्लेषण करू। [2024/15m/2c]

  6. ‘कृष्णजन्म’क कथानकमे मैथिल संस्कृतिक छाप झलकैत अछि – सोदाहरण विवेचन करू । [2023/15m/3b]

  7. कृष्णजन्मक साहित्यिक महत्त्व प्रतिपादित करैत कृष्णक किछु अलौकिक बाललीलाक उल्लेख करू । [2022/20m/4a]

  8. “मैथिली मे नव-परम्पराक प्रवर्त्तक महाकवि मनबोध ‘कृष्णजन्म’ मे सर्वत्र ठेठ शब्दक ठाठ बान्हि लोकोक्तिक सटीक प्रयोग कय भाव एवं भाषा दूनू के अत्यन्त हृदयग्राही ओ प्रभावपूर्ण बना देने छथि” – एहि कथनक समीक्षा करू । [2021/20m/2a]

  9. महाकवि मनबोधक “कृष्ण जन्म” मैथिली काव्य साहित्यक एकटा क्रान्तिकारी रचना थिक, से भाव बोधक दृष्टियेँ सेहो आ काव्य शिल्पक दृष्टियेँ सेहो’ – कृष्ण जन्मक आधार पर एहि उक्तिक विश्लेषण करू । [2020/15m/2b]

  10. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) जाहि बेर जन्म महाप्रभु भेल
    तखन अन्धार एहन गोट भेल
    सुइ लय बेधिअ गाँथिअ ताग
    हाथ छुबिअ तओँ हाथहिँ लाग । [2019/10m/1c]

  11. मैथिली साहित्यमे ‘कृष्णजन्म’क ऐतिहासिक महत्त्व अछि – सयुक्ति विवेचन करू । [2019/15m/4b]

  12. मनबोधक “कृष्णजन्म” अपन वर्णन-वैभव हेतु मैथिल-संस्कृतिक उन्मुक्त दस्तावेज थिक’ – विवेचन करू । [2018/15m/3b]

  13. “मैथिलीमे नव काव्य-परम्पराक प्रवर्त्तक मनबोध कृष्णाजन्ममे सर्वत्र ठेठ शब्दक ठाठ बान्हि लोकोक्ति समक सटीक प्रयोग कय भाव एवं भाषा दुनूकेँ अत्यन्त हृदयग्राही एवं प्रभावपूर्ण बना देने छथि” – एहि उक्ति पर विचार करू । [2017/20m/3a]

  14. “कृष्णजन्म प्रबन्ध-काव्यक रचनामे मनबोधकेँ मैथिली साहित्यक इतिहासमे महत्त्वपूर्ण स्थानक अधिकारी बना देने अछि” – एहि उक्ति पर विचार करू । [2016/15m/3b]

  15. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): कतो एक दिवस जखन बिति गेल। हरि पुनु हथगर गोड़गर मेल।
    से कोन ठाम कतय नहि जाथि। कय बेरि अंगनहुँ सौं बहराथि।।
    द्वार उपर सौं धरि धरि आनी। हरखथि हँसथि जसोमति रानी।
    कय बेरि आगि हाथ सौं छीनु। कय बेरि पकलाह तकला बीनु।। [2015/10m/1c]

  16. “मनबोध रचित ‘कृष्णजन्म’ मैथिली साहित्य मध्य एकटा क्रान्तिकारी डेग प्रमाणित भेल।” एहि कथनकेँ पुष्ट करू। [2015/15m/2c]

  17. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): सुइ लय बेधिअ गाँथिअ ताग
    हाथ छुबिअ तओँ हाथहिँ लाग
    गरजि सघन घन बरिसय बारी
    तैँ फनिपति फना देलन्हि पसारी
    लागल झड़ी भुलल सब दीग
    पशु-पक्षी सब पड़ल अदीग
    सूर्यसुधाकर खोजलोँ ने पाबिअ
    कमलकुमुद निशिवासर जानिअ। [2014/10m/1b]

  18. मैथिली काव्य-साहित्यमे ‘कृष्णजन्म’क महत्त्व पर प्रकाश दिअ। [2014/15m/2c]

  19. “विषयवस्तुक उपस्थापनमे आडम्बरहीन सहज, सरल भाषाक प्रयोग कए महाकवि मनबोध जेहन रचनाक सृजन कएलन्हि ओ लोकोत्तर आनन्द प्रदान करैत अछि।” एहि कथनक आलोकमे ‘कृष्णजन्म’ महाकाव्यक समीक्षा करू। [2013/25m/3a]

  20. मैथिली पद्यसाहित्यक विकासमे ‘कृष्णजन्म’क स्थान निरूपित करू। [2012/30m/4a]

  21. ‘कृष्ण-जन्म’ महाकाव्य अछि–प्रमाणित करू। [2011/30m/4a]

  22. निम्नलिखित कोनो तीन अवतरणक सप्रसंग व्याख्या प्रस्तुत करैत ओहिमे सन्निहित भाव आ ओकर काव्यगत वैशिष्ट्यकेँ स्पष्ट करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): सुइ लय बेंधिअ गाँथिअ ताग।
    हाथ छुबिअ तओं हाथहि लाग।।
    गरजि सघन घन बरिसय बारी।
    तैं फनिपति फना देलन्हि पसारी।।
    लागल झड़ी भुलल सब दीग।
    पशु पच्छी सब परल अदीग।।
    सूर्य सुधाकर खोजलों ने पाबिअ।
    कमल कुमुद निसि बासर जानिअ।। [2010/20m/1b]

  23. निम्नलिखितमे सँ कोनो तीन अवतरणक सप्रसंग व्याख्या प्रस्तुत करैत ओहिमे सन्निहित भाव आ ओकर काव्यगत वैशिष्ट्यकेँ स्पष्ट करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): पुतना तरुअर काली नाग,
    एत दिन से बड़ अजगुत लाग।
    एहि बेरि संसए लाग बिसेखी,
    कृष्णक जन्म अमानुष लेखी।
    के ई थिकाह ककर अवतार,
    संसय बस भेल सकल गोआर।
    संसय अन्त कोनहु नहि पाओल,
    तखन कृष्ण पुन मोहनि लगाओल। [2009/20m/1a]

1.4] चन्दा झा

30 questions

  1. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): हा रघुनाथ अनाथ जकाँ, दशकण्ठ-पुरी हम आइलि छी।
    सिंहक त्रास महावनमे हरिणीक समान डराइलि छी॥
    चन्द्र-चकोरि अहैंक सदा, हम शोक-समुद्र समाइलि छी।
    देवर-दोष कहू हम की, अपना अपराध सँ काइलि छी॥ [2026/10m/1e]

  2. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “‘मिथिला भाषा रामायण’ महाकाव्य-जगतमे ज्ञान, कर्म ओ भक्तिक त्रिवेणीक संगम थिक।” सुन्दरकाण्डक आधार पर पल्लवित करू। [2026/15m/2b]

  3. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): गृद्धझुण्ड दशमुण्ड-पर कर खर नखर प्रहार।
    ककरा कहब केओ नहि मानुष, नहि कारुणिक चिन्हार॥
    रक्षा करथि अरक्षित जनकाँ केवल धर्म उदार।
    कठिन विषय विष तिष नहि भेटय, खड़ग न लग तिष-धार॥
    शिव शिव जीव-घात वर मानल, धिक जीवन संसार। [2025/10m/1c]

  4. “उत्थान ओ पतन, संघर्ष ओ कोलाहल, विषाद ओ अन्तर्वेदना, अप्लावित जीवनक कटुमधु यथार्थ, व्यंग्यात्मक सामर्थ्य एवं प्रभावशाली सम्वादसँ भरल अछि ई ‘मिथिला भाषा रामायण’।” ‘सुन्दरकाण्ड’क आधार पर एहि उक्तिकेँ स्पष्ट करू। [2025/15m/3b]

  5. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “कर्म करत के आन, सुरदुर्लभ हनुमान सन।
    हित के अहँक समान, सजल-नयन रघुनाथ कह॥
    अति साहसधर वीर, अविरल भक्तिक भवन अहँ।
    पिता अहाँक समीर, जगत्प्राण-सुत उचित थिक॥” [2024/10m/1d]

  6. कवीश्वर चन्दा झा विरचित ‘मिथिला-भाषा रामायण’क ‘सुन्दर-काण्ड’मे वर्णित हनुमानक वीरता ओ पराक्रमक विवेचन करू। [2024/15m/2b]

  7. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) चिन्हारे अहाँ छी विरञ्चि-प्रपौत्रे,
    कुकर्म्मी अहाँ छी करै छी की श्रौत्रे ।
    गिरीशार्च्यना छोडि ई की करै छी,
    परस्त्री अहाँ छद्म सौं की हरै छी ।। [2023/10m/1b]

  8. ‘मिथिला भाषा रामायण’ भक्ति काव्य ओ मिथिलाक जातीय गरिमाक समवेत रूपेण प्रतिनिधि ग्रंथ थिक – विवेचन करू । [2023/15m/2b]

  9. ‘मिथिला-भाषा रामायण’ एवं ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’ मे भिन्नताकेँ दर्शाबैत, ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’क विशेषताक उल्लेख करू । [2023/20m/4a]

  10. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) से दिन कोना होयत मनोरथ पूर ।
    रघुनन्दन-बल प्रलय पवन सम, अधम निशाचर तूर ।।
    देवर-तीर जेहन प्रलयानल, रावण-गण वन झूर ।
    के हम थिकहुँ ककर हम कामिनि, परिचय पओता क्रूर ।।
    सकल तमीचर तामस तम सम, श्री रघुनन्दन सूर ।
    हमर यहन गति दैव देखै धथि, नहि उपाय किधु फुर ।। [2022/10m/1e]

  11. ‘मिथिला भाषा रामायण’क सुन्दरकाण्डक आधार पर तत्कालीन परराष्ट्र नीतिपर प्रकाश दिअ । [2022/15m/2c]

  12. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) “नाव अरि लाव नहि, उतरक दाव नहि,
    एक बुद्धि आब नहि, सगर अपारमे ।
    वीर अरि छोट नहि, सङ्ग एक गोट नहि,
    लङ्का लघुकोट नहि, विदित संसारमे ।।
    दबुज अबल नहि, पुरी गम्य थल नहि,
    प्रदेश अमल नहि युद्धक विचार मे,
    अहाँक समान नहि, वीर हनुमान नहि,
    सर्व्वस्वक दान नहि – तुल उपकार मे ।।” [2021/10m/1c]

  13. ‘मिथिला-भाषा रामायण’ मे सुन्दरकाण्डक नामकरण पर विचार करैत, कवीश्वर चन्दाझाक कल्पना-कौशल पर प्रकाश दिअ । [2021/15m/2b]

  14. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) नारायण अवतार राम त्रेता मे हयता ।
    पिता-वचन सह-बन्धु जानकी सङ्गहि जयता ।।
    माया-सीता ततय मूढ़ दशकन्धर हरता ।
    बालि मारि सुग्रीव सङ्ग प्रभु मैत्री करता ।।
    अहाँ काँ तनिकर दूत कपि, मारि मुका विकला करत ।
    कहलनि विधि शुनु लङ्किनी, तरवन बुझव रावण मरत ।। [2020/10m/1e]

  15. कथावस्तुक संतुलित विकास, मार्मिक काव्यात्मकता, छन्दक वैविध्य तथा लोक भाषाक चमत्कारिक प्रयोग “मिथिला भाषा रामायण”क वैशिष्ट्य थिक’ – पठित अंशक आधार पर विवेचन करू । [2020/20m/3a]

  16. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) हा रघुनाथ ! अनाथ जकाँ, दशकण्ठ-पुरी हम आइलि छी
    सिंहक त्रास महावनमे हरिणीक समान डराइलि छी ।।
    चन्द्र-चकोरि अहेँक सदा, हम शोक समुद्र समाइलि छी
    देवर-दोष कहू हम की, अपना अपराधसँ काइलि छी ।। [2019/10m/1e]

  17. ‘मिथिलाभाषा रामायण’क सुन्दरकाण्डमे सीताक अन्तर्द्वन्द्वक स्वाभाविक चित्रण भेल अछि – विवेचन करू । [2019/20m/4a]

  18. “मिथिला भाषा रामायण”क सुन्दर काण्ड मे वर्णित हनुमानक साहस आ पराक्रमक सजीव चित्रण करू । [2018/15m/3c]

  19. ‘मिथिला भाषा रामायण’मे सुन्दरकाण्डक नामकरण पर विचार करैत कवीश्वर चन्दा झाक वर्णन-कौशल पर प्रकाश दिअ । [2017/15m/3b]

  20. “मिथिला भाषा रामायण”क ‘सुन्दरकाण्ड’मे वर्णित घटनाक्रम अपेक्षाकृत अधिक सारगर्भित आ प्रसंगानुकूल भेल अछि” – एहि कथनक समीक्षा करू । [2016/20m/3a]

  21. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): हा रघुनाथ आनथ जकाँ, दशकण्ठ-पुरी हम आइलि छी।
    सिंहक त्रास महावनमे हरिणीक समान डराइलि छी।।
    चन्द्र-चकोरि अहैँक सदा, हम शोक समुद्र समाइलि छी।
    देवर-दोष कहू हम की, अपना अपराधसँ काइलि छी।। [2015/10m/1b]

  22. ‘मिथिला भाषा रामायण’क ‘सुन्दरकाण्ड’क वैशिष्ट्य पर प्रकाश दिअ। [2015/20m/2a]

  23. “‘मिथिला भाषा रामायण’क ‘सुन्दरकाण्ड’मे हनुमानक चरित वर्णित अछि।” एहि कथनक सार्थकता सिद्ध करू। [2014/20m/2a]

  24. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): देवर-तीर जेहन प्रलयानल, रावणगण वन झूर।
    के हम थिकहुँ ककर हम कामिनि, परिचय पओता क्रूर॥
    सकल तमीचर तामस तम सम, श्रीरघुनन्दन सूर।
    हमर यहन गति दैव देखै छथि, नहि उपाय कछु फूर॥ [2013/10m/1d]

  25. निम्नलिखित अवतरणक भावकेँ स्पष्ट करैत एकर काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट कए सप्रसंग व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): नाव अरि लाव नहि, उतरक दाव नहि,
    एक बुद्धि आब नहि, सागर अपारमे।
    वीर अरि छोट नहि सङ्ग एकगोट नहि,
    लङ्का लघुकोट नहि विदित संसारमे।
    दनुज अवल नहि, पुरी गम्य थल नहि,
    प्रदेश अमल्ल नहि युद्धक विचारमे॥
    अहाँक समान नहि, वीर हनुमान नहि,
    सर्व्वस्वक दान नहि तूल उपकारमे॥ [2012/12m/1b]

  26. ‘मिथिला भाषा रामायण’क ‘सुन्दरकाण्ड’मे चित्रित विरहिणी सीताक मनोदशाक वर्णन करू। [2012/30m/2a]

  27. ‘सुन्दर-काण्ड’क आधार पर कवीश्वर चन्दा झाक काव्य-सौष्ठवक विवेचना करू। [2011/30m/2a]

  28. “कवीश्वर चन्दा झा अपन रामायणक रचना अध्यात्म रामायणक आधार पर कएल, ओ से मूलसँ ततेक अधिक मिलैत अछि जे एकरा अधिकांशतः अध्यात्म रामायणक अनुवाद कही तँ दोष नहि”–एहि कथनक सत्यता प्रमाणित करू। [2011/30m/2b]

  29. “कवीश्वर चन्दा झा ‘मिथिला भाषा रामायण’मे छन्दक विविधता ओ लोकोक्तिक विलक्षणताक संगहि वर्णनक चित्ताकर्षक छवि प्रस्तुत कयने छथि”–एहि कथन पर विचार करू। [2010/60m/2]

  30. निम्नलिखितमे सँ कोनो तीन अवतरणक सप्रसंग व्याख्या प्रस्तुत करैत ओहिमे सन्निहित भाव आ ओकर काव्यगत वैशिष्ट्यकेँ स्पष्ट करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): कहलनि नीतिशास्त्र-अनुसार। चारक वध नहि अछि व्यवहार।।
    दूत बेचारा मारल जयत। रामचन्द्र सौँ युद्ध न हयत।।
    अङ्कित हयता कहता जाय। राखक नहि थिक दूत बझाय।।
    नीति विभीषण कहलहुँ नीक। मानल बचन सदर्थ अहींक।। [2009/20m/1d]

1.5] लालदास

21 questions

  1. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “लालदासक ‘रमेश्वरचरित मिथिला रामायण’ मे रागरागिणी, लोकोक्ति, छन्दक विविधताक विन्यासक संग वर्णनन सरलता अछि।” पठित अंशक आधार पर विवेचन करू। [2026/15m/4c]

  2. “लालदासक ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’ मैथिली रामकाव्यक परम्परामे अत्यन्त महत्त्वपूर्ण रचना अछि।” ‘बालकाण्ड’क आधार पर हिनक काव्य-सौष्ठवक विवेचन करू। [2025/15m/4c]

  3. “लालदास विरचित ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’ मैथिली रामकाव्य-परम्पराक विकासमे बहुविध कारणेँ अत्यन्त महत्त्वपूर्ण अछि।” ‘बाल-काण्ड’क आधारपर लालदासक काव्य-सौष्ठवक विवेचन करू। [2024/15m/4c]

  4. ‘मिथिला-भाषा रामायण’ एवं ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’ मे भिन्नताकेँ दर्शाबैत, ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’क विशेषताक उल्लेख करू । [2023/20m/4a]

  5. ‘रमेश्वरचरित मिथिला रामायण’क नामकरणक प्रसंग अन्तर्निहित भायकेँ स्पष्ट करू । [2022/15m/3b]

  6. “लालदासक ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’क बालकाण्ड मे मिथिलाक विलक्षण संस्कृतिक मार्मिक चित्रण भेल अछि” – एहि कथनक सविस्तार विवेचना करू । [2021/20m/3a]

  7. “रमेश्वर चरित मिथिला रामायण” मध्य सीताक चरित्रक प्रधानता अछि’ – पठित अंशक आधार पर मूल्यांकन करू । [2020/15m/3b]

  8. ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’क पठित अंशक आधार पर लालदासक काव्य वैशिष्ट्य पर प्रकाश दिअ । [2019/15m/4c]

  9. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) गान विशद जानथि लयताल । कंठ मधुर स्वर सुखद विशाल ।।
    बालमिकी मुनि शिक्षा देल । रामचरित कंठे कय लेल ।।
    जखन करथि रामायण गान । वशीकरण सन मंत्र प्रमाण ।।
    सुनि सभजन हो प्रेम अधीन । मृगगण यथा विवश सुनि बीन ।।
    पुलकित तन सुख हो नहि थोर । हृदय हरष दृग बरखय नोर ।।
    मुनिगण जप तप देलनि त्यागि । रामचरित सुनि भेला विरागि ।। [2018/10m/1c]

  10. राम-सीता सहित अयोध्या प्रस्थान एवं बालकाण्डक महिमा कथन कए लालदास एहि काण्डक समापन कएने छथि – रमेश्वर चरित मिथिला रामायणक आधार पर सयुक्ति विवेचन करू । [2018/15m/2c]

  11. लालदासक रमेश्वरचरित मिथिला रामायणक बालकाण्डमे मिथिलाक विलक्षण संस्कृतिक मार्मिक चित्रण भेल अछि – युक्तियुक्त प्रतिपादन करू । [2017/20m/2a]

  12. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): नव दूर्वादल श्यामल सुन्दर कंज-नयन रनवीर ।
    वाम धनुर्धर दहिन निसित सर जलधि कोटि गम्भीर ।।
    श्रीपद पादुक धर भरतानुज चामर छत्र निछोड़ि ।
    शिव चतुरानन सनक सनन्दन शतमुख रहु कर जोड़ि ।। [2016/10m/1a]

  13. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): सुनि लक्ष्मी कहलनि बड़वेश ।
    उचित विचार कयल प्राणेश ।।
    लेल अयोध्या हरि अवतार ।
    चारि अंशयुत राम उदार ।।
    लक्ष्मी अयलीह मिथिला भूमि ।
    ऋद्धि सिद्धि संग लयिलिह जूमि ।।
    सभकाँ कयल सुखी आरोग्य ।
    सम्प्रति भेलिह विवाहक योग्य ।। [2016/10m/1d]

  14. “कविवर लालदास अपन रामायणमे विस्तृत मंगलाचरणमे पराप्रकृति सीता एवं परमपुरुष रामक स्मरण कयलनि अछि” – युक्तियुक्त विवेचन करू । [2016/15m/2c]

  15. “लालदास रचित ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’ मध्य सीताक चरित्रक प्रधानता अछि”–विवेचना करू। [2015/15m/3c]

  16. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): प्राची दिशि भय गेल प्रकाश। नव नृप रविक उदय उल्लास ।।
    अरुण वसन शुभ पहिरि दिनेश। मंच उदय-गिरि बैसला बेश।।
    चहु दिशि मंगल गाब विहंग। बाजए घंटा शंख मृदंग।।
    शिव-शिव ध्वनि भल हो चहु ओर। मागध सूत विरूद पढ़ शोर।।
    गाब भक्त सभ भैरव राग। सुनि-सुनि सभकाँ बड़ अनुराग।।
    कमल प्रफुल्लित मन्द समीर। बहय सुखद सौरभयुत धीर।। [2014/10m/1a]

  17. लालदासक ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’क नामकरण पर विचार करू। [2014/15m/3c]

  18. ‘रमेश्वर चरित मिथिला रामायण’क ‘बालकाण्ड’क काव्यगुणक समीक्षा करू। [2013/25m/2a]

  19. निम्नलिखित कोनो तीन अवतरणक सप्रसंग व्याख्या प्रस्तुत करैत ओहिमे सन्निहित भाव आ ओकर काव्यगत वैशिष्ट्यकेँ स्पष्ट करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): आम्र सुकानन पनसोद्यान। सुभग सुशीतल छायावान।।
    सुभग पवित्रित प्रचुर तड़ाग। निर्मल वारि अमृतसन लाग।।
    धेनु बकेन वत्सयुत गाय। झुराड झुराड देखल रघुराय।।
    अति अपूर्व शोभा विस्तार। धर्म-निरत सभ शुद्धाचार।।
    वन-उपवन मुनि आश्रम सहित। मंजुल बंजुल दूषण-रहित।। [2010/20m/1c]

  20. निम्नलिखितमे सँ कोनो तीन अवतरणक सप्रसंग व्याख्या प्रस्तुत करैत ओहिमे सन्निहित भाव आ ओकर काव्यगत वैशिष्ट्यकेँ स्पष्ट करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): कुल-वैभव रुचि रूप वयस शुचि चरित आचरित तूल।
    दुहु कुमार सुकुमार बुझाइछ एक तरुक दुइ फूल।।
    मधु माधव जनु, नभ नभस्य जनु, तप-तपस्य जनु युग्म।
    एक ऋतुक दुइ मास प्रकृति गुण समगम किछु मृदु-तिग्म।। [2009/20m/1c]

  21. “लालदासक ‘रमेश्वर-चरित मिथिला रामायण’ मैथिली राम-काव्य परम्पराक विकासमे बहुविध कारणेँ अत्यन्त महत्त्वपूर्ण अछि।” ‘बालकाण्ड’क आधार पर लालदासक काव्य-सौष्ठवक विवेचन करैत एहि कथनक समीक्षा करू। [2009/60m/2]

1.6] तन्त्रनाथ झा

23 questions

  1. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): मानिनी, तुअ असह्य होइछ व्यापार,
    उचित न आहत विजितहिँ करब प्रहार।
    तुअ अघातहिँ मूर्च्छित अछि मम प्राण
    अधर-अमिअ-रस-दानहिँ राखिअ एहि। [2026/10m/1a]

  2. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “संस्कृत साहित्यशास्त्रहुक अनुसार महाकाव्यक अधिकांश लक्षण ‘कीचक-वध’ मे भेटि जाइत अछि।” प्रमाणित करू। [2026/15m/4b]

  3. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “देवि विषम-विषमय नागिनि हिअ मोर
    दंशल, अछि सन्तप्त विकल मम प्राण।
    औषध विषक ओएह विष अछि जग एक
    पुनि पुनि नागिनि-दंशहि बाँचत प्राण॥
    नागिनि थिक तुअ पोसल दूध पिआए।”
    व्यंग्य-कथा सुनि अनुजक विस्मित-चित्त॥ [2025/10m/1e]

  4. “‘कीचक-वध’ महाकाव्य द्रौपदीमे आत्मविश्वास जागब आ एक बहादुर महिलाक भूमिकामे उतरब, कथा-प्रसंगक मूल-भूत तत्त्व थिक।” प्रमाणित करू। [2025/15m/4b]

  5. ‘कीचक-वध’ महाकाव्यमे सूक्ष्म दृष्टिक संग वर्णन-विस्तार ओ प्राञ्जल भाषाक प्रयोग भेल अछि–विश्लेषण करू। [2024/15m/3c]

  6. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) की छल से दिन जखन स्वयंवर बीच
    नृप-दल प्राणपणे चेष्टल,
    कए पूर्ण पूज्य पितागण, जीतब राजकुमारि,
    किन्तु अशक्त हताश जखन सभ भेल,
    जखन पिता भए आतुर कहल
    “यथार्थ भेल बीर बिनु मही,
    रहती मम पुत्रि अपरिणीत की?” [2023/10m/1d]

  7. वर्णन विस्तारक हेतु सूक्ष्म दृष्टि एवं प्राञ्जल वचो – विन्यासक दृष्टिएँ ‘कीचक वध’ सफल महाकाव्य थिक – विश्लेषण करू । [2023/15m/2c]

  8. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) ‘विधि, हम कएल कोन एहन अतिघोर
    पातक, जहि जन्य तुअ ई व्यापार,
    पुनि-पुनि दुःखावर्त बीच मोहि फेकि
    दुर्गति करिअ एहिविधि? की मम जन्म
    द्रुपद-राजकुल मध्य भेल एहि हेतु?’ [2022/10m/1b]

  9. ‘कीचक-वध’ महाकाव्यक आधार पर कीचकक कक्षमे प्रवेश करैत द्रौपदीक मनोभावकेँ स्पष्ट करू । [2022/15m/3c]

  10. ‘कीचक वध’ मे कवि वर्णनक प्रति विशेष मात्सर्य नहि देखा भावनात्मक क्रमबद्ध सुनियोजित एवं चारित्रिक विकास दिस बेसी उन्मुख भेल छथि – प्रतिपादित करू । [2021/15m/3c]

  11. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) “देवी, विषम-विषमय नागिनि हिअ मोर
    दंशल, अछि सन्तप्त विकल मम-प्राण,
    औषध विषक ओएह, विष अछि जग एक,
    पुनि-पुनि नागिनि-दँशहिँ बाँचत प्राण ।
    नागिनि थिक तुअ पोसल दूध पिआए ।”
    व्यङ्गक-कथा सुनि अनुजक विस्मित-चित्त । [2020/10m/1b]

  12. “कीचक बध” मे प्राचीन ओ नवीन रीति शैलीक अद्भुत सामंजस्य तथा समन्वयन भेल अछि – एहि उक्तिक सार्थकताकेँ प्रमाणित करू । [2020/15m/4b]

  13. ‘कीचक-बध’ मे संस्कृतक परम्परासँ भिन्न आधुनिक प्रणालीक अनुसरण कएल गेल अछि – मूल्यांकन करू । [2019/15m/2c]

  14. “कीचक-वध” मे कवि वर्णनक प्रति विशेष मात्सर्य नहि देखा भावनात्मक क्रमबद्ध सुनियोजित एवं चारित्रिक विकास दिस अधिक उन्मुख भेल छथि – एहि उक्ति पर विचार करू । [2018/20m/3a]

  15. “ ‘कीचक बध’मे प्राच्य एवं पाश्चात्य शैलीक मर्मस्पर्शी समन्वय भेल अछि” – एहि तर्कक मूल्यांकन करू । [2017/15m/3c]

  16. “कीचक-बध” काव्यस्वरूप ओ रचनाशैलीमे भिन्न रहितहुँ प्राच्य एवं पाश्चात्य-दुनू ठाम समान भावधाराक सम्वाहक अछि – प्रमाणित करू । [2016/15m/3c]

  17. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): देखु, क्षितिजसँ-इन्दु कलाक समान
    मत्स्यराज–अन्तःपुरसँ बहराए
    के थिक सुन्दरि सुर-रमणी-अनुरूप
    जाइत राजपथहिँ एकसरि सकुमारि
    मत्त-चकोर-नयनि, निज-पद-नख-चन्द्र-
    बद्ध-दृष्टि, गज-गामिनि! किअ मुखकञ्ज
    अछि एहन विवर्ण, किअ विद्रुम-कान्ति
    अधर स्फुरित सङ्कुचित कुटिल भ्रूभंग, छूटइछ अन्तर्ज्वाल-पूर्ण निःश्वास। [2015/10m/1e]

  18. ‘कीचक वध’ महाकाव्यक महाकाव्यत्व प्रमाणित करू। [2015/15m/2b]

  19. “‘महाभारत’क विराट पर्वमे वर्णित पाण्डव लोकनिक वनवासोत्तर विराट राजाक आश्रयमे अज्ञातवासक समयक वृत्तांत पर ‘कीचक वध’ महाकाव्यक कथावस्तु आधारित अछि”–समीक्षा करू। [2014/15m/2b]

  20. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): शार्दूली की कखनहु पाबए वास
    जम्बूकक? की ज्वलित तप्त अंगार
    तृणचय सकय झोंकि? की चम्पक त्रास
    भ्रमर तुच्छ कए सकए कतहु उपभोग?
    जँ हम कएल न तजि पाण्डवपति पंच
    आन पुरुष प्रति कखनहु स्वपनहु चित्त
    नहि कीचक कए सकत हमर तन स्पर्श। [2013/10m/1e]

  21. निम्नलिखित अवतरणक भावकेँ स्पष्ट करैत एकर काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट कए सप्रसंग व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): पत्नी पञ्च पाण्डवक, द्रुपद-सुपुत्रि,
    पति-प्राणा, कुलवधू कुरुक, सुकुमारि,
    रति-लज्जाकर जनिकर अनुपम रूप,
    पति-अज्ञात-वाससँ छथि असहाय,
    जनि सुन्दर-सुविशाल-रसाल-सनाथ–
    मालति, कुसुम-भार-नत, जकर सुगन्धि
    लए-लए पवन करए जनमन आनन्द,
    नियति-क्रमहि पाबए दुस्सह आघात
    झंझानिलक, होअए आश्रय द्रुम-नष्ट,
    शतशत मधुकर जत लुबुधल मधु-लोभ
    भए असहाय सहए पशुपदक प्रहार,
    कण्टकमय तृण-सङ्कुल भूमि लोटाए।
    एहि विधि कृष्णा हतभागा सुकुमारि
    मत्स्येशक अन्तःपुर कएल प्रवेश। [2012/12m/1c]

  22. निम्नलिखित अवतरणक भावकेँ स्पष्ट करैत एकर काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट कए सप्रसंग व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): पाबि पराभव जे बैसथि कर जोड़ि
    करइत अपन सहन शक्तिक व्यवहार
    पौरुष तनिक सिरजि बहुविध सन्ताप
    होइछ व्यर्थ यथा यौवन विधवाक। [2011/15m/1c]

  23. तन्त्रनाथ झा-द्वारा रचित ‘कीचक-वध’ महाकाव्यक आधार पर हुनक काव्य-प्रतिभाक परिचय दिअ। [2011/30m/3b]

1.7] सुरेन्द्र झा ‘सुमन’

22 questions

  1. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “‘दत्त-वती’ महाकाव्यमे देश-प्रेम आ राष्ट्रीय अखंडता तथा मानवीय संवेदनाक व्यापक दिग्दर्शन भेल अछि।” पाठ्यांशक आधार पर सयुक्ति प्रमाणित करू। [2026/15m/3b]

  2. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): सत्य ध्येय, शिव समाधेय, सौन्दर्य साधना।
    जीवन काव्यादर्श प्रकृत रस गुण उपासना॥
    साध्य-साधनक पावनता, तन-मनक प्रवणता।
    सत्य तथा श्रमसँ अर्थक सिद्धि सफलता॥ [2025/10m/1b]

  3. ‘दत्त-वती’ महाकाव्यक दोसर सर्गक आधार पर भारतीय गुरुकुल परम्पराक वैशिष्ट्यसँ परिचय कराउ। [2025/20m/3a]

  4. ‘दत्त-वत्ती’ महाकाव्य–“व्यक्ति, समाज, राष्ट्र ओ अन्तर्राष्ट्रिक वृहत्तर क्षितिजपर संगठित ई कृतिरत्न समग्र आधुनिक भारतीय भाषाक शिरोमुकुट थिक।” पाठ्यांशक आधारपर एहि उक्तिकेँ सविस्तार पल्लवित करू। [2024/20m/4a]

  5. ‘दत्त-वती’ महाकाव्यमे दार्शनिकता ओ आध्यात्मिकताक काव्यात्मक अभिव्यक्ति भेल अछि – पठित अंशक आधार पर स्पष्ट करू । [2023/15m/4c]

  6. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) जेना पानिसँ धान बढ़य ओ स्वच्छ पक्षसँ चान ।
    मान-दानसँ प्रीति-रीति, तहिना सुखसँ सन्तान ।।
    दिनकर होइतहिँ उदित छने-छन ऊपर उठले जाथि ।
    नव समुदित सुकुमार कुमारो नित-प्रति बढ़ले जाथि ।।
    तोतर बोल अमोल, सभक मन सहजहिं जाय विकाय ।
    माय-बाप जौहरी हँसी हीरककेँ सहत जोगाय ।। [2022/10m/1c]

  7. ‘दत्तवती’ नामक सार्थकता बुझबैत मृगांकदत्तक वाल्यावस्थाक किछु खास प्रसंगक उल्लेख करू । [2022/20m/3a]

  8. ‘दत्त-वती’ काव्यक द्वितीय सर्ग मे वर्णित गुरुकुलक शिक्षण-व्यवस्था एवं आकर्षक वातावरण ओ विश्वशान्तिक राष्ट्रीय स्वरूपक चित्रण प्रस्तुत करू । [2021/15m/4c]

  9. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) कतहु शारदा पुस्तक-हस्ता राजित वीणा पाणि ।
    गणपति प्रतिमा वर अंकुश कर लिखइछ अर्थ प्रमाणि ।।
    सुर-पूजित वाचस्पति बाँचथि कतहु रीति मद वेद ।
    कतहु भार्गवी विद्या सिखबथि शुक्र नीति कत भेद ।।
    कतहु व्यास-बाल्मीकिक प्रतिमा गोतम कपिल कणाद ।
    भरइछ अन्तेवासिक चितमे शुभ प्रेरणा प्रसाद ।। [2020/10m/1c]

  10. “दत्त-वती” अपन चिन्तनशीलताक कारणेँ एक प्रकारक राजनीतिक महाकाव्य थिक, जाहिमे दार्शनिकता ओ आध्यात्मिकताक काव्यात्मक अभिव्यक्ति भेल अछि – पठित अंशक आधार पर स्पष्ट करू । [2020/20m/2a]

  11. ‘दत्त-वत्ती’ महाकाव्यमे भारतीय सामाजिक चिन्तन, राष्ट्रीय चेतना ओ सांस्कृतिक गरिमाक चित्रण भेल अछि – स्पष्ट करू । [2019/20m/2a]

  12. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) गुरूजन सरुचि समापि सकल अविकल जत शिक्षा ।
    ग्रन्थ-ग्रन्थि पुनि क्रिया-पन्थ, मुख-लेख परीक्षा ।।
    ज्ञान चरित सन्धान दक्षता सभक समीक्षा ।
    देखि सकल स्नातककेँ देलन्हि जीवन दीक्षा ।।
    सत्य ध्येय, शिव समाधेय, सौन्दर्य साधना ।
    जीवन काव्यादर्श प्रकृत रस गुण उपासना ।।
    साध्य-साधनक पावनता तन-मनक प्रवणता ।
    सत्य तथा श्रमसँ सभ अर्थक सिद्ध सफलता ।। [2018/10m/1d]

  13. “दत्त-वती” सुरेन्द्र झा ‘सुमन’क जीवन-जगत ओ संस्कृति-दर्शन-सम्बन्धी विचारधाराक कवित्वमय आकर-ग्रन्थ थिक – सयुक्ति प्रतिपादन करू । [2018/15m/4c]

  14. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) कविक कर्म थिक शशिकर-शीकर रसिक चकोरक प्राण ।
    दोषाकर बुझि मुद्रित दृग से पंकज स्वयं न आन ।।
    कविक कर्म थिक दिनकर किरणे जगतक दृग-आलोक ।
    आतप वारण करथि छत्र धर अपनहि छाँयालोक ।।
    स्वातिक विन्दु पड़य शुक्तिक मुख मुक्ता झलकय अंग ।
    फणिक वदन कण पड़इछ, भरइछ दुर्वह गरल तरंग ।। [2017/10m/1d]

  15. ‘दत्तवती’क द्वितीय सर्गमे वर्णित गुरुकुलक शिक्षण-व्यवस्था एवं आकर्षक वातावरण विश्वशान्तिक अन्तर्राष्ट्रीय स्वरूपक चित्र प्रस्तुत करैत अछि – सयुक्ति प्रतिपादन करू । [2017/15m/4c]

  16. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): जन्म कर्म गुण-प्रकृति निरखि, रुचि परखि पारखी विज्ञ ।
    वर्गीकृत वर्णीक वरण जत करथि नित्य कृतविद्य ।।
    जनम प्रथम गृहकुलमे पुनि गुरुकुलमे उद्गम अन्य ।
    खनिज धातु मणि चढ़ि खराज पुनि मुकुटजड़ित हो धन्य ।। [2016/10m/1b]

  17. “दत्तवती” महाकाव्यमे भारतीय सामाजिक चिंतन, राष्ट्रीय चेतना ओ सांस्कृतिक गरिमाक व्यापक चित्रण भेल अछि – स्पष्ट करू । [2016/15m/4c]

  18. ‘दत्तवती’ महाकाव्यक पठित अंशक आधार पर ‘सुमन’ जीक पाण्डित्य-प्रकर्षसँ परिचय कराउ। [2015/15m/4c]

  19. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): सीखल कत भाषा, लीखल जत लिपि प्रचलित जग बीच।
    परिचित विविध देश व्यवहारक ऊँच रहौ वा नीच।।
    भाषण, लेखन, वाचन, गायन अभिव्यक्ति हित उक्ति।
    सुभाषितक उर हार पहिरि श्रुति-सूक्त सूक्ति रस उक्ति।।
    तर्क-वितर्क वाद-संवादहु अनुवादहुमे दक्ष।
    रहल कसरि नहि, असरि गुरुकुलक एतय भेल प्रत्यक्ष।। [2014/10m/1c]

  20. “सुमनजीक रचनामे प्राचीनता ओ नवीनताक विलक्षण समन्वय भेल अछि”–युक्तियुक्त विवेचन करू। [2014/15m/4c]

  21. काव्य-वैशिष्ट्यक दृष्टिएँ ‘दत्तवती’ महाकाव्यक प्रथम सर्गक मूल्यांकन करू। [2013/25m/2b]

  22. निम्नलिखित कोनो तीन अवतरणक सप्रसंग व्याख्या प्रस्तुत करैत ओहिमे सन्निहित भाव आ ओकर काव्यगत वैशिष्ट्यकेँ स्पष्ट करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): दशरथ रथ सँ पथ प्रशस्त जत परम पुरुष अवतार।
    रामराज्य आदर्श उपस्थित विश्व-शासनक सार।।
    मैथिलीक पति-भक्ति एतहि भरतक भ्रातृत्व अनूप।
    सौमित्रिक चारित्र्य चित्र सँ जगमग कीर्त्ति-स्तूप।।
    चरण पखारथि भक्ति-भाव सँ सरयू पावन नीर।
    वन उपवन फल फूल चढ़ाबथि डोलबथि चमर समीर।।
    ईति-भीति नहि एको व्यापित रोग-शोक नहि रंच।
    प्रजा धर्मपथ चलथि स्वयं, ने कनिञो कपट प्रपंच।। [2010/20m/1d]

1.8] यात्री

32 questions

  1. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): हमर वीणाध्वनि कने पहुँचैत जँ
    सटल-पाँजर बोनिहारक कानमे।
    सफल होइत तखन ई स्वर-साधना,
    चिर-उपेक्षित जनक गौरव-गानमे। [2026/10m/1c]

  2. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “वैद्यनाथ मिश्र ‘यात्री’ मानव जीवन, जगत ओ देशक महाकवि छथि” –विस्तृत विश्लेषण करू। [2026/15m/3c]

  3. “‘चित्रा’मे ‘यात्री’ शब्दचित्र द्वारा समकालीन परिस्थिति, व्यक्ति ओ मिथिलाक नारी समस्याक विमर्शक व्यंग्यात्मक रूप प्रस्तुत कएल अछि।” एहि उक्तिक समीक्षा करू। [2025/20m/4a]

  4. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “विष सन अवस्था, पहाड़ सन जीवन
    संसारमे हमर के अछि अपन?
    कानी तँ चुप कैनिहार क्यौ नहि
    रूसी तँ बौंसनिहार क्यौ नहि
    हम पड़ल छी टूटल पुल जकाँ
    मौलैल, बिनु सूँघल फूल जकाँ” [2024/10m/1e]

  5. “वैद्यनाथ मिश्र ‘यात्री’ श्रमशक्तिक पुजारी, व्यवस्थाक विरोधी, नवीन खाढ़ीक आवेशी आ सतत भ्रमणशील कवि छथि।” एहि उक्तिक विवेचन ‘चित्रा’क आधारपर करू। [2024/20m/3a]

  6. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) अगड़ाही लगौ बरू बज्र खसौ
    एहेन जाति पर बरू धसना धसौ
    भूकम्प हौक बरू फटौ धरती
    माँ मिथिला रहिये के की करती! [2023/10m/1c]

  7. ‘यात्री’जी मैथिली काव्यधाराकेँ नवीनोन्मुख करबाक आयास, संवेदनात्मक एवं व्यंग्यात्मक रूपेँ ‘चित्रा’ मे कयने छथि – विवेचन करू । [2023/15m/3c]

  8. कवि यात्रीकेँ स्वप्नमे काव्य-सरस्वती की कहलथिन? ‘मैथिली काव्यधारामे ताहिसँ काव्यक स्वर आ स्वरूपमे की परिवर्त्तन भेल’ – विवेचन करू । [2022/20m/2a]

  9. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) “परम मेधावी कते बालक जत,
    मूर्ख रहि हा ! गायहा चरबैत छथि
    कते वाचस्पति कते, उदयन जत,
    हाय ! बन गोइठा बिछैत फिरैत छथि,
    तानसेन कतेक रविवर्मा कते,
    घास छीलथि वागमतीक कछेड़ मे,
    कालिदास कतेक विद्यापति कते,
    छथि हेड़ाएल महींसवारक हेड़मे ।
    अन्न ने छै, कैंया ने छै कौड़ी ने छै,
    गरीबक नेना कोना पढ़तैक रे?
    उठह कवि, तो दहक ललकारा कने
    गिरि-शिखर पर पथिक-दल चढ़तैक रे ।।” [2021/10m/1d]

  10. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) “झमाझम बरसैत मूसलधार,
    माघक ठार, चैतक तस:
    सभ फूसि ओकरा हेतु ।
    लगाबथु ग केओ कतेको जोर
    बाप-पीतिकेँ करथु गऽ सोर,
    मुदा रोइयाँ एकोटा ओकर
    उपाड़ल नहि हेतन्हि ककेरा बुतेँ ।।” [2021/10m/1e]

  11. वर्तमान प्रबुद्ध युग मे कोन प्रकारक कवि चाही? एहि प्रश्नक उत्तर मे ‘यात्री’जी द्वारा रचित ‘चित्रा’ कविता संग्रहक कविता सभक उल्लेख करैत विस्तार सँ विवेचना प्रस्तुत करू । [2021/15m/2c]

  12. समसामयिकता, व्यंग्य प्रहार, छन्द विधान तथा मैथिलीक आत्मामे डूबल शब्द योजना यात्री जीक अपन विशेषता थिक – चित्राक आधार पर एहि उक्तिक विवेचन करू । [2020/15m/2c]

  13. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) अन्न ने छै, कैंचा ने छै, कौड़ी ने छै,
    गरीबक नेना कोना पढ़तैक रे?
    उठह कवि, तोँ दहक ललकारा कने,
    गिरि-शिखर पर पथिक-दल चढ़तैक रे । [2019/10m/1d]

  14. ‘यात्री’ जीक ‘चित्रा’ मे यथार्थवादी शैली, ग्राम्य-भाषा ओ मुक्त-वृत्तक प्रयोग भेल अछि – स्पष्ट करू । [2019/20m/3a]

  15. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) बाग्मति – कमला कोसिक धारा
    जा धरि पृथिवी सागर जा धरि
    जीवित रहब अहाँ तहिआ धरि
    काए – बचनसँ अथवा मनसँ
    हिंसा कएल न कोनो जीवक
    कोटिक कोटि मनुक्खक हित लए
    जिनगी अपन बिताओल गरीबक
    दुख ककरो नहि देल कनेको
    अपने विपति उठाओल अनेको
    जिवितहिँ परसल कीर्ति भुवन भरि
    तेना बहाओल शान्तिक सुरसरि । [2018/10m/1a]

  16. सामाजिक विषमता आ तकरा सँ उत्पन्न स्थितिक कुरूपता सहज आ सरल उपस्थापन यात्रीक कवितामे अनायासे देखल जा सकैछ – चित्राक आधार पर एहि उत्तिक प्रतिपादन करू । [2018/20m/2a]

  17. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) झमाझम बरसैत मूसलधार,
    माघक ठार, चैतक तस;
    सभ फूसि ओकरा हेतु ।
    लगाबथु ग केओ कतेकों जोर
    बाप पित्तीकेँ करथु ग सोर
    मुदा रोइयाँ एकोटा ओकर
    उपाड़ल नहि हेतन्हि ककरो बुतें । [2017/10m/1e]

  18. “एहि प्रबुद्धयुगमे कोन प्रकारक कवि चाही? एहि प्रश्नक उत्तर यात्रीक चित्रामे संकलित कवितासभ दैत अछि” – एहि कथनक समीक्षा करू । [2017/15m/2b]

  19. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): सम्मिलित स्वेच्छा प्रणोदित जयति जय जनशक्ति !
    हृदयमे अछि एक केवल तोहरेटा भक्ति ।।
    आन देवी देवता दिश नहि नवइ अछि माथ
    आइ नहितँ काल्हि दानवदलक कखह अवस्से उच्छेद
    कृषक श्रमिकक जीवनोकेँ बनबिहह पुनि वेद
    लैत प्राचीनक सगुण सदज्ञान [?]
    लोकहितमे लगविहह अपना युगक विज्ञान [2016/10m/1e]

  20. “चित्रा”मे प्राचीन-मध्य ओ आधुनिकक्कालीन मिथिलाकेँ सामाजिक जीवनक सम्यक् वर्णन भेल अछि – विश्लेषण करू । [2016/20m/2a]

  21. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): विधवा हमरे सन हजारक हजार
    बहौने जा रहलि अछि नोरक धार
    ओहिमे ई मुलुक डुबि बरु जाय
    ओहिमे लोक भसिया बरु जाय
    अगड़ाही लगौ बरु बज्र खसौ
    एहेन जाति पर बरु धसना धसौ
    भूकम्प हौक बरु फटौ धरती
    माँ मिथिला रहिये क’ की करती! [2015/10m/1d]

  22. “‘चित्रा’मे सर्वहरा वर्गक मर्मस्पर्शी वेदनाक स्वर मुखरित भेल अछि।” एहि कथनक विवेचना करू। [2015/20m/3a]

  23. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): तोड़ि कँ हरिसिंहदेवक डाँड़
    काल्हि जँ बौआ बिआहथि मेम
    महाश्वेता बहुरिआ
    चिनमार पर ओ आबि
    बिहुँसि लगती गोसाउनिकेँ गोड़
    तेँ अहाँ की छाड़ि कँ ई माटि
    पड़ाएब चल जएब मोरङ दीस। [2014/10m/1e]

  24. “यात्रीकेँ सामान्यतः मार्क्सवादी ओ प्रगतिशील कवि कहल जाइत छन्हि”–‘चित्रा’क आधार पर एहि उक्ति पर विचार करू। [2014/20m/3a]

  25. निम्नलिखित अवतरणक भावकेँ स्पष्ट करैत एकर काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट कए सप्रसंग व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): परम मेधावी कते बालक जत’
    मूर्ख रहि हा गायटा चरबैत छथि
    कते वाचस्पति कते उदयन जत
    हाय! बनगोइठा बिछैत फिरैत छथि
    तानसेन कतेक रविवर्मा कते
    घास छीलथि वाग्मतीक कछेड़मे
    कालिदास कतेक विद्यापति कते
    छथि हेड़ाएल महिसवारक हेड़मे
    अन ने छै कैंचा ने छै कौड़ी ने छै
    गरीबक नेना कोना पढ़तैक रे?
    उठह कवि, तों दहक ललकारा कने
    गिरि-शिखर पर पथिक-दल चढ़तैक रे॥ [2012/12m/1d]

  26. निम्नलिखित अवतरणक भावकेँ स्पष्ट करैत एकर काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट कए सप्रसंग व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): “कान पाथिकेँ सुनब पहर भरि।
    गाबथु प्रौढ़ा लोकनि मलार॥
    भीजब हम भरिपोख पहर भरि।
    बदरा बरसओं मूसलाधार॥
    चोभब राढ़ी आम भदईया,
    सलहेसक हम करब सिङ्गार
    बिसहाराक गहबर ओगरब गऽ
    देखब गऽ लाबाक पथार,
    सूपक मूप उझिलता अइखन
    पाछाँ बरू भऽ जेता देखार,
    बिला जेता भादवमे बिलकुल
    मेघक लीला अपरम्पार
    कान पाथि के सुनब प्रहरि भरि।
    गाबथु प्रौढ़ा लोकनि मलार॥” [2012/12m/1e]

  27. ‘चित्रा’क नामकरणक सार्थकता पर विचार करू। [2012/30m/2b]

  28. निम्नलिखित अवतरणक भावकेँ स्पष्ट करैत एकर काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट कए सप्रसंग व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): अभियान करक अछि आइ शक्ति-संचय हित
    अभियान हमर सत्पथ पर दृढ़ निश्चय हित
    दानवताकेँ निर्मूल करय भूतलसँ
    अभियान हमर ई निज शक्तिक परिचय हित। [2011/15m/1a]

  29. निम्नलिखित अवतरणक भावकेँ स्पष्ट करैत एकर काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट कए सप्रसंग व्याख्या करू (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): बनिञा-लीडर-अँफसर तीन त्रिमूर्ति,
    क[?] रहला अछि अपन मनोरथ पूर्ति।
    अपना लए सभ अनकाँ हेतु बडौर,
    तइपर फाटन्हि रहि-रहि कतै बुकौर। [2011/15m/1d]

  30. सामाजिक कुचक्रमे पिसाइत नारीक मनोवैज्ञानिक अन्तर्द्वन्द्वकेँ चित्रित करएमे ‘यात्री’जी अत्यन्त संवेदनशील छथि–‘चित्रा’क आधार पर एहि उक्तिक समीक्षा करू। [2011/30m/3a]

  31. लोकमुखी शब्दावलीक प्रयोग द्वारा साहित्यक आत्मीयता एवं व्यापकताकेँ दृढ़ करबामे प्रगतिवादी यात्रीक ‘चित्रा’ सर्वाधिक लोकप्रिय भेल अछि–सयुक्ति विवेचन करू। [2010/60m/4]

  32. “‘चित्रा’मे शब्दचित्रक द्वारा परिस्थिति, व्यक्ति ओ मिथिलाक नारीक समस्याक चित्रण तथा व्यंजना भेल अछि।” ‘चित्रा’क नामकरणक सार्थकता प्रमाणित करैत एहि उक्तिक समीक्षा करू। [2009/60m/4]

1.9] ‘समकालीन मैथिली कविता’ (साहित्य अकादेमी)

22 questions

  1. निम्नलिखित सभ प्रश्नक उत्तर लिखू: “आधुनिक कविता नव-नव भाव-बोधसँ सम्पृक्त एवं नव अभिव्यक्तिक सामर्थ्यसँ परिप्लावित परिलक्षित होइत अछि।” ‘समकालीन मैथिली कविता’क आधार पर सयुक्ति विवेचन करू। [2026/15m/2c]

  2. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि। काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): नग्न वर्तमान केर समस्त सम्बोधन।
    आधुनिक संचेतनाक समग्र स्पन्दन॥
    देशसँ, समाजसँ
    जीवनक यथार्थसँ
    ई अछि प्रतिबद्ध
    अपन अस्मितासँ शत-शत सम्पृक्त
    प्रत्येक समस्यासँ लड़वाक लेल सक्रिय
    निर्भय, सन्नद्ध॥ [2025/10m/1d]

  3. “मान व्यक्तित्वक बचत नहि जा न राष्ट्रक मान जागत।”
    सुरेन्द्र झा ‘सुमन’क कविता ‘जा रहल छी’क आधार पर एहि कथनकेँ पुष्टि करैत स्पष्ट करू जे कवि एहि सन्दर्भ आर की सभ कहए चाहैत छथि। [2025/15m/2c]

  4. ‘समकालीन मैथिली कविता’मे संकलित राजकमल चौधरीक ‘अर्थतन्त्रक चक्रव्यूह’ शीर्षक कवितामे निहित भावपर प्रकाश दिअ। [2024/15m/3b]

  5. ‘समकालीन मैथिली कविता’ मे संकलित रचनाक आधार पर ‘आरसी प्रसाद सिंह’क व्यक्तित्व ओ काव्य-वैशिष्ट्यक उल्लेख करू । [2023/15m/4b]

  6. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) सभ पुरूष शिखण्डी
    सभ स्त्री रासक राधा
    सभक मोनमे धनुष तानि कऽ बैसल
    रक्त पियासल व्याधा
    कतऽ जाउ? की करू?
    रावण बनि ककरा सीता केँ हरण करू?
    सभ पुरूष शिखण्डी [2022/10m/1d]

  7. पठित रचनाक आधार पर जीवकान्तक व्यक्तित्त्व ओ काव्य – वैशिष्ट्यक उल्लेख करू । [2022/15m/2b]

  8. “समकालीन मैथिली कविताक प्रवृत्ति सामाजिक परिवर्तनक दिशामे महत्त्वपूर्ण भूमिकाक निर्वाह करैछ” तर्कसंगत उत्तर दिअ । [2021/15m/3b]

  9. समकालीन मैथिली कविताक विकास-यात्रा पर प्रकाश दिअ । [2021/15m/4b]

  10. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू, जाहिमे भाव स्पष्ट रहय । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) आवश्यकताक अनेक महारथीक प्रहार
    सहि-सहि कऽ जीवन-अभिमन्यु लेल पराभूत
    इच्छाक उत्तरा विधवा भऽ गेलि
    आ भविष्यक परीक्षित गर्भस्थ औना रहल
    दुःशासन-जीविकाक हाथेँ सखि, द्रौपदीक
    चीर जकाँ, विरहक दिन बढ़ले अछि जा रहल । [2020/10m/1a]

  11. जीवनक प्रति स्वागत-भाव आधुनिक कविताक स्थायी भाव थिक – “समकालीन मैथिली कविता”क आधार पर विश्लेषण करू । [2020/15m/4c]

  12. ‘समकालीन मैथिली कविता’ मे कविलोकनिक नव्यतम काव्य-चेतना प्रस्फुटित भेल अछि – विवेचन करू । [2019/15m/2b]

  13. “समकालीन मैथिली कविता”क आधार पर कविवर मायानन्द मिश्रक काव्य-वैशिष्ट्य पर प्रकाश दिअ । [2018/15m/2b]

  14. प्रत्येक प्रश्न अनिवार्य अछि । काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए । (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य) देखि ककरहु पंकमग्न, सकीतँ उबारि दिऔ
    कूपमे खसइतकेँ अपन बाँहि पकड़ाए दिऔ,
    किन्तु कए काज ई बिसरि जाउ, बिसरि जाउ,
    स्मृतिसँ मेटाए लिअ;
    अन्यथा होएत तीब्र अनुताप ।
    गिरह बान्हि राखू, जे एतादृश लगानी करब
    सूदिक कथा कोन मूरहुसँ हाथ धोउ । [2017/10m/1c]

  15. मैथिलीक नव्यतम काव्य-चेतनाक कवि लोकनिक कविताक संग्रह ‘समकालीन मैथिली कविता’मे कयल गेल अछि – सयुक्ति विवेचन करू । [2017/15m/2c]

  16. “समकालीन मैथिली कविता”क आधार पर कविवर आरसी प्रसाद सिंहक काव्य-वैशिष्ट्य पर प्रकाश दिअ । [2016/15m/2b]

  17. ‘समकालीन मैथिली कविता’क आधार पर रामकृष्ण झा ‘किसुन’क काव्य-सौष्ठवसँ परिचय कराउ। [2015/15m/3b]

  18. समकालीन मैथिली कविताक आधार पर मायानन्द मिश्रक कवितासँ परिचय कराउ। [2014/15m/3b]

  19. काव्य-वैशिष्ट्यकेँ निर्दिष्ट करैत निम्नलिखित अवतरणक सप्रसंग व्याख्या करू जाहिमे भाव स्पष्ट रहए (उत्तर अधिकतम 150 शब्दमे दातव्य): भुस्साक आगि जकाँ नहूँ नहूँ
    जरै छी मने मने हमहूँ
    फटै छी कुसियारक पोर जकाँ
    चैतक पछवामे ठोर जकाँ। [2013/10m/1a]

  20. “समकालीन मैथिली कविताक मूल स्वर अछि सामाजिक विसंगति पर कड़गर प्रहारक स्वर।” एहि कथनक सार्थकता सिद्ध करू। [2013/25m/3b]

  21. आधुनिक मैथिली कविताक प्रमुख प्रवृत्तिसँ परिचय कराउ। [2012/30m/4b]

  22. निम्नलिखितमे सँ कोनो तीन अवतरणक सप्रसंग व्याख्या प्रस्तुत करैत ओहिमे सन्निहित भाव आ ओकर काव्यगत वैशिष्ट्यकेँ स्पष्ट करू (उत्तर अधिकतम 200 शब्दमे दातव्य): फूल जे गमकैत वन-वनमे लुटाबै अछि सुरभि-घट
    खिलखिला कऽ जे हँसै अछि भव-भुवन-भरिमे हृदय सँ।
    भ्रमर जे गुंजन करै अछि, गीत गाबै अछि विहंगम
    मग्न-तन नर्त्तन कलापी जे करै अछि चिर-प्रणय सँ।। [2009/20m/1b]

Cover of the UPSC Mains Topic-wise and Year-wise PYQs book (2013–2026)

From the Optional Province team

Strengthen your GS papers

Our UPSC Mains Topic-wise & Year-wise PYQ Book (2013–2026) maps every GS question to the syllabus, so you know what UPSC asks and how often. Now available as a hard copy and an eBook.

Buy Hard Copy on AmazonBuy eBook (PDF)

Download a free sample

Spotted an error? Tell us.

We classify every PYQ with care, but mistakes can slip in. If a question is in the wrong topic, has a typo, the wrong year, or is missing, let us know. We review every report and update the page.

Report an Error

« Previous: आधुनिक कालमे साहित्यिक विधाक विकास · Next: खण्ड ख: गद्य »

Back to: Maithili Literature Optional PYQs – Topic-wise

Last updated: 2 November 2026